Luke6
1एगो विश्राम-दिन, यीशु आ हुनकर चेलासब गहुम खेत दने जाइत छलनि, त' हुनक चेलासब गहुमक किछु बालिके तोड़ि लेलनि आ हाथमे मिजक' भूंसा उड़ाक' ओसब गहुम खा' लेलनि। 2किछु फरिसीसब ई देखैत रहए। ओसब हुनका पुछलनि, “अहाँसबके एहि प्रकारक काज नहि करबाक चाही! हमरासबके व्यवस्था अनुसार हमरासबके विश्राम-दिन काज करबाक लेल निषेध कएने अछि!”3यीशु ओहि फरिसीसबके फेरु कहलथि, “पवित्र शास्त्र ओहि विषयमे की कहैत अछि से नहि पढ़ने छी जे दाऊद कएने रहथि जहिया ओ आ हुनका संगमे रहल लोकसब भूखल रहैक?4जेना अहाँसब जनैत छी जे दाऊद परमेश्वर घर जिनका तम्बू कहैत छल ओहिमे पैसलथि आ किछु खाएलेल मंगलनि। पुजारी हुनका ओ रोटी देलनि जे परमेश्वरके आगु राखल गेल रहए। दाऊद खएलनि आ ओ ओहि लोकसबके सेहो देलनि जे हुनकासंगे रहैक, मुदा व्यवस्था अनुसार एना ओ नहि क' सकैत छलनि। ई रोटी पुजारीए मात्र खाए सकैत छल।” 5यीशु ओकरासबके ईहो कहलनि जे, “हम, मनुष्यक पुत्रके विश्राम-दिन लोकसबके की करब ठीक अछि से निर्धारण करबाक प्रभुत्व अछि!”6दोसर विश्राम-दिन यीशु सभाघरमे गेलनि आ लोकसबके शिक्षा देब लगलनि। ओतए एकटा मनुष्य रहैक जे अपन दहिना हाथके नहि हिलाबि सकैत छलनि।7यहूदी व्यवस्थाके किछु शिक्षक आ किछु फरिसीसब ओतए सेहो छलनि आ यीशुके ध्यानस' देखैत छलनि। ओसब देखए चाहैत रहैक जे ओ ओहि व्यक्तिके चंगा करथिन वा नहि। जं ओ चंगा करथिन त' ओसब हुनकापर विश्राम-दिनमे काज करबाक विषयमे हुनक व्यवस्थाके अवहेलनाके आरोप लगबितै।8मुदा जे किछु ओसब सोंचि रहल छल से यीशु जनैत छलथि। एहिलेल सुखल हाथबला व्यक्तिके कहलनि, “एत आबिक' सबके आगु ठाढ़ भ' जा!” ओ व्यक्ति उठिक' ठाढ़ भ' गेलनि।9तब यीशु ओकरासबके कहलनि, “हम अहाँसबके एकटा प्रश्न पुछए चाहैत छी व्यवस्था अनुसार जे परमेश्वर मूसाके देने छलथि, विश्राम-दिन लोकके उपकार करबाक आज्ञा दैत अछि? की विश्राम-दिन केकरो जीवन बचाबएके आज्ञा दैत अछि, वा ओकरा नाश करबाक आज्ञा दैत अछि?”10हुनका केओ नहि उत्तर देलकनि, एहिलेल ओ चारुदिस ओकरासबके देखलथि आ फेरु ओहि व्यक्तिके कहलथि, “अपन सुखल हाथके आगु करअ!” ओ व्यक्ति ओहिना कएलक आ ओकर हाथ फेरुस' नीकस' ठीक भ' गेल!11मुदा धार्मिक अगुवासब बहुत क्रोधित भ' गेलथि आ ओसब एक-दोसरस' एहि विषयमे चर्चा करए लगलथि जे ओसब यीशुस' छुटकारा पाबएलेल की करबाक अछि।12ओहि समय, यीशु प्रार्थना करएलेल पहाड़पर चढ़ि गेलनि। ओतए राति भरि ओ परमेश्वरस' प्रार्थना कएलथि।13दोसर दिन ओ अपन सब चेलाके अपनालग बजओलनि। ओकरासबमेस' बारह गोटेके चुनिक' प्रेरित बनौलनि।14ओकरासबके नाम ई रहैक: सिमोन, जेकर नवका नाम यीशु पत्रुस राखि देलथिन। पत्रुसके भाइ, अन्द्रेयास; याकूब आ ओकर भाइ; यूहन्ना; फिलिपुस, बरतुल्मै;15मत्ती, जेकर दोसर नाम लेवी रहए, थोमा, याकूब नामके दोसर व्यक्ति जेकर बाबूके नाम अल्फेयास छल, देशभक्त कहल जाएबला सिमोन,16याकूब नामके दोसर आदमीके बेटा यहूदा, आ यहूदा इस्करियोती, जे अन्तमे यीशुके धोखा देलक।17यीशु अपन चेलासबसंगे ओहि पहाड़स' उतरिक' एकटा समतल मैदानमे ठाढ़ भ' गेलथिन। ओत' हुनकर चेलासबके नमहर भीड़ रहए। ओत' एहनो लोकसबके नमहरे भीड़ रहए जे यरूशलेम आ यहूदिया प्रान्तस', आ आन ठामस' आ सूर आ सीदोन नगरके समुद्री क्षेत्रस' आएल छलनि।18ओ यीशुके हुनका शिक्षा दैत सुनएलेल आ ओसब अपन बेमारीस' ठीक होबए आएल छलनि। ओ ओहनो लोकसबके ठीक कएलखिन जेकरासबके दुष्टात्मासब सतएने रहए।19भीड़मे रहल सबकेओ हुनका छुबए चाहैत छलनि, किएकत' ओ अपन सामर्थ्यस' केकरो ठीक करैत छलथि।20ओ अपन चेलासब दिस देखक' कहलथि, “जे दीन-दुखी छी, ई अहाँसबके लेल नीक अछि किएकत' परमेश्वर अहाँपर शासन करैत छथि।21जे एखन भूखल छी अहाँसबलेल ई बहुत नीक अछि, कारण परमेश्वर अहाँसबके जे आवश्यकता अछि ओ देताह। अहाँसबलेल ई बहुत नीक अछि जे एखन दुखित छी, कारण परमेश्वर कहियो अहाँसबके आनन्दस' हंसौताह। 22ई बहुत नीक अछि जं दोसर लोक हमरा नामस' अहाँस' घृणा करैत अछि, जखन ओसब अहाँके अपमान करैत अछि आ अस्वीकार करैत अछि आ कहैत अछि जे अहाँ अधलाह छी कारण अहाँ हमरा, मनुष्यक पुत्रके पाछु चलैत छी।23एना होएत त' आनन्दित होएब! कुद-फान करु किएकत' अहाँ बड्ड खुश छी! ध्यान राखब जे परमेश्वर अहाँके स्वर्गमे एकटा नमहर इनाम देब' जा रहल छथि! ई नहि बिसरु जे लोक अहाँसंगे एहन व्यवहार क' रहल अछि, ओकर पूर्वजसब सेहो एहने काज बहुत पहिने परमेश्वरके प्रवक्तासबसंगे कएने रहैक।24मुदा जे धनीक छी तेकरालेल कतेक भयावह बात अछि। जे लाभसब अहाँके मिलबाक चाही से लाभसब पहिनेस' अहाँसबके मिलि गेल अछि।25भोजनस' भरपूर लोकसबलेल कतेक दुखके बात अछि जे बादमे भूखले रहब। धिक्कार अछि जे एहि समय हंसि रहल अछि। बादमे अहाँ बहुत दुखित भ' जाएब।26अहाँसबलेल ई कतेक दुखद अछि जे जं केओ अहाँके विषयमे नीक बात कहैत अछि। एहि तरहें, ओकरासबके पूर्वज सेहो झुट्ठा प्रवक्तासबके विषयमे नीके बातसब करैत रहए जे परमेश्वरके प्रवक्ता होबएके झुट्ठा दाबी करैत रहैक।27मुदा हम अहाँसबमेस' प्रत्येक गोटेके ई कहैत छी जे हमर बात सुनि रहल छी, अपन दुश्मनसबस' प्रेम करु, अपन मित्रसबस' मात्रे नहि! जे अहाँस' घृणा करैत अछि ओकरा भलाइ करु!28जे अहाँके सराप दैत अछि, ओकरालेल अहाँ परमेश्वरस' विनती करु जे ओ ओकरासबके आशीर्वाद देथि! जे अहाँसंगे दुर्व्यवहार करैत अछि ओकरालेल प्रार्थना करु!29जं कोनो आदमी अहाँके एक गालपर मारए त' अहाँ मुंह घुमाउ जाहिस' ओ अहाँके दोसरो गालपर सेहो मारि सकए। जं केओ अहाँके ओढ़ना लेबए चाहैत अछि त' ओकरा अहाँ अपन अंगा सेहो लेब' दिऔ।30जे मंगैत अछि ओकरा किछु ने किछु दिऔ। जं केओ अहाँके समान ल' लेत त' ओकरा घुराबएलेल नहि कहियौ।31जेना अहाँ चाहैत छी जे दोसर लोक अहाँसंगे व्यवहार करए, अहाँ ओकरासंगे सेहो ओहने व्यवहार करबाक चाही।32यदि अहाँ ओकरेस' मात्र प्रेम करैत छी जे अहाँस' प्रेम करैत अछि, त' ई अपेक्षा नहि राखू जे परमेश्वर अहाँके एना करबाक लेल पुरस्कृत करताह। पापी सेहो ओकरासंगे प्रेम करएबलास' प्रेम करैत अछि।33अहाँसंगे जे भलाइ करैत अछि अहाँ ओकरे भलाइ करैत छी त' परमेश्वरस' ई अपेक्षा नहि करु जे ओ अहाँके इनाम देथि। आखिर पापीसबके सेहो एहन काज करैत अछि।34जं अहाँ ओकरे मात्र पैसा वा सम्पत्ति उधार दैत छी जे अहाँके घुरा सकए, तखन परमेश्वरस' ई आशा नहि करु जे ओ अहाँके एना करबाक लेल इनाम देथि। पापीसब सेहो दोसर पापीके उधार दैत अछि जे ओकरा घुरा देत।35बल्कि अपन दुश्मनस' प्रेम करु! ओकरासबलेल किछु भलाइ करु! ओकरासबके उधार दिऔ, आ ओकरासबस' किछु फिर्ता पाबएके अपेक्षा नहि राखू! तखन परमेश्वर अहाँके नमहर इनाम देताह। आ अहाँसब सर्वोच्च परमेश्वरके सन्तान बनब, किएकत' परमेश्वर कृतघ्न आ दुष्टपर सेहो दया करैत छथि। 36तएं अहाँसबके दोसर लोकसंगे दयालु व्यवहार करबाक चाही जेना परमेश्वर पिता, लोकसंगे दयालु व्यवहार करैत छथि।37दोसर गोटेके कठोर आलोचना नहि करु। तखन परमेश्वर सेहो अहाँके कठोर आलोचना नहि करताह। दोसर लोकके दोषी नहि कहियौ। तखन परमेश्वर सेहो अहाँके दोषी नहि कहताह। अहाँसंगे जे अन्याय कएने अछि ताहिके लेल ओकरासबके क्षमा करु। तखन परमेश्वर सेहो अहाँके क्षमाक' देथिन।38आन लोकसबके दिऔ। त' परमेश्वर अहूंके देथिन। ई किछु एहन होएत जेना ओ अहाँके घरमे जे बर्तन अछि ओहिमे भरि भरिक' अनाज देबएके प्रयास क' रहल छथि। ओ अनाजके दाबि दाबिक' आ हिला हिला क' द' रहल छथि। जाधरि बर्तन भरि नहि जाए ताधरि ओ बर्तन भरैत रहथिन। तएं जखन अहाँ दोसरके देब त' एहन होएबाक चाही जेना अहाँ कोनो नमहर नापके प्रयोग क' रहल छी, किएकत' परमेश्वर, सेहो ओहि नापके प्रयोग अहाँके देबएलेल करताह।”39ओ अपना चेलासबके एहनो दृष्टान्त देलथिन, “एकटा आन्हर व्यक्तिके सड़कपर दोसर आन्हर व्यक्तिके अगुवाइ करएके प्रयास नहि करबाक चाही। यदि एना केओ कएलक त, ओ दुनूगोटे सड़क कातमे रहल खधियामे खसि पड़त!40कोनो चेला अपना गुरुस' नमहर नहि होइत अछि। मुदा जं एक बेर गुरु ओकरासबके शिक्षा द' क' दैत छथि, त' ओ चेला अपन गुरु सामान भ' जाएत।41अहाँमेस' केकरो दोसर व्यक्तिके छोट-मोट गलतके ध्यान नहि देब चाही। अहाँके अपन गम्भीर गलतके चिन्ता करबाक चाही। नहि त' ओहि व्यक्तिके आंखिमे छोट कुन्नीपर ध्यान देल जकां होएत, जखन की अहाँ अपने आंखिमे काठके ढेंगपर ध्यान नहि देब।42अहाँके दोसर विश्वासीस' ई नहि कहबाक चाही जे मित्र, हम अहाँके गलती सुधारएमे मदति करब, जखन की अहाँ एखन धरि अपने गलती नहि सुधारने छी। जं अहाँ एना करब त' अहाँ पाखण्डी छी! पहिने अपन पाप करब छोड़ि दिऔ। ई ओहिना जेना अहाँ अपन आंखिमेस' नमहर काठके ढेंग निकालि लेब। तखन अहाँके ओ आत्मिक अन्तर्दृष्टि भेटत जेकर आवश्यकता अहाँके ओहि छोट-छोट त्रुटीस' मुक्ति भेटएमे मदति करत जे दोसरके आंखिमे कुन्नी अछि।43सबकेओ जनैत अछि जे स्वस्थ गाछ अधलाह फल नहि फड़बैत अछि आ अस्वस्थ गाछ नीक फल नहि फड़बैत अछि।44कोनो व्यक्ति जे काज करैत अछि ओहिस' ओ भितरस' केहन अछि से बुझि सकैत छी। तब अहाँके बुझएमे आबि जाएत जे ओकरासबस' की आशा कएल जा सकैत अछि। अहाँ केकरो अधलाह काज करएबलास' दया वा नीक सलाहके अपेक्षा नहि करब। ई ओहिना होएत जेना कांटक गाछपर अंजीर वा कांटक झाड़ी पर अंगूर फड़ल ताकब।45नीक लोक नीक काज एहिलेल करैत अछि जे ओसब मनके भण्डारमे नीक बात सोंचैत अछि। दुष्ट लोक दुष्टकाज एहिलेल करैत अछि जे ओसब मनमे दुष्ट बात सोंचैत अछि। एकर कारण अछि जे लोक जे सोंचि रहल अछि ओहि आधार पर बजैत अछि आ काज करैत अछि।”46यीशु ओकरासबके कहलथि, “जं अहाँसब हमर आज्ञा नहि मानैत छी त' हमरा ‘प्रभु’ किएक कहैत छी? 47हम अहाँसबके कहब, जे हमरालग अबैत छथि, हमर शिक्षा सुनैत छथि आ ओकर पालन करैत छथि, ओ केकरा जकां अछि।48एहन लोक ओहि व्यक्ति जकां होइत छथि जे अपन घर बनएबाक तैयारीमे जमीनमे गहींरमे खनिक' ओ चट्टानपर घरक' नओ बनौलक। तब बाढ़ि आएल। पानि ओहि घरदिस बढ़ल। मुदा ओ ओहि घरके नाश करएमे सक्षम नहि भेल, किएकत' ओ ओहि घरके चट्टानपर बनौने रहैक।49मुदा किछु लोक हमर शिक्षा सुनैत छथि आ ओकर पालन नहि करैत छथि। ओसब ओहिना छथि जेना बिना नओ खनि उपरे जमीनपर घर बनबैत अछि। बाढ़िके पानि आबि गेल त' घर तुरन्ते खसि पड़ल। बाढ़ि ओहि घरके पूर्णरुपस नाश क' देलक।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.