Joshua21
1तखन लेवीसबके पूर्वजसबके मुखियासब एलीआजर पुजारी, आ नूनके बेटा यहोशू, आ इजराएलीसबके वंशके पूर्वजसबके मुखियासब ल क आएल।2ओसब ओकरासबके कनानके शीलो नगरमे कहए लागल, “यहोवा मूसाद्वारा हमरासबके रहबाक लेल आ हमरासबके मालजालसबके चरन लेल भूमि देबनि कहने रहए।” 3तएं इजराएलीसब यहोवाके वचनके अनुसार ओसब अपना अंशमे ओ शहरसब, मालपशुसबके चरला, लेवीसबके भूमि देलक।4कहातिसबके वंशके नामपर' चिट्ठा पड़ल। हारून पुजारी लेवीसब स' यहूदाके वंशस', शिमोनिके वंशस', आ बिन्यामीनके वंशमेस' तेरह शहरसब अंशके रुपमे पौलक।5कहातीके बांकि सन्तानसब इफ्राइमके वंशस' चिट्ठा द' क', दानके वंशस' आ मनश्शेके आधा वंशसबमेस' दसटा शहरसब देल गेल।6तखन गेर्शोनिसबके सन्तानसब इस्साकारके वंश, आशेरके वंश, नप्तालीके वंश, आ बाशानमे रहनिहार मनश्शेके बांकि आधा वंशमेस' तेरह शहरसब चिट्ठा द' क' देल गेल।7मरारीके सन्तानसबके ओकरासबके वंशसबके अनुसार रूबेनके वंश, गादके वंश आ जबूलूनके वंशसबमेस' बारहटा शहरसब देल गेल।8तएं इजराएलीसबके सन्तानसब लेवीसबके चिट्ठा द' क' शहरके संगे चरबला स्थानसब सेहो देलक जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने अनुसार द' देलक।9यहूदाके वंशस' आ शिमोनके वंशके देल गेल यी शहरसबके नाम अछि;10यी शहरसब लेवीके वंशस' कहातिके वंश हारूनके सन्तानसबके छल, किएक पहिन चिट्ठा हुनका नाम पड़ल।11ओसब हुनकासबके यहूदाके पहाड़के देश किर्यतअर्बा जिनकर पिता अनाक छल जे हेब्रोन अछि संगे चारुदिस चर बलाके देलक12मुदा ओहि शहरके खेतसब आ गामसब, हुनकासबके यपुन्नेके बेटा कालेबके अधिकारमे द' देलक।13हारून पुजारीके सन्तानसबके हेब्रोन लेहूके बदला लिअएबला शरणस्थलके सहर संगे चरबला भूमि, संगे लिब्नाके चरबला भूमि देलक,14यत्तीर, आ एश्तमो,15आ होलोन, दबीर,16ऐन, युत्ता, आ बेतशेमेश संगे चरबला भूमि; ओहि दूटा वंशसबके संगे नौटा शहरसब देलक।17बिन्यामीनके वंश अपना अंशमे स' गिबोन, गेबा,18अनातोत आ अल्मोन ओहिसंगे चरबला चारटा सहर रहए।19हारून पुजारीके सन्तानसबके जम्मा तेरहटा शहरसब संगे चरबला रहए।20लेवीके वंशके कहातीके बांकि वंशके — हुनकासबके इफ्राइमके वंशस' अंशके रुपमे यी शहरसब भेटल।21ओसब ओकरासबके शेकेम लेहूके बदला लिअएबला शरणस्थलके सहर संगे इफ्राइमके पहाड़के देश संगे चरबला भूमि, गेजेर,22आ किबसैम, आ बेथोरोन ओहिसंगे चरबला भूमि देलक — चारटा शहरसब।23दानके वंशमेस' ओकरासबके गिब्बतोन, एलतके,24आ अय्यालोन, आ गत्रिम्मोन संगे चरबला भूमि देलक — चारटा शहरसब।25मनश्शेके आधा वंशमेस' हुनकासबके तानाक आ गत्रिम्मोन संगे चरबला भूमि देलक — दूटा शहरसब।26कहातिसबके कुलके बांकि वंशमे जम्मा दसटा शहरसबके संगे चरबला भूमि सेहो देलक।27गेर्शोनिके लेवी वंशसबके, मनश्शेके आधा वंशमेस' बाशानके गोलन लेहूके बदला लिअएबला शरणस्थलके सहर आ बेशतरा संगे चरबला भूमि देलक — दूटा शहरसब।28इस्साकारके वंशस' किश्योन, दाबरातके चरबला भूमि,29यमूर्त, आ एनगन्नीमसंगे चरबला भूमि — चारटा शहरसब।30आशेरके वंशस' मिशाल, अब्दोन,31हेल्कात, आ रहोबसंगे चारटा शहरसब देलक।32नप्तालीके वंशमेस' गलीलके केदेशके देश लेहूके बदला लिअएबला शरणस्थलके सहर संगे चरबला भूमि, आ हम्मोतदोर, आ कर्तान संगे चरबला भूमि देलक — तीनटा शहरसब।33गेर्शोनके वंशके अनुसार हुनकासबके तेरह शहरसब संगे चरबला भूमि देल गेल।34लेवीसबके बांकि वंश मरारीके वंशसबके — जबूलूनके वंशमेस' योकनाम, कर्त्ता,35दिम्ना, आ नहलालके चरबला भूमि संगे देलक — चारटा शहरसब36रूबेनके वंश अपन अंशमे स' बेसेर, यहस,37कदेमोत, आ मेपात संगे चरबला भूमि देलक — चारटा शहरसब।38गादके वंशमेस' गिलादके रामोत लेहूके बदला लिअएबला शरणस्थलके सहर संगे चरबला भूमि, आ महनैम,39आ हेशबोन, आ याजेर संगे चरबला मिलाक चारटा शहरसब देलक।40लेवीसबके बांकि वंशके मरारीके वंशसबके अनुसार चिट्ठा लागल क' बारह शहरसब देल गेल।41इजराएलीसबके अधिकारमे रहल भूमि संगे चरबला स्थानसब मिलाक' अड़तालीसटा लेवीसबके शहरसब भेल।42यी शहरसबके अपना चरबला स्थानसब रहए। आ सबटा शहरसब एहने रहए।43तएं यहोवा इजराएलीसबके पूर्वजस' कएने प्रतिज्ञाके देश हुनकासबके देलथिन आ ओसब ओहि देशके अपन अधिकारमे ल क ओहिमे रह लागल।44तखन यहोवा हुनका पूर्वज' कएने प्रतिज्ञा अनुसार चारुदिसस' विश्राम देलक, हुनका सामने एकटा केओ शत्रु खड़ा नहि भ' सकल। यहोवा हुनकासब शत्रुके अधीन क' देलक।45यहोवाद्वारा कहल उत्तम बात इजराएलीसबके कहने रहए ओहिमे कोनो बात गलत नहि ठहरल; सबटा बात पूरा भेल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.