Numbers24

1एखन धरि बिलाम देखलक जे यहोवा इजराएलके आशीष देबएमे राजी छथि, ओ आन बेर जकां, शान्ति देख कतौ नहि गेल। बल्कि, ओ मरुभूमि दिस देखलक।2बिलाम अपन आंखि उठाक' देखलक जे इजराएलके अपन गोत्र अनुसार डेरा देने छल आ यहोवाके आत्मा ओकरापर अएलथिन।3ओ ई भविष्यवाणी प्राप्त क क' आ कहलक, “बोरके पुत्र बिलाम आब बाजएबला अछि,जाहि मनुष्य आंखि बंहिया स खुजल अछि।4ओ बजैत अछि आ यहोवा वचन सुनैत अछि।ओ सर्वशक्तिमान यहोवास' दर्शन पबैत अछि,जेकरा आगु ओ अपन आंखि खोलिक निहुरैत अछि।5यौ याकूब, अहाँक तम्बू कतेक सुन्दर अछि,अहाँ जत निवास करैत छी से स्थान, यौ इजराएल!6इजराएलके बास स्थानसब उपत्यका जकां छिरिआएल अछि,नदी किनहेरिमे वाटिका जेहन,यहोवाद्वारा रोपल गेल अगर के गाछ जकां,नदी किनहेरिमे रहल देवदार जकां। 7ओकरासबके घैला स पानि उछलैत अछि,ओकरासबके बिआ नीक जकां जल सिंचाइ भेल अछि।अमालेकीसबके राजा अगाग स' महान होतैक,आ ओकरा राज्य आदर पाएल होतैक।8यहोवा इजराएलीसबके मिस्रस' बहार निकालिक' लएने छथि, जंगली सांढ़के शक्तिस।ओकरासंगे लड़एबला देशके घोंटि लेतै।ओ ओकरासबके हड्डीके चूर-चूर क' देतओ अपन धनुष वाणस' मारतै।9ओ शेर जकां ढूका मारिक बैसल अछि,शेरनी जकां। केओ ओकरा हरकाब के हिम्मत करए अछि?जे केओ ओकरा आशीष दैक, से आशीषित होथि;जे केओ ओकरा सराप दैक ओ सरापित होथि।”
10बालाक बिलामपर बड़ जोरस क्रोधित भ' गेलैक आ पित्तस अपन दुनू हाथ मसोरैत बिलामके कहलक, “हम तोरा अपन दुश्मनके सराप देब' लेल बजौने रहियौ, मुदा देख, तों ओकरासबके तीनबेर आशीर्वादे द' देलही।11तें आब तों हमरा छोड़िक' अखिने अपन घरे चलि जो। हम कहने छलियौ जे हम तोरा नीक जकां इनाम देबौ, मुदा यहोवा तोरा इनाम पाबएस' रोकि देलनि।”12तब बिलाम बालाकके उत्तर देलक, “हम ओहि दूतसबके कहने रही जेकरा हमरालग पठौने छली,13‘बालाक हमरा सोना आ चानीस भरल अपन दरबारो द देत, हम यहोवाके वचनस बाहर नहि जा सकैत छी आ किछु नीक वा अधलाह, वा ओ जे हम जे किछु कर' चाहिती। हम मात्र ओहे कहि सकैत छी जे यहोवा हमरा कहए कहितथि।’ की हम ओकरासबके ई नहि कहने रहिऐ?14बिलाम बालाकके कहलक, तें आब, देखू, हम अपन लोकसबलग जाइछी। मुदा पहिने हम अहाँके चेतावनी दैत छी जे ई इजराएली लोकसब मोआबके लोकसबके आब' बला दिन की करत।”15बिलाम अपन भविष्यवाणी शुरु कएलक। ओ कहलक, “बोरके पुत्र बिलाम बाजि रहल अछि,ओ मनुष्य जेकर आंखि निकस खुजान अछि।16ई ओहि व्यक्तिके भविष्यवाणी जे परमेश्वरके वचन सुनैत अछि,जेकरा सर्वोच्च यहोवास ज्ञान अछि,जे सर्वशक्तिमान यहोवास' दर्शन देखैत अछि,जेकरा आगु खुजल आंखिस निहुरैत अछि।17हम हुनका देखैत छी, मुदा ओ एखन एत नहि छथि। हम हुनका देखैत छी, मुदा ओ लग मे नहि छथि। याकूबस एकटा तरेगन निकलिक आओत,आ एकटा राजदण्ड इजराएलस निकलि आओत।ओ मोआबके अगुवासबके छिरिया देतआ शेतके सन्तानसबके नाश क' देत।18एदोम आ सेईर इजराएलके धन भ' जाएत, आ सोर सेहो ओकरे सम्पत्ति भ' जाएत,इजराएलके दुश्मनसब,जेकरा इजराएल जवर्जस्ती जीत लेत।19याकूबमे स एकटा राजा निकलि आओत जे अधिकार संग राज करत,ओ नगरके बांचल सबके नाश क देत।”
20तब बिलाम अमलेकके जातिपर देखक' अपन भविष्यवाणी शुरु कएलक। ओ कहलक, “अमलेकी एकबेर सबस महान छल,मुदा ओकरा अन्त सर्वनाश होएत।”
21तेकरबाद बिलाम केनीसब दिस देखलक आ अपन भविष्यवाणी कएलक। ओ कहलक, “जाहि स्थानमे तों रहि रहल छे से बड़ मजगूत अछि,आ तोहर खोंता चट्टान छौ। 22तथापि तों केनीसब आगिस भष्म भ' जएबेजहिया अश्शूरी तोरासबके बंदी बनाक ल' जएतौ।”
23तब बिलाम अपन अन्तिम भविष्यवाणी शुरु कएलक। ओ कहलक, “धिक्कार! यहोवा जहिया एना करथिन तहिया के बांचि जएबे?24कित्तिमके किनहेरिस जहाज सब अओतै;ओसब अश्शूरी देशके लोकसब आक्रमण करत आ एबेरके जीत लेतैक,मुदा ओहोसब, सेहो, अन्तमे सर्वनाश भ' जएतैक।”25
तब बिलाम उठिक' आ अपन सन्देशके समाप्त क' क' ओ अपन घर आबि गेल, आ बालाक सेहो अपन रस्ता चलि गेल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67