1 Corinthians2

1यौ विश्वासी भाइसब, हमहूं एहने काज कएने रही जहिया हम अहाँसबलग आएल रही त' आब परमेश्वर हमरासबके की प्रगट कएने छथि से हम अहाँसबके बतएने रही। हम दोसरसबस' बेसी शक्तिशाली रीतिस' नहि बजने रही। हम दोसरसबस' बेसी बुद्धिमानीस' बहस नहि कएने रही। 2हम एना एहिलेल निर्णय कएली जे हम अहाँसबसंगे रहैत काल यीशु मसीह आ क्रूसपर हुनकर मृत्यु कोना भेल छलनि सेहे बाजएलेल आ काज करएलेल ओहि बातसबके मात्र चुनने रही।3जहिया हम अहाँसबसंगे रहैत रही त' हमहूं एहि तरहें जीवन व्यतीत कएली। हम चिन्तित, भयभीत, बेर-बेर कंपैत आ थरथराइत रही।4जं हम अहाँसबसंगे बजलहुं आ अपन सन्देश अहाँसबसंगे बटली त' हम अहाँसबस' मानवीय गहन बुद्धि मनमोहक ढंगस' नहि बजलहुं। बल्कि, हम साबित कएली जे जखन हम सन्देश प्रचार कएली त' हमरा माध्यमस' परमेश्वरके आत्मा सामर्थीरुपस' काज करैत छथि।5हम अपन सन्देश एहि तरीकास' बतौने रही जे अहाँसब परमेश्वरपर भरोसा क' सकी किएकत' ओ सामर्थीरुपस' काज करैत छथि, एहिलेल नहि जे लोक अहाँसबस' बुद्धिमानीक बात कएलक।6हम जे कहने छी ओहिके अतिरिक्त हमसब जे शुभ सन्देशके प्रचार करैत काल आत्मिकरुपस' परिपक्व लोकसबसंगे बुद्धिमानीस' बजैत छी। मुदा, जे लोकसब सांसारिक रीतिस' सोंचैत अछि आ जे लोक एखन शासक अछि तेकरासबके ई नहि लगैत अछि जे हमसब बुद्धिमानीस' बात करैत छी। जल्दिए ई लोकसब आगु शासन नहि करत।7नहि, हम बुद्धिमान बात बजैत छी किएकत' हमसब ओएह बातसब घोषणा करैत छी जे परमेश्वर हमरासबके प्रगट कएने छथि। परमेश्वर एहि बातसबके एखन धरि, गुप्ते रखने रहथि, यद्यपि ओ संसार सृष्टि कर' स' पहिने ओहि बातसबके करबाक निर्णय क' लेने रहथि। ओ ईसब एहिलेल कएलथि जे ओ अपनासबके महिमा करथि।8एहि युगके शासकसब एहि बुद्धिके बातसबके जानि पौलनि। अहाँसब कहि सकैत छी जे ओसब नहि जनलनि, किएकत' ओसब अपनासबके महिमामय प्रभुके क्रूसपर चढ़ाक' मारि देलनि। 9बल्कि, ओसब जाहि रीतिस' काज कएलनि से प्रवक्ता यशायाहद्वारा शास्त्रमे लिखल गेल अनुसार उपयुक्त बैसैत अछि: “जे सब परमेश्वरस' प्रेम करैत छथि, ओ ओहि लोकसबके लेल एहन बातसबके तैयार कएने छथि जेकरा पहिने केओ नहि देखलक आ एहन बातसबके जेकरा विषयमे पहिने केओ नहि सुनलक आ एहन बातसबके जेकरा कोनो मनुष्य पहिने कहियो कल्पनो धरि नहि कएने रहए।” 10परमेश्वर ई बातसब हमरासबके परमेश्वरके आत्माके सामर्थ्यद्वारा प्रगट कएलथि। परमेश्वर अपन आत्माके सामर्थ्यके द्वारा एहिलेल काज करैत छथि किएकत, परमेश्वरके आत्मा सबलोक आ सब बातसबके खोजैत छथि। ओ परमेश्वरके विषयमे एहन बातसबके खोजैत छथि जे बुझएलेल बेसी कठिन अछि।11परमेश्वरक आत्मा परमेश्वरके विषयमे सब बातसबके खोजैत छथि से अहाँसब कहि सकैत छी, किएकत, कोनो मनुष्य अपना मोनके बात मात्रे जानि सकैत अछि। एहिना परमेश्वरके आत्मा मात्रे परमेश्वरके विषयमे जनैत छथि। 12हमसब ओएह परमेश्वरके आत्मा प्रदान कएल गेल अछि जे परमेश्वरके दिसस' छथि। हमरासबके एहि वर्तमान संसारके आत्मा नहि भेटल अछि। हमसब परमेश्वरक आत्मा प्राप्त पएने छी। जाहिस' हमसब ओ सबकिछु जानि सकी जे परमेश्वर अपनासबके लेल कएने छथि।13हमहूं एहिसबके विषयमे बातक' रहल छी। हमसब ओहि शब्दसबके प्रयोग नहि करैत छी जेकरा मनुष्यसब बुद्धिमानके साथ सिखबैत अछि। मुदा, हमसब ओएह वचनसबके प्रयोग करैत छी जे परमेश्वरके आत्मा सिखबैत छथि, जे हमसब आत्मिक सत्यसबके आत्मिक शब्दसबके संग बखान क' सकी।14मुदा, जे मनुष्य आत्मिक नहि अछि, से सब परमेश्वरके आत्माके जे बातसब कहैत आ सिखबैत छथि से अस्वीकार करैत अछि। ओसब ई बातसब अस्वीकार करैत अछि, किएकत, ओसब सोंचैत अछि जे ई बातसब मूर्ख अछि। ओसब परमेश्वरके आत्मास देल आ सिखाओल बातसबके विषयमे नहि जानि सकैत अछि किएकत, जेकरालग परमेश्वरके आत्मा अछि, ओएह मनुष्य मात्रे एकरा ठीक प्रकारे जांचि सकैत अछि।15दोसर दिस, जेकरामे परमेश्वरके आत्मा अछि से सब किछुके ठीक प्रकारस' जांचि सकैत अछि। मुदा आन कोनो मनुष्य ओहि बातसबके विषयमे ठीक प्रकारस' जांचिए नहि सकए।16जेना धर्मशास्त्रमे लिखल अछि, ई ओकरासबस' मेल खाइत अछि: “केओ मनुष्य नहि जानि सकए जे प्रभु की सोंचैत छथि। कोनो मनुष्य हुनका कोनो विषयमे नहि सिखा सकए।” मुदा, हमसब ओहे बातसब सोंचि सकैत छी जे मसीह सोंचि रहल छथि। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67