Esther10
1तखन राजा क्षयर्ष अपन सम्पूर्ण साम्राज्यमे भूमध्य सागरीय द्वीप सबपर, रहनिहार सेहो कर लगा देलनि।2मादै आ फारसक राजकीय इतिहासक पुस्तकमे ओ सबटा पैघ काज दर्ज कएलनि जे राजा क्षयर्ष बहुत शक्तिशाली छलथि। ओ एहिमे ओहि सब पैघ काजके पूर्णरुपस' लिख लेलनि जे मोर्दकैद्वारा कहल गेल छल, कारण राजा हुनका एकटा महत्वपूर्ण पदपर पदोन्नति कएने छलाह। 3यहूदी मोर्दकै ई काज क' सकलाह किएक त ओ राजा क्षयर्षक बाद साम्राज्यमे सबस' शक्तिशाली आदमी छलाह। अपन लोकक बीच सेहो अगुवा छलथि। हुनकर सबहे यहूदीसंगी, हुनका आदर करैत छलथि। ओ यहूदीसब सदिखन समृद्ध रहए खातिर कठिन मेहनति कएने छलथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.