Genesis38
1ओहि समयमे, यहूदा अपन भैया आ भाइसबके छोड़िक पहाड़ी इलाकास' आबि गेलनि आ अदुल्लाममे रहनिहार एकटा आदमीक संगे रहलनि। ओकर नाम हीरा छलनि।2ओतए हुनका एकटा स्त्रीस' भेट भेलनि जे कनान देशके शुआ नामक पुरुषके बेटी छलीह। विवाह क' क' ओकरासंगे सुतलनि।3ओ गर्भवती भेलीह आ बादमे एकटा बेटाके जन्म देलीह। ओकर बाबु ओकर नाम एर रखलनि।4बादमे, ओ फेरु गर्भवती भेलीह आ एकटा आओर बेटाके जन्म देलीह, जेकर नाम ओनान रखलनि।5बहुत वर्षके बाद, जखन यहूदा आ ओकर परिवार कजीबमे रहएलेल गेलनि त' यहूदाके पत्नी एकटा आओर बेटाके जन्म देलीह आ ओकर नाम शेला रखलनि।6यहूदाक जेठ बेटा एर नमहर भेल त' यहूदा ओकरालेल एकटा स्त्री लाबि देलनि, जेकर नाम तामार रहैक।7मुदा यहूदाके पहिन जानमाल एरके एहन काज कएलक जेकरा यहोवा बहुत दुष्ट बुझति छलथि, तएं यहोवा ओकरा मारि देलथिन।8तखन यहूदा ओनानके कहलनि, “अहाँके भैया बिना कोनो बेटा जनमौने मरि गेलनि। तएं ओहि विधवास' विवाह करु आ ओकरासंगे सुतू। अपनासबके रीति-रिवाजमे एहिना करु से अपनासबस' मांग करैत अछि।”9मुदा ओनानके बुझल छलनि जे जं ओ एहन काज करत त' आ जं कोनो सन्तान जन्म लेत से ओकर नहि मानल जाएत। तएं जखन-जखन ओकरासंगे सुतैत छलनि, त' अपन वीर्य जमीनपर गिरा दैत छल, जाहिस' ओ भैयाके लेल सन्तान नहि जनमएतै।10यहोवा ई बुझति छलथि जे ओ जे काज करैत अछि से दुष्ट अछि, तएं ओ ओकरा सेहो मारि देलथिन।11तखन यहूदा अपन पुतहु तामारके कहलनि, “अहाँ अपन नहिरा चलि जाउ, मुदा केकरोस' विवाह नहि करब। जखन हमर छोटका बेटा शेला जवान भ' जाएत त' ओ अहाँस' विवाह करत।” मुदा यहूदा वास्तवमे नहि चाहैत छल जे शेला ओकरासंगे विवाह करए, कारण ओकरा डर छलनि जे शेला सेहो मरि जएतै, ठीक ओहिना जेना ओकर भैयासब मरि गेल रहए। तएं तामार यहूदाके बात मानैत अपन नहिरा रहएलेल चलि गेलीह।12कतेको वर्षके बाद, यहूदाके पत्नी जे शूआके बेटी छलीह, ओकर मृत्यु भ' गेलनि। जखन ओकर शोकके समय समाप्त भ' गेलै तब यहूदा तिम्नाहमे जएबाक मन बना लेलक, जत ओकर आदमी ओकर हेंड़के भेंड़के ऊन कतरनि क' रहल रहए। अदुल्लामवासी ओकर मित्र हीरा सेहो ओकरासंगे चलि गेलनि।13केओ तामारके कहलकनि, “अहाँक ससुर तिम्नाहमे जा रहल छथि जे हुनकर हेंड़के भेंड़ाके ऊन कतरनिहार सबके सहायता करथि।”14ओ बुझि गेलीह जे आब शेला जवान भ' गेल अछि, मुदा यहूदा ओकरा ओकर पत्नी बनएलेल नहि देने छलनि। तएं ओ अपन विधवाके वस्त्र उतारिक' माथके घोघस' झांपि लेलीह, जाहिस' लोक ओकरा नहि चिन्हए। तखन ओ एनैमक प्रवेशद्वारपर बैसि गेलीह जे तिम्नाहके रास्तापर अछि।15यहूदा ओकरा देखक' ओकरा लगलनि जे ओ वेश्या अछि, किएक त' ओ अपन माथ झांपिक' बैसल छलीह जत' वेश्यासब बेसी काल बैसल रहैत अछि।16यहूदाके ई नहि बुझल छलनि जे ओ ओकर पुतहु छथि। तएं ओ ओकरा कहलनि, “हमरा अहाँक संग सुतए दिअ।” ओ उत्तर देलीह, “अहाँ हमरा एहिके बदलामे की देब?”17ओ उत्तर देलनि, “हम अहाँके अपन बकरीके हेंड़मेस' एकटा खसी पठा देब।” ओ पुछलीह, “जाधरि अहाँ हमरा बकरी नहि पठा देब ताधरि अहाँ हमरा किछु दिअ जे हम बन्हकी राखब?”18ओ उत्तर देलनि, “अहाँ की चाहैत छी जे हम अहाँके की द' दी?” ओ उत्तर देलीह, “हमरा ओ औंठी दिअ जाहिपर अहाँक नाम लिखल अछि जे अहाँक गरदनिमे बान्हल डोरी, आ अहाँके हाथके लाठी अछि से हमरा दिअ।” तएं ओ ओकरा द' देलकनि। तखन ओ ओकरासंगे सुतलनि, आ ओ गर्भवती भ' गेलीह।19ओकरा गेलाकबाद ओ घूंघट उतारिक' फेरुस' अपन विधवाके वस्त्र पहिर लेलीह।20यहूदा अदुल्लामवासी अपन मित्रके एकटा खसी देलनि। ओकरालेल जे ओ ओहि स्त्री लग ल' जाइक, जेना ओ वचन देने रहनि। मुदा ओकर संगी ओ महिलाके नहि पाबि सकल।21तखन ओकर मित्र ओतए रहनिहार लोकसबस' पुछलनि, “ओ वेश्या एनैममे रस्ता कातमे बैसल रहैत अछि से कत मिलत?” ओसब उत्तर देलनि, “एत कहियो वेश्या नहि रहैत रहए!”22तखन ओ यहूदाके जा क' कहलनि, “हमरा ओ वेश्या नहि भेटल। ततबे नहि, ओहि शहरमे रहनिहार लोकसब कहलनि, ‘एत कहियो कोनो वेश्या नहि रहैत रहए।’”23यहूदा कहलनि, “हम जे चीज ओकरा देलिऐ से ओ राखि सकए। जं हमसब ओकर खोज करैत रहित रहब, त' लोक हमरासबके उपहास करत। हम एहि पठरुके ओकरा लग पठएबाक प्रयास कएलहुं, मुदा अहाँ ओकरा नहि पाबि सकलहुं जे ओकरा दितिऐ।”24लगभग तीन मासक बाद केओ यहूदाके कहलकनि, “अहाँक पुतहु तामार वेश्या बनि गेल अछि, आ ओ गर्भवती भ' गेल अछि!” यहूदा कहलनि, “ओकरा नगरस' बाहर घिंचिक' लाउ आ आगिमे जराक' मारि दिऔ!”25मुदा जखन ओसब ओकरा नगरस' बाहर ल' जाइत रहए, तखन ओ औंठी आ लाठी केकरो द' क' कहलीह जे एहिसबके यहूदा ल' जा क' ओकरा कहब जे, “ईसब वस्तुक मालिक ओ अछि जे हमरा गर्भवती बना देलकनि।” ओ ओकरा कहबाकलेल इहो कहलीह, “देखू ई औंठी, आ एहिमे जे डोरी लागल अछि, आ ई लाठी, ईसब केकर छै?”26जखन ओ आदमी एना कएलक तखन यहूदा ओहि औंठी आ लाठीके चिन्ह लेलक। ओ बजलनि, “ओ हमरास' बेसी सही छथि। हम अपन बेटा शेलाके विवाह करबाक लेल नहि कहलिऐ, जेना हम वचन देने रही।” यहूदा फेरु ओकरासंगे नहि सुतलनि।27जखन ओकर प्रसवके समय भेल त' ओ आश्चर्यचकित भ' गेलीह जे ओकर पेटमे जौंवा बेटा अछि।28जखन ओ बच्चा जनमाबए लगलीह तखन एकगोटे अपन हाथ बढ़ौलनि। तएं धाय ओकर गट्टामे लाल रंगके सूत बान्हिक' कहलनि, “पहिने ई निकलल रहैक।”29मुदा ओ बच्चा अपन हाथ गर्भक भीतर खिचि लेलक आ पहिने ओकर भाय बाहर आबि गेल। तएं बजलीह, “अहाँ एहि तरहे पहिने बाहर निकलबाक रस्ता तोड़ैत छी!” तएं ओ ओकर नाम पेरेस रखलनि, जे इब्रानी ओहि शब्द जकां लगैत अछि जेकर अर्थ होइत अछि “तोड़ब”।30तखन ओकर छोट भाय, जेकर गट्टापर लाल रंगके सूत रहनि, बाहर आएल। आओर ओकर नाम जेरह देल गेल, जे इब्रानी ओहि शब्द जकां अछि जेकर माने अछि “भोरके लाली”।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.