Acts26

1एहिस' राजा अग्रिप्पा पौलुसस' कहलनि, “आब अहाँ अपन बात राखि सकैत छी।” तखन पौलुस हाथ पसारिक' अपन बचाबमे बोलए लागल।2“ई सब यहूदी अगुवासब हमरापर जाहि सब बातक आरोप लगा रहल अछि, यौ राजा अग्रिप्पा! हम स्वयंके धन्य बुझति छी जे आइ हम अहाँक समक्ष अपन बचाव करब।3खास क' जखन की अहाँ यहूदीसबहक रीति-रिवाज आ ओकर विवाद स' सेहो परिचित छी। तएं हम आग्रह करैत छी जे धैर्यपूर्वक हमर बात सुनलिऐ।4हम अपन बचपनेस' ल' क' जे तरीकास' जिऐत छी से शुरुस' हमर जातिसब आ यरूशलेममे यहूदीसब सेहो जनैत अछि। 5हमरा शुरुएस' चिन्हैत ओसब गवाही द' सकैत छथि, जं ओसब इच्छुक होथि, हम फरिसीके रुपमे जीवन जिऐत छलहुं, जे हमरासबहक धर्मक सबस' कट्टरपन्थी दल सबमेस' एक अछि।6आब हम एत' ठाढ़ भ' रहल छी जे परमेश्वरद्वारा हमरासबहक पूर्वजसबस' जे प्रतिज्ञा कएल गेल छल, ओहिमे हमर निश्चित आशाक कारणे न्याय कएल जा रहल अछि।7कारण, इजराएलीसबके बारह कुलसब राति-दिन ई आशा पाबएलेल एक चित स' परमेश्वरक आराधना करैत अछि। एहि निश्चित आशाक' कारणे यौ राजा अग्रिप्पा, हमरापर यहूदी अगुवासबद्वारा आरोप लगाओल जा रहल अछि।8अहाँसबमेस केओ किएक एना निर्णय लैत छी जे परमेश्वर मृतकसबके जीवित नहि क' सकैत छथि?9आब, नासरतक यीशुक नामक विरुद्ध बहुत किछु कारबाहि होएबाक चाही से हमहूं सोंचैत छलहुं।10हम यरूशलेममे ई काजसब कएने छलहुं। एतधरि जे हम बहुते परमेश्वरके पवित्र जनसबके जहलमे बंद क' देलिऐ, आ मुख्य पुजारीसबस' अधिकार ल' क', मसीहमे विश्वासीसबके मृत्युदण्ड देल जाइत काल हम हुनकासबहक विरुद्ध सेहो सहमत छलहुं।11प्राय सब सभाघरमे ओकरासबके सजाय दैत हम ओकरासबके जबरदस्ती परमेश्वरके निन्दा क' क' विश्वास त्याग करबाक लेल कहैत छल। हम ओकरासबपर एतेक क्रोधस' उन्मत भ' दोसरो शहरसबमे ओकरासबके सतबैत छलहुं।12जखन हम ई काज क' रहल छलहुं तखन हम मुख्य पुजारीसबके अधिकार आ आदेश ल' क' दमिश्क गेलहुं।13यौ राजा, ओत' जाइत काल दुपहरमे, हम स्वर्गस' एकटा इजोत देखलहुं जे सूर्यस' बेसी तेज छल आ ओ हमरा आ हमरासंग यात्रा करएबला लोकसबके चारुकात चमकि रहल छल।14जखन हमसब जमीनपर खसि पड़ल रही त' हम इब्रानी भाषामे एकटा आवाज सुनलहुं जे, ‘यौ साउल, यौ साउल अहाँ हमरा किएक सतबैत छी? अहाँसबहक लेल चोभियाबला कांटीपर लात मारब कठिन अछि।’15तखन हम कहलिएनि, ‘हे प्रभु, अहाँके छी?’ प्रभु उत्तर देलथिन, ‘हम यीशु छी जिनका अहाँ सतबैत छी।16आब उठू आ अपन पयरपर ठाढ़ भ' जाउ। कारण, हम अहाँ लग एहिलेल प्रगट भेलहुं जे अहाँ हमरा विषयमे जे किछु देखलहुं आ जे हम अहाँके भविष्यमे देखाएब, ताहि दुनू विषयमे अहाँके सेवक आ गवाह बनएबाक लेल। 17हम अहाँके अपन आदमी आ गैर-यहूदीसबके हाथस' बचाएब, जेकरालग हम अहाँके पठा रहल छी,18ओकरासबहक आंखि खोलबाक लेल, जाहिस' ओसब अन्हारस' इजोतमे आ शैतानक अधिकारस' परमेश्वर दिस घुमि सकए। एहि तरहें ओसब पापस' क्षमा पओताह, आ हमरा उपरके विश्वास द्वारा पवित्र जनके स्थान ओसब सेहो उत्तराधिकार प्राप्त करत।’19इहे कारण हे राजा अग्रिप्पा, हम स्वर्गीय दर्शनके विरुद्ध अनाज्ञाकारी नहि भेलहुं।20मुदा, पहिने दमिश्कमे रहनिहारसबके, फेरु यरूशलेममे रहनिहारसबके आ यहूदिया प्रान्तके समस्त क्षेत्रमे आ गैर-यहूदीसबके सेहो पश्चातापक' क' परमेश्वर दिस घुरथि आ पश्चाताप करबाक योग्य काज करथि से हम प्रचार कएलहुं।21एहि कारणे किछु ई यहूदीसब हमरा मन्दिरमे पकड़ि लेलक आ हमरा मारबाक प्रयास कएलक।22एहिलेल हम आइधरि परमेश्वरक सहायता पाबिक' छोट-बड़ सबके गवाही देब लेल हम एहि ठाम ठाढ़ छी, जे प्रवक्तासब आ मूसाके कहल अवश्य पूरा होएत बातक बाहेक हम किछु नहि कहने छी।23मसीह कष्ट उठाओत आ मरलमेस' फेरुस' जीवित उठलमे स' पहिन भ' क' ओ हमरासबहक अपन लोक आ गैर-यहूदीसबके इजोतक प्रचार करथिन।” 24पौलुस अपन बचावमे ई बात कहलाक बाद फेस्तुस हस्तक्षेप करैत डांटिक' जोरस' कहलथिन, “पौलुस, की अहाँ बताह छी। अहाँक' पैघ शिक्षा अहाँके बताह बना देने अछि।”25मुदा पौलुस कहलथिन, यौ आदरणीय फेस्तुस, “हम पागल नहि छी, मुदा हम सत्य आ विवेकपूर्ण बात कहि रहल छी।26किएकत' राजा अपने एहि सब बातस' अबगत छथि, तएं हम हुनकास' निर्भीकतापूर्वक बजैत छी, किएकत' हम मानि लेने छी जे एहिमेस' कोनो बात हुनकास' नुकाएल नहि अछि। किएकत' ई काज गुपचुपमे नहि भेल छल।”27तब पौलुस हुनका कहलनि, “हे राजा अग्रिप्पा, की अहाँ प्रवक्तासबपर विश्वास करैत छी? हम जनैत छी जे अहाँ विश्वास करैत छी।”28तखन अग्रिप्पा पौलुसके फेरु हस्तक्षेप क' क' कहलथिन, “की किछुए कालमे अहाँ हमरा मसीही बनएलेल मनाबए चाहैत छी?”29मुदा पौलुस उत्तर देलथिन, “हम परमेश्वरस' प्रार्थना करैत छी जे कोनो तरहें, कम समयमे आ बहुत समयमे, अहाँ मात्रे नहि, मुदा आइ जे सब हमर ई बात सुनैत छथि, मुदा जहलक झिझिर बाहेक ओसब सेहो ओहिना भ' जाए जेना हम छी।”30जं पौलुस अपन बचाबमे बजैतकाल राजा, राज्यपाल, बरनिकी आ हुनकासबहक संग बैसल लोकसब ठाढ़ भ' गेलाह।31जखन ओसब सभा भवनस' चलि गेलाह त' ओसब एक-दोसरस' बात करैत कहलनि, “ई लोक मृत्युदण्ड पएबाक वा जहलमे जएबाक एहन कोनो काज नहि कएने छथि।”32तखन अग्रिप्पा फेस्तुसके कहलथिन, “जं ओ कैसरक समक्ष अपील नहि कएने रहितथि त' हुनका छोड़ल जा' सकैत छल।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67