Genesis12
1 तखन यहोवा अब्रामके कहलनि, “जत एखन रहैत छी ताहि देशके छोड़ि दिऔ। अपन पिताके कुल आ हुनकर परिवारके छोड़ि दिऔ, ओहि देशमे जाउ जे हम अहाँके देखाबए।2हम अहाँक वंशजके जातिक विशाल समूह बना देब। हम अहाँके आशीष देब आ अहाँके प्रसिद्ध बनादेब। हम अहाँक लेल जे करब से दोसरोके लेल आशीष होएत।3 जे अहाँके आशीष देत ओकरा हम आशीष देब, आ अहाँके संग दुष्टकाज कएनिहारके हम सराप देबै। हम अहींद्वारा पृथ्वीपरके सबटा कुलके आशीष देब।”4तखन अब्राम हारान छोड़ि देलथिन, जेना यहोवा ओकरा कहने रहनि। अब्राम पचहत्तरि वर्षक रहथि त' ओ अपन परिवार आ लूतक परिवारके संग ओतएस' चलि गेलथि।5 अब्राम अपन पत्नी सारै आ अपन भतिजा लूतके ल' गेलाह; हारानमे जे सम्पत्ति आ दाससब पएने रहथि, से सब किछु अपनासंगे ल' गेलाह। ओत' स' विदा भ' क' कनान देशमे चलि गेलाह।6कनानमे अब्राम शेकेम धरि गेलथि आ मोरेक नामक एकटा बड़का झमटगर गाछ ल क डेरा खसा लेलथि। जखन ई भेल, त' ओहि ठाम कनानक लोकसब रहैत छल।7 तखन यहोवा अब्रामके प्रगट भ' क' कहलनि, “हम ई देश अहाँके वंशजके द' देब।” तब अब्राम एकटा वेदी बनौलनि जे हुनका प्रगट भेल, यहोवाके बलि चढ़ाबि सकथि।8अब्राम आ ओकर परिवार शेकेमस' चलिक', बेतेलस' पूर्वमे रहल पहाड़ धरि यात्रा कएलनि। जाहि ठाम ओसब अपन डेरा खसौने छलथि, ताहिस' पश्चिममे बेतेल छल आ पूर्वमे आई शहर छल। ओतए ओ एकटा दोसर वेदी बनौलनि आ बलि चढ़एलनि आ ओत' यहोवाके आराधना कएलनि।9अब्राम ओतहिस' विदाह भेलाह आ दक्षिणमे नेगेव मरुभूमि दिस बढ़लाह।10 ओहि देशमे अकाल पड़ि गेल छल, तएं अब्राम आओर दक्षिण दिस जा क किछु समयलेल मिस्र देशमे रहए लगलाह, किएक त' ओहि देशमे भोजनक बहुत बेसी अभाव रहैक।11जं ओसब मिस्रदेशके लगमे आबिरहल छलाह, अब्राम अपन पत्नी सारैके कहलनि, “सुनू, हम जनैत छी जे अहाँ बहुत सुन्दर स्त्री छी।12जखन मिस्रमे लोकसब अहाँके देखक' कहत जे, ‘ई स्त्री हुनकर पत्नी अछि!’ त' हमरा मारि देत, मुदा अहाँके नहि मारत।13 तएं हम अहाँके कहैत छी जे अहाँ ओकरासबके कहबनि जे अहाँ हमर बहिन छी, जाहिस' हम बंचि जाएब आ अहाँक कारण ओसब हमर जान छोड़ि देत।”14 आ ओहिना भेल। अब्राम मिस्र पहुंचिते मिस्री लोकसब देखलक जे हुनकर पत्नी ठीके बहुत सुन्दर छथि।15 राजाके अधिकारीसब हुनका देखि राजाके कहलनि जे ओ कतेक सुन्दर छथि। तखन राजा हुनका अपन महलमे ल' गेलनि।16सारैके कारण राजा अब्राम स' नीक व्यवहार कएलनि आ ओ अब्रामके भेंड़ बकरीके हेंड़, मवेशी, गदहा, स्त्री-पुरुष दाससब आ ऊंट देलनि।17मुदा राजा अब्रामक पत्नी सारैके ल' गेलाक कारण यहोवा राजाके आ ओकर घरक आन लोकसबके भयंकर रोगक विपति पठएलनि।18तब राजा अब्रामके बजाकए कहलनि, “अहाँ हमरासंगे बड़ भयानक काज कएलहुं! अहाँ किएक ने कहलहुं जे ओ अहाँके पत्नी छथि?19अहाँ किएक कहलहुं जे ओ अहाँक बहिन छथि, जाहिस' हम हुनका अपन पत्नी बनाबएलेल ल गेलहुं? अहाँके एना नहि कएने रहिती! आब पत्नीके ल' क' एतस' चलि जाउ!”20 तेकरबाद राजा अपन अधिकारीसबके आदेश देलनि जे अब्राम आ ओकर पत्नी आ ओकर सारा सम्पत्ति ल' क' मिस्र देशस' बाहर निकालि दिऔ।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.