1 Peter1

1हम, पत्रुस, यीशु मसीहद्वारा हुनकर प्रेरितके रुपमे पठाओल गेल छी। हम ई पत्र अहाँसबके लिख रहल छी जेकरासबके परमेश्वर अपन प्रजा होबएलेल चुनने छथि। हम अहाँसबके लिख रहल छी जे अहाँसबके स्वर्गीय वास्तविक घरस' दूर पुन्तुस, गलातिया, कप्पदूकिया, आसिया, आ बितूनिया प्रदेशमे अस्थायी रुपस' रहि रहल छी।2अपनासबके पिता परमेश्वर जे पहिनेस' निर्धारीत छल ओहि अनुसार अहाँसबके चुनलथि। ओ अपन आत्माद्वारा ई काज कएलथि, आ अहाँसबके अलग क' देलथिन जाहिस' अहाँसब हुनकर आज्ञापालन करी, जाहिस' यीशु मसीहके मृत्यु अहाँसबके परमेश्वरसंगे करारके सदस्य बना सकए। हम प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर अहाँसबपर अपन दयालु काजसब बढ़बथि आ अहाँसबके आओर बेसी शान्ति प्रदान करथि।3अपनासबके प्रभु यीशु मसीहके पिता परमेश्वरके स्तुति होअए! कारण ओ अपनासबपर बड्ड कृपालु छथि, तएं ओ अपनासबके यीशु मसीहके हुनकर मृत्युके बाद जीवित उठाक' अपनासबके नव जन्मके अनुभव करौलथि। परमेश्वर एना एहिलेल कएलथि जे अपनासबके एकटा एहन आशा भेटए जे अपनासबके कहियो निराश नहि करए,4अर्थात् जाहिस' अपनासब ओहि अविनाशी धनके उत्तराधिकारी बनि सकी जे नाश नहि कएल जा सकैत अछि, अशुद्ध नहि कएल जा सकैत अछि आ नहि मुरझाति नहि अछि, आ जे परमेश्वर अपनासबके लेल स्वर्गमे रखने छथि।5परमेश्वरक शक्ति अहाँसबके यीशुपर विश्वास द्वारा अहाँसबके रक्षा क' रहल अछि। ओ अहाँसबके रक्षा क' रहल छथि जाहिस' अहाँसबके उद्धार अन्तिम समयमे प्रगट भ' सकए जहिया यीशु सबके न्याय करबाक लेल घुरिक' अओताह।6ओहि समयमे जे किछु भेल रहए ताहिस' अहाँसब बड्ड आनन्दित भेल रही, भलेहि आब किछुए कालके लेल अहाँसबके अनेक प्रकारके कठिनाइसब दुखित बनएने होइक।7ई कठिनाइसब ई जांच करबाक लेल आएल रहए जे अहाँसब वास्तवमे यीशुपर विश्वास करैत छी। ओ विश्वास परमेश्वरके लेल ओहि सोनास' बेसी मूल्यवान अछि, जेकरा कोनो आदमी आगिस' परेखलाके बादो केओ नाश नहि क' सकैत अछि। कारण जे अहाँसब यीशुपर विश्वास करैत छी, त' परमेश्वर अहाँसबके प्रशंसा करताह, अहाँसबके बड़ाइ करताह आ अहाँसबके सम्मान करताह जहिया यीशु मसीह अओताह आ स्वयंके प्रगट करताह। 8अहाँसब यीशुस' प्रेम करैत छी, भलेहि अहाँसब हुनका नहि देखने होएब। ओना त' अहाँसब एहि समय हुनका नहि देखैत छी मुदा हुनकापर विश्वास करैत छी आ एहन आनन्दस' आनन्दित होइत छी जेकर महिमाके वर्णन नहि क' सकैत छी।9कारण, अहाँसब हुनकापर विश्वास करबाक परिणामके अनुभव क' रहल छी: एहिलेल परमेश्वर अहाँसबके पापसबके अपराधस' अहाँसबके आत्माके उद्धार क' रहल छथि।10प्राचीन कालमे प्रवक्तासब सावधानीपूर्वक अहाँसबके परमेश्वर उद्धार करबाक विषयमे बुझसुझ कएने छलाह। परमेश्वरक अनुग्रहस' अहाँसबके उद्धार करबाक विषयमे परमेश्वर जे कहने छलाह से ओसब बजलनि।11ओसब ई जानएके प्रयास क' रहल छलनि जे हुनकासबके भितर मसीहके आत्मा केकरा दिस संकेत क' रहल अछि, आ आत्मा कोन समयके संकेत क' रहल अछि। ओ आत्मा एहि बातसबके संकेत क' रहल छल जखन ओ हुनकासबके पहिनेस' कहि देलनि जे मसीह कष्ट उठओताह आ तेकरबाद महिमामय बात होइत। 12परमेश्वर ओहि प्रवक्तासबके कहलथि जे ई सबबात परमेश्वर हुनकासबके प्रगट क' रहल छथि जे हुनकासबके फायदाके लेल नहि अछि, मुदा ईसब अहाँसबके सेवाके लेल अछि। जे सब अहाँसबके सुसमाचार प्रचार कएने छलाह, आब ओहेसब पवित्र आत्माद्वारा, हुनकासबके परमेश्वर एना करएलेल परमेश्वर स्वर्गस' पठौलथि ओसब एहि बातसबके अहाँसबके कहि देने अछि। जे बातसब ओसब अहाँसबके कहलनि ओहि विषयमे स्वर्गदूतसब आओर बेसी जानएलेल ललायित छथि जे परमेश्वर अपन लोकसबके लेल की करैत छथि।13एहिसबके फलस्वरुप अपन मनके काज करबाक लेल तैयार करु। सतर्क रहू आ आशा करु जे जहिया यीशु मसीह आबिक' स्वयंके प्रगट करतथि तहिया अनुग्रहके द्वारा परमेश्वर अहाँसबके उद्धार करताह।14किएकत' अहाँसब परमेश्वरके आज्ञा ओहिना पालन करैत छी जेना बच्चासबके अपन बाबूसबके आज्ञापालन करबाक चाही, अपना उपर पापपूर्ण इच्छासबके हाबी होबएके अनुमति नहि दिअ जेना अहाँसब विश्वास करएस' पहिने करैत छली।15बल्कि, जेना परमेश्वर पवित्र छथि, जे अहाँसबके अपन लोक बनबाक लेल चुनलनि, एहिलेल अहाँसब जे किछु करब त' पवित्र तरीकास' करु।16पवित्र बनू, किएकत' मूसा शास्त्रमे लिखने छनि जे परमेश्वर कहने छथि, “हम पवित्र छी तएं अहाँसब सेहो पवित्र बनू।” 17ओ परमेश्वरे छथि जे ओहि सबगोटेके न्याय करैत छथि, आ ओ बिना पक्षपात कएने न्याय करैत छथि। किएकत' अहाँसब हुनका “पिता” पुकारैत छी, एहिलेल जं अहाँसब अस्थायी रुपस' अपन असली स्वर्गीय घरस' दूर रहैत छी, त' एहन व्यवहार करु जे ई दर्शाबए जे अहाँसब हुनकास' डेराइत छी।  18ओहिना व्यवहार करु किएकत' अहाँसब जनैत छी जे परमेश्वर अहाँसबके मूर्खतापूर्ण व्यवहार करएस' स्वतन्त्र करबाक मोल चुकौने छथि, जेना व्यवहार करबाक अहाँसबके पूर्वजसब अहाँसबके शिक्षा देने रहैक। परमेश्वर अहाँसबके स्वतन्त्र करबाक मोल चानी वा सोनासन चीज द' क' नहि चुकौलनि जे सदाके लेल नहि रहत। 19बल्कि, क्रूसपर मसीहके निष्कलंक मृत्युद्वारा अहाँसबके स्वतन्त्र करबाक लेल परमेश्वर मोल चुकौने छथि। ओ मृत्यु ओहि पूर्ण आ सिद्ध मेमनाके क्रूसपर बलिदानात्मक मृत्यु जकां छल जेकरा यहूदी पुजारीसब बलि चढ़एने छल।20परमेश्वर ई काज करबाक लेल संसारके सृष्टि करएस' पहिने मसीहके चुनि लेने छलथि। मुदा एहि अन्तिम समयमे जे एखन भेल, जे परमेश्वर हुनका अहाँसबके प्रगट कएलथि।21मसीह जे कएलथि, ओहिस' अहाँसब परमेश्वरपर विश्वास करैत छी। ओहे मसीहके मरलमेस' जीवि उठौलथि आ ई महिमा प्रगट कएलथि जे ओ कतेक महान छथि। परिणाम स्वरुप, अहाँसब परमेश्वरपर विश्वास करैत छी आ हुनकास' बड़का-बड़का काज करबाक अपेक्षा करैत छी।22किएकत', अहाँसब यीशुके सत्यके शिक्षाके पालन क' क' अपना मनके पवित्र कएने छी, एहिलेल एक-दोसरस' इमानदारीस' प्रेम करु आ निष्कपट भातृ-स्नेह करु।23एना एहिलेल करु किएकत' परमेश्वर अहाँसबके नव जन्मके अनुभव करौने छथि। अहाँसब ई नव जन्मके अनुभव कएने छी कोनो एहन चीजके माध्यमस' नहि जे नाश भ' जाएत। बल्कि, अहाँसब एकर अनुभव एकटा एहन चीजके माध्यमस' कएने छी जे जीवित आ अविनाशी अछि: अर्थात् यीशुके विषयमे ओ सन्देश जे परमेश्वर दिसस' आएल अछि आ वास्तवमे सदाके लेल रहैत अछि।24अपनासब जनैत छी जे ई बात सत्य अछि कारण, जेना यशायाह प्रवक्ता लिखने छथि, “सबलोक घासक फूल जकां अछि, आ मनुष्यके विषयमे जे किछु महिमाके बात अछि से कनिके समयके लेल रहैत अछि।25मुदा परमेश्वरक सन्देश सदाके लेल रहत।” इएह सन्देश जे सदा धरि रहत प्रभु यीशु मसीहके विषयमे ओ सुसमाचार अछि जे हमसब अहाँसबके प्रचार कएने रही। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67