Ruth1

1बहुत दिन पहिने जहिया न्यायीलोकनि इजराएलपर शासन करैत रहैक, तहिया ओत' रौदी पड़ल। इजराएल देशके यहूदा प्रान्तके बेतलेहम गामक एकटा आदमी इजराएल छोड़िक' किछु बरिसकलेल मोआब देशमे रहए चलि गेल। ओकर पत्नी आ दुनू बेटा सेहो ओकरासंगे चलि गेल।2ओकर नाम एलीमेलेक आ ओकर पत्नीके नाम नाओमी, आ ओकर बेटासबके नाम महलोन आ किल्योन रहैक। ओ सबगोटे यहूदा प्रान्त, बेतलेहम गामके एप्राती वंशके रहए। ओसब मोआब देशमे आबिक' बसि गेल।
3मोआबमे ओ सबकिछु समय रहलाक' बाद, नाओमीके पति एलीमेलेक मरि गेल आ नाओमीसंगे ओकर दूटा बेटा मात्रे रहि गेल।4नाओमीके बेटासब मोआबी लड़कीसब संगे विवाह क' लेलक, ओहिमेस' एकटा कनियाके नाम ओर्पा आ दोसरके नाम रूथ रहनि। ओकरासबके ओत' दस वर्ष रहलाके बाद,5महलोन आ किल्योन सेहो मरि गेल। तेकरबाद, नाओमी बिना बेटा आ पतिके एसगरे रहि गेलीह।
6किछु दिनके बाद, नाओमी मोआबमे रहैत काल सुनलीह जे यहोवा अपन लोकसबके मदति कएने रहथि आ एखन इजराएलमे बहुते भोजन छै। एहिलेल ओ अपन दुनू पुतहु संगे बेतलेहम जाएलेल तैयार भेलीह।7ओसब रहनिहार जगह छोड़ि देलक आ ओसब यहूदा देशमे जाएलेल यात्रा कएलक।
8जेना ओसब जाइत रहैक, नाओमी अपन दुनू पुतहु के कहलीह, “अहाँ दुनूगोटे अपन नहिरा चलि जाउ। अहाँसबके मरि गेल पतिसब संगे आ हमरासंगे जेना विश्वासयोग्य छलीह तहिना यहोवा अहाँसबसंगे करथि से हम हुनकास' प्रार्थना करैत छी।9हम यहोवास' प्रार्थना क' रहल छी जे अहाँ दुनूगोटेके पति दैथि जेकरा संगे अहाँसबके घर बैसि जाए।” तेकरबाद, ओ अपन दुनू पुतहु के माथपर चुम्मा लेलीह, आ ओसब कुहेसा फाड़िक' कनलनि।10ओकर दुनू पुतहु ओकरा कहलीह, “नहि! हमहूंसब अहाँसंगे अहाँके लोकसबलग जाएब।”
11मुदा नाओमी कहलीह, “नहि, बौआ अहाँसब, अपन घर चलि जाउ, हमरासंगे अएलास' अहाँसबके कोनो फायदा नहि होएत! हम आओर बेटासब जनमाबी से सम्भव नहि अछि जे अहाँसबके पतिसब बनि सकए।12बौआ, अहाँसब चलि जाउ। हमरा दोसर विवाह करएलेल वयस ढ़रि गेल अछि। यदि हम ई सोचबो करी जे हम दोसर पति खोजि ली, आ आइए राति विवाहो क' ली आ बेटासब सेहो जनमा ली,13अहाँसब ओकरा नमहर होबए धरि प्रतीक्षा नहि क' सकब! अहाँसब ताधरि विवाह कएने बिना नहि रहि सकैत छी! नहि, बौआसब, हमर जीवनके बड़ तीत बनाक', यहोवा हमरा मारने छथि। मुदा अहाँसबके जीवन हमरे जकां तीत जिअएके आवश्यकता नहि अछि।”
14तखन रूथ आ ओरपा फेरुस' कुहेसा फाड़िक कनलीह। ओर्पा अपन सासुके चूम्मा ल' क' आ बिदाह भ' गेलीह। मुदा रूथ नाओमीसंगे रहि गेलीह।15नाओमी ओकरा कहलीह, “देखू! अहाँक' जेठकी दिआदनी अपन नातागोता आ देवतासब लग जाइत अछि! अहूं ओकरेसंगे घुरि जाउ!”
16मुदा, रूथ उत्तर देलीह, “नहि! अहाँके जाए दी वा अहाँसंगे हम नहि जाक' घुरि जाउ से कर नहि लगाउ! जत' अहाँ जाएब, ओत' हमहूं जाएब। जत' अहाँ रहब ओत' हमहूं रहब। अहाँके नातागोता हमरो नातागोता आ अहाँ जाहि परमेश्वरके आराधना करैत छी ताहि परमेश्वरके हमहूं आराधना करब।17जत' अहाँ मरब, ओतहि हमहूं मरब, आ ओतहि ओसब हमरो दफना दैक। मरएस' पहिने जं अहाँके हम छोड़ि दी त' यहोवा हमरा कठोर दण्ड देथि।”18जखन नाओमीके महसूस भेल जे रूथ ओकरासंगे जाएलेल ठानि लेने अछि, त ओ ओकरा घुरिक' जाएलेल कहनाइ बंद क' देलीह।
19तएं बेतलेहम पहुंचए धरि दुनूगोटे संगे चललनि। जखन ओसब बेतलेहम आबि गेल त' ओकरा देखक' ओहि नगरके लोकसब जोर-जोरस' बात कर' लागल। ओहि नगरके स्त्रीसब अचम्भित भ' क' कहए लागल, “ई विश्वास नहि भ' रहल अछि जे ई नाओमी अछि।”20नाओमी ओकरासबके कहलीह, “अहाँसब हमरा नाओमी नहि कहू, किएक त' नाओमीके माने खुशहाल होइत अछि। मुदा हमरा ‘मारा’ कहू, जेकर अर्थ ‘तीत’ होइत अछि। सर्वशक्तिमान परमेश्वर हमर जीवनके तीत बना देने छथि।21जखन एत' स' चलल रही त' हमरालग सबकिछु भरल पुरल रही, मुदा आब एत' खाली हाथ परमेश्वर घुराक' लेलखिन। हमरा नाओमी नहि कहू। सर्वशक्तिमान हमरास' रुस्ट भ' गेल छथि आ हमरासंगे बहुत खराब व्यवहार कएने छथि।”
22एहिना नाओमी अपन पुतहु रूथके संग मोआबस' इजराएल आएल। जहिया ओसब बेतलेहम पहुंचल त' तहिया जौके कटनी शुरु भेल छल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67