Genesis42

1जखन केओ याकूबके कहलकनि जे मिस्रमे अनाज अछि जे लोक किन सकैत अछि, तखन ओ अपन बेटासबके कहलनि, “अहाँसब एक-दोसरके मुंह की तकैत छी आ किएक बैसल छी? हमरासबके किछु अनाज चाही!”2 ओ ओकरासबके कहलनि, “केओ हमरा कहलक जे मिस्रमे बेचएलेल अनाज अछि। ओतए जाउ आ हमरासबके लेल किछु किन लाउ, जाहिस' हमसब जीवित रहि सकी!”3तखन यूसुफके दसो भैयासब अनाज किनबाक लेल मिस्रमे गेलनि।4मुदा याकूब यूसुफके भाय बिन्यामीनके भैयासबसंगे जाएलेल नहि पठौलनि, किएक त' ओ डेराइत रहैक जे यूसुफे जकां एकरोसंग किछु भयावह घटना नहि भ' जाइक।5 तखन याकूबके बेटासब कनानस' मिस्र देशमे अनाज किनबाक लेल गेलनि आ दोसरो लोकसब सेहो गेलनि, किएक त' कनानमे सेहो भारी रौदी पड़ल रहैक।6ओहि समयमे यूसुफ मिस्रके अधिपति रहैक। ओ ओएह छलनि जे सौंसे मिस्र आ कतेको देशस' अनाज कीनएलेल आएल लोकसबके अनाज बेचैत छलनि। तएं जं यूसुफके भैयासब पहुंचलनि त' ओसब हुनका समक्ष जमीन धरि सिर निहुराक' प्रणाम कएलनि।7यूसुफ अपन भैयासबके देखिते हुनकासबके चिन्ह लेलनि। मुदा ओ नाटक कएलनि जे ओ हुनकासबके नहि चिन्हैत अछि। ओ हुनकासबसंगे कड़िकक' बजलनि, “अहाँसब कत' स' आएल छी?” एकगोटे उत्तर देलक, “हमसब कनान देशस', अनाज कीनएलेल आएल छी।”8यूसुफ अपन भैयासबके चिन्ह लेलनि मुदा ओसब हुनका नहि चिन्हलनि।9तखन यूसुफके मोन पड़लनि जे ओ कतेको वर्ष पहिने हुनकासबके विषयमे जे सपना देखने रहैक। मुदा ओ निर्णय लेलक जे एखन धरि हुनकासबके ई नहि कहब जे ओ हुनक भाइ छथि। ओ हुनकासबके कहलनि, “अहाँसब भेदिया छी! अहाँ ई पता करएलेल आएल छी जे अहाँ हमरासबपर आक्रमण करब त' हमसब अपन बचाव क' सकब की नहि!”10एकगोटे उत्तर देलनि, “नहि मालिक! हमसब अनाज किन आएल छी।11हमसब एके बापके बेटासब छी। आ हमसब इमानदार आदमी छी, भेदिया नहि।”12ओ हुनकासबके कहलनि, “हम अहाँसबपर विश्वास नहि क' सकैत छी! अहाँ त' मात्र एतबे देखएलेल आएल छी जे जं' हमरासबपर आक्रमण भ' जाएत' हमसब अपन बचाव क' सकैत छी की नहि!”13मुदा ओहिमेस' एकगोटे उत्तर देलथिन, “नहि, ई बात सत्य नहि अछि! शुरुमे हम बारह भाइ रही, कनान देशके एके आदमीके बेटा। हमरसबहक छोट भाइ हमर बाबुके संग अछि। एकगोटे आब जीवित नहि अछि।”14यूसुफ उत्तर देलनि, “अहाँसब झूठ बाजि रहल छी! हमरा लगैत अछि जे ई ठीक ओहिना अछि जेना हम अहाँक कहने रही। अहाँ भेदियासब छी!15मुदा हम एनाक' पता लगाएब जे अहाँ जे कहि रहल छी से बात सत्य अछि की नहि। हमरा लगैत अछि जेना राजा जिबैत छथि निश्चय अहाँसब भेदियासब छी। तएं जाधरि अहाँसबके छोट भाइ एत नहि आओत ताधरि अहाँसब एहि ठामस' निकलब नहि!16अपन समूहमेस' एकगोटेके पठा दिऔ जे ओ अपन छोट भायके ल' क' एत आनए। हम बांकी अहाँसबके जेलमे राखि देब, जाहिस' हम अहाँक कहल बात परखि सकी जे अहाँ हमरा जे कहैत छी से सत्य अछि। जं जे गोटे जाएब से अहाँक छोट भायके एत नहि आनत तखन, जेना राजा जिबैत छथि, तहिना ई स्पष्ट भ' जाएत जे अहाँ झूठ बाजि रहल छी आ अहाँ भेदियासब छी।”17तखन यूसुफ सबगोटेके तीन दिन धरि जेलमे राखि देलनि।18तेकरबाद तेसर दिन, यूसुफ जेलमे जाक' हुनकासबके कहलनि, “हम परमेश्वरके डर मानएबला आदमी छी जे हम कएने प्रतिज्ञा नहि करब त' ओ हमरा दंड देथिन। तएं हम जे कहए छी से करु, आ हम अहाँसबके जान बचादेब।19जं अहाँसब इमानदार लोक छी त' अहाँसबमेस' कोनो भाय एत जेलमे रहू आ बांकी लोक किछु अनाज अपन परिवार लग ल' जाए सकैत छी जे अकालमे बहुत भूखल अछि।20मुदा जं अहाँ फेरु एत आबि त' अपन छोट भायके हमरालग आनब, जाहिस' अहाँ ई सिद्ध क' सकब जे अहाँ हमरा जे कहने छी से सत्य अछि, आ परिणाम स्वरुप हम अहाँसब मारल नहि जाएब।” तएं ओसब एना करएलेल तैयार भ' गेलनि।21ओसब एक दोसरास' कहलनि, “हमसब अपन छोट भाइसंगे जे कएलहुं ताहिस' हमरासबके दोष भेटि रहल अछि! हमसब देखने रही जे जखन ओ अपनासबस' निहोरा कएलक जे ओकरा कोनो नोक्सान नहि पहुंचाएब। मुदा हमसब ओकर दिस कोनो ध्यान नहि देलिऐ, आ ताहिस' हमरासबके ई परेशानी भ' रहल अछि!”22रूबेन ओकरासबके कहलनि, “हम अहाँसबके कहनहि रही जे एहि लड़काके कोनो प्रकारक कोनो हानि नहि पहुंचाउ, मुदा अहाँसब हमर बातपर ध्यान नहि देलहुं। आब हमरासबके ओकर हत्या क बदला भेटि रहल अछि!”23ओसब जखन यूसुफस' बातचित क' रहल छल तखन ओसब एकटा दूभाषियास' बात क' रहल छल, मुदा जखन ओसब अपनामे ई बात कहैत छल त' ओसब अपन भाषामे बाजि रहल छल। ओकरासबके ई नहि बुझल रहनि जे यूसुफ ओकरासबके भाषा बुझि सकैत छथि आ ओकरासबके सबटा बात बुझिलेलक।24ओकरासबके बातके कारण यूसुफके बुझा गेलनि जे ओसब मानैत छथि जे ओसब ओकरासंगे कतेको वर्ष पहिने जे किछु कएने रहनि से गलत रहैक। मुदा ओकरा बुझा गेलै जे ओ कानएस' अपनाके नहि रोकि सकैत छै, आ ओ नहि चाहैत रहनि जे ओसब ओकरा कनैत देखए, तएं ओ ओकरासबके छोड़िक' कोठलीस' बाहर जाक' कानए लागल। मुदा फेरु ओ ओकरासबलग घुरिक' गेलनि आ फेरु ओकरासब संगे बात कएलनि। तखन ओकरासबके नजरिके आगु ओ शिमियोनके ल' जाक' अपन नोकरसबके कहलनि जे एकरा बान्हि दिऔ। ओ शिमोनके जेलमे छोड़ि आन लोकसबके कहलकनि जे ओसब जा सकैत अछि।25यूसुफ अपन नोकरसबके कहलनि जे ओहि आदमीसबके बोरामे अनाज भरि दिऔ, मुदा ओ ओकरासबके इहो कहलथि जे ई लोकसब अनाजके लेल देने रुपैया अछि से ओकरासबके बोरामे राखि देबै। संगहि इहो कहलखिन जे रस्तामे खाएलेल भोजन सेहो देबै। ओकर भाइसब यूसुफके नोकरसबस' भोजन ल' लेलक।26हुनकर भैयासब अन्नक बोरासब गदहापर लादिक' चलि गेलनि।27ओहि राति जत ओसब सुतएलेल रुकल छल, ओहि ठाम ओकरासबमेस' एकगोटे अपन बोरा खोलिक' अपन गदहा लेल किछु अनाज निकाललक। बोराके उपरमे अपन रुपैया देखि ओ अचम्भित भ' गेल।28ओ अपन भाइसबके कहलनि, “केओ हमर रुपैया घुरा देने अछि! एत हमर बोरामे अछि!” ओसब डरस' हिल लागल, आ एक-दोसरस' बजलाह, “परमेश्वर हमरासबके संग ई की कएलथि?”29ओसब कनान देशमे अपन बाबु लग घुरिक' ओकरासबके संग भेल सब बात हुनका कहलनि। एकगोटे बाजल,30“सब मिस्र देशपर शासन करएबला आदमी हमरासबस' बहुत कठोरतास' बात कएलनि। ओ हमरासबसंग एहन व्यहवार कएलक जेना हमसब ओकर देशके जासूसी करैत होइक।31मुदा हमसब हुनका कहलिऐ, ‘हमसब इमानदार लोक छी! हमसब भेदियासब नहि छी।32शुरुमे हमसब बारह भाय रही आ एकेटा बाबुके बेटासब छी। एकटा मरि गेल अछि, आ हमरसबके छोट भाइ कनानमे हमरसबके बाबु संगे छथि।’33ओ आदमी जे देशके अधिपति अछि, हमरासबपर विश्वास नहि कएलक, तएं ओ हमरासबके कहलक, ‘अहाँसब सत्ते इमानदार लोक छी की नहि, से हम एहि तरहे बुझब। तखन बांकी सब अपन परिवारक लेल किछु अनाज ल' क' जा सकैत छी जे भुखल अछि।34मुदा जखन अहाँ घुरिक अबैत छी त' अपन छोट भायके हमरालग आनब जाहिस' हम ई जानि सकी जे अहाँसब भेदिया नहि छी, बल्कि अहाँसब इमानदार लोक छी। तखन हम अहाँके भाइके छोड़ि देब। आ तखन एहि देशमे जे चाही से किन सकैत छी।’”35जखन ओसब अपन बोरा खाली करैत छल तखन ओसब आश्चर्यचकित भ' गेल जे सबगोटेके बोरामे ओकर रुपैयाके झबिया रहए! जखन ओसब आ ओकर बाबु सबटा रुपैयाके झबिया देखलक त' ओसब डेरा गेल।36ओकरासबके बाबु याकूब ओकरासबके कहलनि, “अहाँसब हमर दूटा बच्चाके हमरास' छिन लेलहुं! यूसुफ मरि गेल अछि, आ शिमोन चलि गेल अछि! आ आब अहाँसब हमरास' बिन्यामीन छिनए चाहैत छी! हमहीं छी जे एहिसब बातक कारण कष्ट भोगि रहल छी!”37रूबेन अपन बाबुके कहलनि, “हम बिन्यामीनके अहाँ लग घुराक लाबि देब। हम ओकर ध्यान राखब। जं हम बिन्यामीनके अहाँ लग नहि आनब त' अहाँ हमर दुनू बेटाके मारि सकैत छी।”38 मुदा याकूब कहलनि, “नहि, हम अपन बेटाके अहाँसबसंगे ओतए नहि जाएदेब। ओकर बड़का भाय मरि गेलै, आ हमर पत्नी राहेलके बेटासबमे ओ एसगरे बचल छै! यात्रा करैत काल जं कोनो चीज ओकरा नोक्सान पहुंचएतै त' अहाँ पाकल केशबला बूढ़, हमरा दुखके कारण मरि देब।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67