Genesis36
1ई ओहेसब अछि जे एसावके वंशज रहए, जेकर दोसर नाम एदोम छलनि आ ओकरासबके विषयमे एना भेलै।2एसाव कनान देशस' तीनटा स्त्रीस' विवाह कएलनि: हित्ती एलोनके बेटी आदा। ओहोलीबामा, जे अनाके बेटी आ हिब्बी सिबोनके पोती छलीह।3आ बासमत, जे इश्माएलके बेटी आ नबायोतके बहिन छलीह।4एसावके पत्नी आदा एलीपजके जन्म देलीह। बासमत रूएलके जन्म देलीह।5ओहोलीबामा यूश, जलाम आ कोरहके जन्म देलीह। एसावके ई बेटासब कनान देशमे रहैत काल जन्म लेलनि।6एसाव, जेकर दोसर नाम एदोम रहनि, अपन पत्नी, धियापुता आ अपन घरके आन सब सदस्य, अपन भेंड़-बकरी आ अपन आन पालतू जानबर आ कनान देशमे जे किछु भेटल छल, से सब ल' गेल रहए आ ओकरासब ल' क' एकटा एहन इलाकामे चलि गेलनि जे याकूबस' दूर रहनि।7याकूब आ एसावके बहुते सम्पत्ति छलनि। एहिस' ओकरासबके अपन मालजालके लेल बेसी जमीनक आवश्यकता छलनि। जाहि जमीनपर ओसब रहैत छलनि, ओ ओतेक बेसी नहि रहनि जे ओकरासबके सबटा मालजाल ओहिपर रहि सकैक।8एसाव जेकरा एदोम सेहो कहल जाइत छल से सेईर पहाड़ी इलाकामे रहएलेल गेलनि।9ईसब एदोमीसबके पूर्वज एसावस' निकलल छलनि जे सेईर क्षेत्रमे रहैत छलनि।10एसावके पत्नी आदा एलीपजके जन्म देलीह आ एसावके स्त्री बासमत रूएलके जन्म देलीह।11एलीपजके बेटा तेमान, ओमार, सफो, गाताम आ कनज छल।12एसावके बेटा एलीपजके एकटा रखैल सेहो रहनि। ओकर नाम तिमना रहए। ओ अमालेकके जन्म देलीह। ओ छओ आदमी एसावके पत्नी आदाके पोतासब छल।13रूएलके बेटा नहत, जेरह, शम्मा आ मिज्जा छल। ओसब एसावके पत्नी बासमतके पोता छल।14एसावके पत्नी ओहोलीबामा जे अनाके बेटी आ सिबोनके पोती छलीह, ओकरा तीनटा बेटा यूश, यालाम आ कोरह भेलनि।15ईसब एसावके वंशजमे मुखिया रहनि। ओकर जेठ बेटा एलीपजके वंशज ईसब छल: तेमान, ओमार, सफो, कनज।16कोरह, गाताम आ अमालेक लोकसब। ईसब एदोममे रहनिहार एलीपजके वंशजके मुखिया रहनि। ओसब आदाके पोता-पोती छलनि।17एसावके बेटा रूएलके बेटासब नहत, जेरह, शम्मा आ मिज्जा लोकसबके पूर्वज रहए। ओसब एसावके पत्नी बासमतके वंशज रहनि। ओसब एदोममे सेहो रहैत छलनि।18अनाके बेटी, एसावके पत्नी ओहोलीबामाक बेटासब यूश, यालाम आ कोरह सबके पूर्वज छलनि।19एदोम कहल जाएबला एसावके बेटासब आ ओकर वंशजक समूहके सूची अछि।20ई सेईरके वंशजके सूची अछि, जे होरी कहल जाति छल, जे एदोम प्रदेशमे रहनिहार पहिन लोकक समूह छलनि: लोतान, शोबाल, सिबोन, अना।21दिशोन, एसेर, आ दीशान। ईसब होरीसबके कुल छल, जे एदोमक भूमिमे सेईरके निवासी छलनि।22लोतानके बेटा होरी आ हेमन। लोतानके बहिन तिमना छलीह।23शोबालके बेटा अलवान, मनहत, एबल, शेफो आ ओनाम छलनि।24सिबोनके बेटा अय्या आ अना छल। ई अना ओएह छलनि जे अपन बाबु सिबोनके गदहासबके देखभाल करैत काल मरुभूमिमे गरम पानिके कुंवाके खोज कएलक।25अनाके दूटा सन्तान छलनि — एकटा बेटा दीशोन आ एकटा बेटी ओहोलीबामा।26दीशोनके बेटा हेमदान, एशबान, यित्रान आ करान छल।27एसेरके बेटा बिल्हान, जावान आ अकान छलनि।28दीशानके बेटा ऊस आ अरान छल।29होरीसबके वंशजसब ई छल: लोतान, शोबाल, सिबोन, आ अना,30होरी सबहक वंशजसब सेईर देशमे रहैत छलनि। ओहि लोकक समूहके नाम लोतान, शोबल, सिबोन, अना, दीशोन, एसेर आ दीशान अछि।31इजराएलीसबपर कोनो राजा शासन करएस' पहिने, ईसब ओहि राजासबके नाम अछि जे एदोममे शासन करैत छलनि।32बोरके बेटा बेला एदोममे पहिन राजा बनलनि। जाहि शहरमे ओ रहैत छलनि ओकर नाम दिन्हाबा रहए।33बेला मरला पर जेरहके बेटा योबाब राजा बनि गेलनि। ओ बोजरा नगरक रहनि।34योबाबके मृत्यु भेलापर हूशाम राजा बनि गेलनि। ओ ओहि क्षेत्रके छलनि जत' तेमानीसब रहैत छलनि।35हूशामके मृत्यु भेलापर बददके बेटा हदद राजा भेल। हूशामके सेना मोआब क्षेत्रमे मिद्यानीसबके सेनास' लड़िक ओकरा पराजीत क' देलक। हूशाम जत' रहैत छलनि ओ शहर अबीत रहए।36हददके मृत्यु भेलापर सम्ला राजा बनि गेलनि। ओ मस्रेका निवासी रहनि।37सम्लाके मृत्यु भेलापर शाऊल राजा बनि गेलनि। ओ यूफ्रेटिस नदी कातमे रहोबोतके रहनिहार छलनि।38शाऊलके मृत्यु भेलापर अकबोरके बेटा बाल्हानान राजा भेलनि।39अकबोरके बेटा बाल्हानान मरि गेलनि तब हदर राजा भेलनि। जाहि शहरमे ओ रहैत छलनि ओकर नाम पाऊ छल। ओकर पत्नीके नाम महेतबेल रहनि। ओ मत्रेदके बेटी छलीह, जे मेजाहाबके बेटी छलीह।40ईसब एसावके वंशजके कुलके मुखियासबके नाम छल, ओकर कुल आ ओकर क्षेत्रके अनुसार, ओकर नाम अनुसार ई अछि: तिम्ना, अल्वा, यतेत,41ओहोलीबामा, एला, पीनोन42कनज, तेमान, मिबसार,43एसावके वंशजके सबलोकके सूची एत' देल गेल अछि, तिम्ना, अल्बा, यतेत, ओहोलिबामा, एला, पीनोन, कनज, तेमान, मिबसार, मग्दीएल आ ईराम। ओसब एदोम देशमे रहैत छलनि। जाहि जमीनपर सब लोकक समूह रहैत छलनि, ओकर नाम ओहिना भेटल जेना ओहि लोकक समूहके नाम अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.