Judges3

1तब ओहि जातिसबके रहबाक अनुमति देलनि ताकि यहोवा इजराएलीसबके ओकरासबद्वारा जांच क' सकए, आ ओसब कनानके कोनो युद्धके विषयमे नहि जनैत छल।2केवल इजराएलीसबके वंशसब जे युद्ध करबाक लेल नहि जनैत छल, ओकरासबके सिखाबए आ अनुभव होएबाक लेल।3पलिश्तीसबके पांच शासकसब जे कनानीसब, सीदोनीसब, लबानोनके पहाड़मे रहनिहार हिब्बीसब, बालहर्मोन पहाड़पर रहनिहार लेबो-हमात धरि।4इजराएलीसबके ओकरासबद्वारा जांच करबाक लेल, ई जनएबाक लेल की ओसब यहोवाके आज्ञा पर ध्यान दैत अछि की नहि, जेकरा मूसाद्वारा ओकरासबके पूर्वजके आज्ञा देने रहए।5तएं इजराएलीसबके सन्तानसब कनानीसब, हित्तिसब, एमोरीसब, आ परिज्जीसब, आ हिब्बीसब, आ यबूसीसबके बीचमे रहए लागल।6तएं ओसब अपन बेटीसबके पत्नीके रुपमे ओकरासबके द' देलनि, आ ओसब अपन बेटासब ओकरासबके पतिके रुपमे द' देलनि, आ ओसब ओकरासबके देवतासबके पूजा करए लागल7तएं इजराएलीसबके सन्तानसब ओहे काम कएलक जे यहोवाके नजरिमे दुष्ट रहए आ ओसब अपन यहोवाके बिसरि गेल। ओसब बाल आ अशेरा देवता पूजा कएलक। 8तएं यहोवा इजराएलस' बहुत क्रोधित भेलाह आ ओ ओकरासबके सोंपि देलनि जे ओसब मेसोपोटामियामे अरनहरैमक राजा जे राजा कूशन रिश्आतइमके शक्तिक अधीन रहि सकथि। इजराएलक लोक आठ साल धरि कूशन रिश्आतइमके सेवा कएलकनि।9जखन इजराएलीसबके सन्तानसब यहोवाके बाजओलक, तब यहोवा इजराएलीसबके सन्तानसबके लेल एकटा छुटकारा कएनिहारके ठाढ़ कएलथि, आ ओ ओकरासबके छुटकारा कएलनि: ओत्नीएल, कनजीके पुत्र, कालेबस' छोट भाय छल।10यहोवाके आत्मा हुनकापर आएल आ ओ इजराएलीसबके न्यायकर्ता भ' गेल। ओ युद्ध करबाक लेल आगु गेल आ अरामके राजा कूशन रिश्आतइमके हुनका हाथमे द' देलक, तएं स' ओ कूशन-रिशातैम पर विजय भ' गेल।11तएं ओहि देशमे चालीस वर्षधरि शान्ति रहल। तब कनजीके पुत्र ओत्नीएल मारि गेल।12तएं इजराएलीसबके सन्तानसब फेरुस' जे यहोवाके नजरिमे दुष्ट रहए ओहे कएलक। तब यहोवा मोआबके राजा एग्लोनके इजराएलीसबके विरुद्धमे ओकरा बलवान बनादनि। किएक त ओसब यहोवाके नजरिमे दुष्ट कएलनि।13तखन अम्मोनी आ अमालेक एकजुट भ' गेल आ ओसब इजराएलीसबस' युद्ध कएलनि, आ ओसब खजूरके शहरके अधीन क' लेलक।14तएं इजराएलीसबके सन्तानसब मोआबके राजा एग्लोनके अधीनमे अठार वर्षधरि सेवा कएलक।15जखन इजराएलीसबके सन्तानसब यहोवाके बाजओलक, तब यहोवा इजराएलीसबके सन्तानसबके लेल एकटा छुटकारा कएनिहारके गेराके बिन्यामीनके बेटा एहूद, हुनका ठाढ़ कएलनि, ओ बममरेटिया छल। इजराएलीसबके सन्तानसब मोआबके राजा एग्लोनके लेल कर दैत छल।16तखन एहूद अपन लेल एकटा दुधारी छुरी बनौलनि आ ओकर ओ अपना कपड़ामे दहिना जांघके नीचा नुकाक' बान्हि लेलक। 17तब ओ मोआबके राजा एग्लोन ल' कर देबएलेल गेल। एग्लोन बेसी मोटाएल छल।18आब ई भेल की जखन एग्लोन अपन कर बोकनिहारसबके पठा देलक।19मुदा ओ अपने-आपके गिलगालके मूर्ति लगस' घुमि गेल, आ ओ कहलक, “हे महाराजा, अहाँके लेल हमरा ल' किछु गुप्त सन्देश अछि।” राजा कहलक, “चुप भ' जो!” जे केओ एहूदके चारुदिस ठाढ़ भेल छी से सब बहार चलि जाउ।20तब एहुद हुनकालग आएल। तब ओ छतके शीतल कक्षमे बैसल छल, ओ ओहि समय एसगरे छल। एहूद कहलक, “हमरालग अहाँके लेल परमेश्वरके किछु सन्देश अछि”, तब ओ अपन बैसल राजगद्दीस' ठाढ़ भ' गेल।21तखन एहूद अपन बममरेटिया हाथ पसरिक आ अपन दहिना जांघमे नुकाक' रखने छुरी निकालिक', ओकरा अपन पेटमे जोरस' घुसा देलक।22छुरीके नोख भीतर धरि चलि गेल आ मोट भेलास' ओ पेटमे अड़ैक गेल आ ओकरा नहि निकालि सकल,23एहूद ओहि कक्षमेस' बाहर आबिक' ओ शीतल कक्षक दरबज्जाके बंद क देलक।24जखन एहूद निकलिक' चलि गेल तब राजाके नोकरसब भीतर आएल। ओसब देखल की कक्षक बंद अछि। तखन ओसब कहए लागल, “राजा जरुर सौंच करएलेल बैसल होएत।”25ओसब बहुत देर धरि प्रतीक्षा कएलाके बाद, ओसब देखलक शीतल कक्षके दरबाजा नहि खोलि रहल अछि। तएं ओसब दरबज्जाके कुंजी ल क खोललक त ओसब देखलनि की हुनकासबके राजा भूमि खसिक' मरि गेल छल।26ओहिके बाद एहूद जल्दीस' ओकरासबमेस' निकलिक' सेइरेमे भागि गेल।27आब एना भेल जे ओ इफ्राइमके पहाड़के देशमे आबिक' नरसिंगा बजौलक। तब इजराएलीसबके सन्तानसब हुनकासंगे पहाड़के देशके नीचा धरि गेल आ एहूद ओकरासबस' आगु छल।28तखन ओ ओकरासबके कहलनि, “हमरा पाछु आउ, किएक यहोवा अहाँके दुश्मन मोआबीसबके अहाँके हाथमे द' देने अछि।” तएं ओसब हुनकासंगे गेलनि आ ओसब यरदनके आगुके देश मोआबके कब्जा क' लेलक। तखन ओसब केकरो ओकरा पार करबाक लेल अनुमति नहि देलक।29तएं ओसब ओहि समय मोआबीसब पर आक्रमण कएलक, ओसब दस हजार पुरुष छल, ओ सबकेओ हष्ट-पुष्ट आ बलवान छल, मुदा तथापि ओकरासबमेस' केओ नहि बांचि सकल।30मोआब ओहि दिनस' इजराएलीसबके अधीन भ' गेल, आ भूमि अस्सी वर्षधरि शान्ति रहल।31हुनका बाद शमगर, अनातके पुत्र न्यायकर्ता भेल, ओ पलिश्तीपर आक्रमण कएलक, बैलके मारबला चामुकस' छौसयो लोकसबके मारि देलक। शमगर सेहो इजराएलीसबके छुटकारा देनिहार भेल। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67