Acts27
1जखन फेस्तुस निर्णय लेलनि जे हमरासबके पनियां जहाजस' इटली देश जएबाक निर्णय भेल त' ओसब पौलुस आ किछु आओर कैदीसबके औगुस्तुस' सेनाके कप्तान जेकर नाम यूलियुस रहैक ओकरा जिम्मा लगा देलक।2तखन हमसब अद्रमुतियुम शहरस' आसिया प्रदेशक' आन बंदरगाह होइत जाएबला एकटा जहाज चढ़िक' ओत' स' हमसब विदा भेलहुं। थिसलुनिका शहर मकिदुनिया प्रान्तके अरिस्तर्खुस हमरासबहक संग रहए।3दोसर दिन हमसब सीदोन नगरके बंदरगाहमे उतरलहुं, जत यूलियुस पौलुसक' संग दयालु व्यवहार कएलनि आ हुनका अपन मित्र सबलग जा' क' जरुरी देखभाल खातिर अनुमति देलनि।4ओत' स' हमसब समुद्रमे यात्रा शुरु कएलहुं आ बिहारिके कारणे साइप्रस द्वीपस' ल' क' जहाज आगु बढ़ि गेल, कारण जे हवा हमरासबहक विरुद्ध छल।5जखन हमसब किलिकिया आ पंफूलिया समुद्री तटके गामसब दिसके समुद्र पार क' क' लुकियाक नगर मूरा पहुंचलहुं।6ओत' सिकन्दरियास' इटली जा रहल जहाज भेटला पर सेनापति हमरासबके ओहि जहाजपर बैसा देलनि।7जखन हमसब बहुत दिन धरि धीरे-धीरे जहाज चलाक' अन्तत कनिदुस नगरक' लगमे कठिनाइस' पहुंचलहुं त' बिहारि हमरासबके ओहि बाट नहि जाए देलक, तएं हमसब क्रेत द्वीपक' आश्रयमे सलमोन नगरक आगुस' चलि गेलहुं।8हम लोकनि कठिनाइस' जलयात्रा क' क' “असल शरण” नामक एकटा बंदरगाह पर नहि पहुंचए धरि आगु बढ़ैत गेलहुं, जे लसिया शहरक लगमे अछि।9मुदा बहुत समय बित गेल छल, आ यात्रा पहिनेस' भयावह भ' गेल छल, किएकत' यहूदीसबहक प्रायश्चित के उपास सेहो पहिने बित गेल छल। तएं पौलुस हुनकासबके चेतावनी देलथिन।10ओकरासबके कहलकनि, “यौ लोकसब, हम देखैत छी जे यात्रामे दुख आ बहुत नोक्सान होएबला अछि, मालसमान आ जहाजक मात्रे नहि, मुदा हमरासबहक जीवनक' सेहो ओतेक खतरा अछि।”11मुदा रोमी अधिकारी पौलुसके बात नहि मानिक', ओ जहाज कप्तानसबके आ जहाजके मालिकके बात मानलक, आ ओसब जे किछु सुझाव देलनि ओ ओएह करबाक निर्णय लेलक।12जाड़क समय बिताबएलेल ई फीनिक्स शहरके बंदरगाह पर कठिनाइ होएबाक कारणे अधिकांश नाविकसब निर्णय लेलनि जे जं' कोनो तरहें फीनिक्स नगर धरि पहुंच सकथि त' ओतहि जाड़क समय बिताबथि—एकटा बंदरगाह क्रेत, जेकर मुंह दक्षिण पश्चिम दिस आ उत्तर पश्चिम अछि।13जखन दक्षिणी हवा मन्द-मन्द बहए लागल तखन नाविकसब सोंचलक जे ओकरासबके जे किछु चाही से मिलि गेल अछि। तएं ओसब लंगर निकाल क' क्रेत द्वीपक' काते-काते आगु बढ़ए लागल।14मुदा किछुए समयके बाद ओहि द्वीपस' उत्तर-पूर्वी अन्हड़-बिहारि जोरस' चलए लागल।15जखन जहाज अन्हड़-बिहारिमे फंसि गेल आ अन्हड़-बिहारिके सामना नहि क' सकल तखन हमसब जहाजके अन्हड़-बिहारिमे छोड़ि देलिऐ आ जहाज अन्हड़-बिहारिके दिशामे आगु बढ़ए लागल।16तखन हमसब कौदा नामक एकटा छोट द्वीपक तटमे चलि गेलहुं आ बहुत कठिनस' जीवन रक्षक नावके वशमे करए सक्षम भेलहुं।17जखन ओसब जीवन रक्षक नावके उपर उठाक' ओकर रस्सास' जहाजक पतवारके बान्हि देलक। ओकरासबके डर रहए जे कहूं सुरतिसक बालुमे फंसि नहि जाए, तएं समुद्रक लंगर उतारि देलक आ जहाज अपने बहए लागल।18मुदा हमरासबके अन्हड़-बिहारि एतेक जोरस' उठा उठाक' पटक' लागल आ दोसर दिन ओसब मालसमानके पानिमे फेकए लागल।19तेसर दिन नाविकसब अपन हाथस' जहाजक बेसी काठ आ रस्सा जेहन सामानसबके पानिमे फेक देलक।20जखन बहुत दिन धरि नहि रौद आ नहि तरेगन देखाइ देलक, तखनस' हमसब बंचि जाएब से आशा छोड़ि देली।21जखन ओसब बहुत दिन धरि भोजन नहि कएलक तखन पौलुस नाविक सबहक बीच ठाढ़ भ' क' कहलथिन, “अहाँसबके हमर बात सुनि क्रेतस' जहाज आगु नहि बढ़ल रहितहुं त' एहि तरहें देख आ हानि नहि भेल रहित।22मुदा आब हम अहाँसबस' आग्रह करैत छी जे साहस करु, किएकत' अहाँसबहक बीच केकरो जीवन नोक्सान नहि होएत, मुदा नाव नाश भ' जाएत।23किएकत' काल्हि राति ओहि परमेश्वरक स्वर्गदूत हमरा बगलमे ठाढ़ भ' गेलाह, जिनकर हम छी आ जिनकर हम आराधना करैत छी।24ओ हमरास' कहलथिन, ‘पौलुस, डेराउ नहि। अहाँके रोमी सम्राट कैसरक आगु ठाढ़ होबएके अछि आ देखू, परमेश्वर अपन कृपास' अहाँके हाथमे ओहि सब लोकके प्राण सोंपि देने छथि जे अहाँक संग जहाजपर चढ़ल छथि।’25तएं, यौ मित्र लोकनि, साहस करु! कारण, हमरा परमेश्वरपर भरोसा अछि जे ई ठीक ओहिना होएत जेना हमरा कहल गेल अछि।26मुदा अपनासबके कोनो द्वीपपर जहाज ठोकाबए पड़त।”27जं आन्हर बिहारि अएलाह चौदहम राति भेल, जखन हमरासबके आद्रियाक सागरमे एमहर-ओमहर भगाओल गेल छल, तखन लगभग अधरतियामे नाविकसब सोंचलक जे ओसब कोनो जमीनक लग आबि रहल अछि।28तएं ओसब गहिंराइ नपलनि त' अस्सी हाथ पओलक। मुदा जखन ओसब कनिके आगु बढ़ला पर फेरु नाप लेलक। आ ओसब साठि हाथ पओलक।29किएकत' ओसब डेराइत छल जे हमसब कतहु पत्थलस' नहि तेकरा जाए, तएं ओसब चारिटा लंगरके जहाजके पाछुस' उतारिक' भोर होबएलेल प्रार्थना करए लागल।30मुदा नाविकसब जहाज छोड़ि भगबाक प्रयासमे छल आ जीवन रक्षक नावके समुद्रमे उतारि देलक, जेना ओसब जहाजक आगुके भागस' लंगर उतारए जा' रहल होए।31मुदा पौलुस सेनापति आ सिपाहीसबके कहलथिन, “जखनधरि ई नाविकसब जहाजमे नहि रहत, ताधरि अहाँसब नहि बंचि सकब।”32तखन सिपाहीसब जीवन रक्षक नावके रस्सा काटिक' ओकरा बहएलेल छोड़ि देलक।33जखन भिनसर होबएबला छल तखन पौलुस सबके किछु भोजन करबाक लेल आग्रह कएलनि। ओ कहलनि, “आइ चौदहम दिन अछि आ एखनधरि अहाँसब किछु नहि खएने छी।34तएं हम अहाँसबस' आग्रह करैत छी जे किछु भोजन क' लिअ जे अहाँके उद्धार भ' सकैत अछि। किएकत' अहाँक माथके एकोटा केश नाश नहि होएत ।”35ई बात कहिक' पौलुस रोटी ल' क' सबहक समक्ष परमेश्वरक धन्यवाद देलथिन। तखन रोटी तोड़ि खाए लगलाह।36तखन ओकरासबके हौसला बढ़ल आ ओसब सेहो भोजन खएलनि।37जहाजमे हमरासबके जम्मा 276 गोटेके जीवन छल।38जखन ओसब पर्याप्त भोजन क' लेलक तखन ओसब गहुम समुद्रमे फेकक' जहाजके हलुक क' लेलक।39जखन दिन भेल तखन ओसब ओहि देशके नहि चिन्हलक, मुदा एकटा बलुआह क्षेत्र देखलक जाहिपर समुद्रक कात छल, जत' ओसब जहाज ओतहि लगा सकैत अछि।40ओसब लंगर सबके काटिक' समुद्रमे छोड़ि देलक। संगे-संगे पतवारक रस्सा ढील क' क' आगुके तम्बू हवामे उठएने समुद्रक तट दिस आगु बढ़ओलक।41मुदा ओसब ओहि ठाम पहुंचलाह जत दूटा धार मिलैत छल आ जहाज जमीनमे ठेक गेल। तखन जहाजक आगुके भाग ओतहि अटकि गेल आ भंसति चलि गेल, मुदा लहरिके झोंक स' जहाजके पाछुक भाग टुटैत चलि गेल।42बंदीसब हेलक' नहि भाग सकए ताहिके लेल सिपाहीसब कैदीसबके मारि दिअके योजना बनओने छल।43मुदा सेनापति पौलुसके सुरक्षित राखए चाहैत छलाह। तएं ओ ओकरासबहक योजनाके रोकि देलनि। आ जे हेल सकैत छल ओकरा पहिने कुदिक' जमीनपर पहुंचबाक आदेश देलक।44तखन बांकी लोकसब पटहा पर बैसल आ किछु जहाजपर स' आन वस्तुपर पाछु-पाछु चलए लागल। एहि तरहें हमसब सुरक्षित जमीनपर आबि गेली।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.