Judges21
1आब इजराएलीके सबटा पुरुषसब मिस्पामे शपथ खा' क' कहलक, “अपनासब अपन बेटी बिन्यामीनसबके विवाहके लेल नहि देब।”2तखन लोकसब बेतेलमे आबि गेल आ परमेश्वरके समाने सांझ धरि जोरस' कानिक' कहैत छल।3ओसब कहलक, “यौ इजराएलके परमेश्वर यहोवा, इजराएलमे एना किएक भ' गेल, की इजराएलके एकटा वंशके हमरासबमेस' उपटि गेल?”4दोसर दिन ओसब भोरमे उठिक' ओसब वेदी बनौलक आ ओहि ठाम होमबलि आ मेलबलि चढ़एलक।5तब इजराएलीसब कहए लागल, “इजराएलीके वंशमेस' केओ छी जे यहोवाके समाने सभामे नहि आएल?” ओसब मिस्पामे महान शपथ खा' क' कहने रहए की “जे केओ नहि आएत ओ जरुर मारल जाएत।”6इजराएलीसब अपन भाय बिन्यामीनके विषयमे पछ्ताति छल। ओसब कहैत छल, “आइ इजराएलमेस' एकटा वंश उपटि गेल।7बांकि रहल स्त्रीसबके विषयमे हमसब की करब, किएक हमसब यहोवास' शपथ खएने छी की हमसब अपन बेटी हुनकासबके विवाह करबाक लेल नहि देबिन?”8जखन ओसब पुछलक, “इजराएलके वंशमेस' केओ छी जे मिस्पामे यहोवा लग नहि आएल रही?” गिलादके याबेशमेस' केओ नहि ओहि सभामे नहि आएल।9जं ओसब लोकसबके गनती कएलक, ओसब देखलक की गिलादके याबेशके निवासीसबमे स' केओ नहि आएल रहए।10तएं बारह हजार योद्धाके ई कहिक' पठौलक, अहाँसब गिलादीके याबेशमे जाएक सबटा स्त्री, आ बालबच्चासबके तलबारस' नाश क' दिए।11“अहाँके ई सबटा बातसब करए पड़त: सबटा पुरुषके आ स्त्रीसब जे पुरुषसंगे विवाह कएल सबटाके नाश करु मुदा कुमारिसबके छोड़ि देबिन।”12ओसब गिलादीके याबेशमेस' चारि सय कुमारि-कन्या भेटल जे कोनो पुरुषसंगे नहि सुतल छल, तएं ओकरासबके शीलो जे कनानके देशमे रहए ओहि डेरामे ल क आएल।13तब सभाके सबटा लोकसब बिन्यामीनके लग गेल जे रिम्मोन नामके चट्टानमे रहैत छल, हुनकासबके संगे मिलाप करु से घोषणा कएलक।14तएं बिन्यामीनसब ओहि ठाम घुमिक आएल तब हुनकासबके गिलादीस' याबेशमेस' जीवित स्त्रीसब लएने रहए ओ हुनकसबके देलक मुदा ओ सबके लेल नहि पहुंचल।15आब लोकसब बिन्यामीनके लेल फेरुस' पछताइत छल की यहोवा इजराएलके एकटा वंशके उपटा देलक।16तखन सभाके धर्मगुरुसब कहलक, “हमसब कोनाक' बांकि रहल बिन्यामीनके वंशके लेल स्त्री उपाय क' सकी, किएक बिन्यामीनके स्त्रीसब मारल गेल अछि?”17ओसब कहलक, “बांकि रहल बिन्यामीनसबके लेल किछु अंश होए नहि त' ओसब इजराएलके वंशमेस' कहि गाएब नहि भ' जाए।18मुदा हमसब पत्नीकेलेल हुनकासबके अपन बेटी नहि द' सकैत छी किएक इजराएलके सन्तानसब शपथ खएने रहए ई कहिक' ‘की जे केओ बिन्यामीनके पत्नीकेलेल अपन बेटी देत त' ओ सरापल होएत।’”19तएं ओसब कहलक, “देखू, शीलो जे बेतेलके उत्तर दिस, बेतेलस' शेकेमके मूल दरवज्जा दिस जाएबला बाट आ लबोनाके दक्षिणमे यहोवाके लेल हरेक वर्ष पाबनि मना बैत छल।”20ओसब बिन्यामीनके सन्तानसबके ई कहिक आदेश देलक, “जाउ, आ ओहि दाखके बगानमे नुका' जाएब।21अहाँसब देखब की जखन शीलोके बेटीसब नचैत आएत, तखन अहाँसब जे अंगूर बगानमे नुका' क' बैसल लोकसब शीलोके अविवाहित बेटीसबके अपन पत्नी होएबाक लेल पकड़ि लेब आ ओकरासबके अपन देश बिन्यामीनमे ल' क' आबि जाएब।22जखन ओकरासबहक बाबु आ भाय ई विवाद करए लेल आएत, हमसब ओकरासबके कहबनि, ‘ओकरासबके दया क' क' पूर्णरुपस' द' दिअ, किएक त' युद्धके समय पुरुषसबके लेल पत्नीके नहि लाबए सकल। किएक अहाँसब ओहि समय हुनकासबके पत्नी नहि देलिऐ, जं अहाँसब एना करैत त' अहाँसब दोषी होइती।’”23तखन बिन्यामीनसब ओहने कएलक। ओसब नांच करएबाली स्त्रीमेस' एक-एकटा पकड़िक' स्त्रीके पत्नीके रुपमे ल' लेलक। आब ओसब अपन पिताके भूमिप' घुमिक आएल आ ओसब फेरुस' ओहि शहरके बनौलक आ ओहिमे रहए लागल।24तखन इजराएलके सन्तानसब अपन वंश आ घरानिमे आएल। ओसब अपन अपन पओने अंशमे चलि गेलथिन।25ओहि समयमे इजराएलमे कोनो राजा नहि छल। जिनका जे नजरिमे जे ठीक लगैत छल ओहे काम करैत छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.