1 Corinthians1
1हम, पौलुस, ई पत्र अहाँसबके लिख रहल छी, आ हमर संगी-विश्वासी सोस्थिनेस हमरे संगे अछि। परमेश्वर हमरा एहिलेल चुनलथि जे यीशु मसीहके प्रेरित बनएलेल पठबथि, किएकत' परमेश्वर इएह चाहैत छलथि। 2ई पत्र कोरिन्थ नगरमे रहल कोरिन्थ नामके मण्डलीके लेल लिखल गेल अछि। परमेश्वर अहाँसबके मसीह यीशुसंगे जोड़िक' अपने नामके लेल पवित्र क' देने छथि, आ ओ अहाँसबके हुनक अपने लोक होबएलेल बजौने छथि। अहाँसब विश्वासीसबके ओहि समूहके भाग छी जे कतेको देश आ नगरसबमे अपनासबके प्रभु यीशु मसीह नामके पुकार करैत अछि। यीशु मसीह ओकरोसबके आ अपनोसबके प्रभु छथि।3परमेश्वर, अपनासबके पिता, आ प्रभु यीशु मसीह अहाँसबपर कृपा करैत रहथि आ अहाँसबके शान्ति प्रदान करथि।4हम सदिखन अहाँसबलेल अपन परमेश्वरके धन्यवाद दैत छिएन्हि। एना एहिलेल करैत छी जे हम जनैत छी जे परमेश्वर अहाँसबके मसीह यीशुसंगे जोड़िक' कृपा देखा रहल छथि।5जं हम कहैत छी जे परमेश्वर अहाँसबपर कृपा देखा रहल छथि, हमर कहबाक अर्थ अछि जे ओ अहाँसबके सबकिछुमे मसीहसंगे जोड़िक' अहाँसबके सारा वचनमे आ सारा ज्ञानमे अहगरस' आशीष देने छथि।6परमेश्वर अहाँसबके सब आशीष देने छथि किएकत' अहाँसबके हमसब मसीहके विषयमे जे गवाही दैत कहने रही से सब सत्य छल ओ साबित कएने छथि।7परमेश्वर अहाँसबके लेल ई वरदानसब एहिलेल देलथिन जे अहाँसब पूर्णरुपस' आत्मिकरुपस' सुसज्जित भ' जाउ जखन अहाँसब दृढ़तापूर्वक अपनासबके प्रभु यीशु मसीहके घुरिक' अएबाक आशा करैत छी। 8जहिना परमेश्वर हमरासबके सन्देशके सांच साबित कएलथि, ओहिना ओ अहाँसबके भरोसाके सेहो मसीहमे सत्य साबित करथिन जाधरि जे अहाँसबके पृथ्वीपरके जीवन समाप्त नहि भ' जाए। तएं जहिया अपनासबके प्रभु यीशु मसीह पृथ्वीपर घुरिक' अओताह त' ओ अहाँसबके निर्दोष मानथि।9परमेश्वर प्रतिज्ञा कएने बातसब करएमे सदैव विश्वासयोग्य छथि, आ ओएह छथि जे खास क' क' अहाँसबके हुनक पुत्र, अपनासबके प्रभु, यीशु मसीहसंगे सबकिछु सझिया कर' लेल चुनने छथि। 10यौ विश्वासी भाइसब, अहाँसब जेकरा अपनासबके प्रभु यीशु मसीहके नामके अधिकार देने छथि, हम अहाँसबस' ई कहिक' निहोरा करैत छी जे अहाँ सबगोटे एक-दोसरस' एकमतमे रहू। अहाँसब प्रतिद्वन्दी समूहमे विभाजित नहि होउ, मुदा जे अहाँसब सोंचैत होएब ओहिमे सहमत होइत आ अहाँसब जे करएके निर्णय लैत छी ओहूमे सहमत भ' क' एक-दोसरस' मिलाप करु।11यौ भाइसब, हम अहाँसबस' निहोरा करैत छी किएकत', खलोएक घरके किछु लोकसब हमरा अहाँसबके विषयमे कहने अछि। जे अहाँसबके एक-दोसरमे फुट अछि।12हम जे बात कहि रहल छी ओ ई अछि उदाहरणके लेल, अहाँसबमेस' कतेक लोक दाबी करैत छी जे अहाँ पौलुस समूहके छी, आ केओ अपुल्लोसके समूहके छी, आ केओ पत्रुसक समूहके छी, आ केओ कहैत छी जे अहाँ मसीह समूहके छी। 13मसीह समूहमे बटाएल नहि छथि, तएं अहूंसबके समूहमे नहि बंटाए चाही। अहाँसबके लेल पौलुस क्रूसपर नहि चढ़ल, आ ने केओ अहाँसबके पौलुसके नामस' बपतिस्मा नहि देलक जे अहाँसब पौलुसके भ' जाइ।14हम परमेश्वरके धन्यवाद दैत छिएन्हि जे हमरा दूगोटे क्रिस्पुस आ गयुसके छोड़ि अहाँसबमेस' आओर केकरो बपतिस्मा नहि देने छी।15किएकत' हम अहाँसबमेस' किछुए लोकसब नहि कहि अहाँके नामस' बपतिस्मा भेल अछि, तएं केओ ई दाबी नहि क' सकैत छी जे हम अहाँके बपतिस्मा देने छी तएं अहाँ हमर समूहके छी।16आ हे, हमरा स्मरण अछि जे हम स्तेफनासके घरमे रहनिहारोसबके बपतिस्मा देने रहिऐ। एकरासबके छोड़िक' हमरा नहि बुझि पड़ैए जे हम अहाँसबमेस' कोनो आन लोकके बपतिस्मा देने छिऐ।17हम अहाँसबमेस' किछुए लोकसबके बपतिस्मा देलिऐ एकर कारण ई अछि जे मसीह हमरा बपतिस्मा देबएके आदेश नहि देलथिन। बल्कि ओ हमरा सुसमाचार सुनएबाक आदेश देने छथि। मनुष्यके बुद्धिस' भरल शब्दसबके हम उपयोग कएने बेगर करैत छी। एनाक', हम क्रूसपर मरएबला मसीहके सन्देशके व्यर्थ नहि करैत छी।18किएकत' जे सन्देश क्रूसपर मसीहके मृत्युके विषयमे सुनबैत छी ओ ओहि लोकसबके मूर्खइ लगैत अछि जे स्वयंपर विनाश लाबि रहल अछि। मुदा परमेश्वर एहि सन्देशमे हमरासब लेल शक्तिशालीरुपस' काज करैत छथि जेकरासबके ओ उद्धारक' रहल छथि।19अहूंसब कहि सकैत छी जे ई सत्य अछि, किएकत', प्रवक्ता यशायाह शास्त्रमे लिखने छथि, “जाहि बुद्धिमानी बातसबके बुद्धिमान सोंचैत अछि, हम ओहिके निकम्मा बना देबै, आ जाहि बातसबके समझदार आदमीसब समझदारी मानैत अछि हम ओकरा बेकार बना देबै।” 20तब, बुद्धिमानसब वास्तवमे बुद्धिमान नहि अछि, आ शास्त्रीसब वास्तवमे ज्ञानी नहि अछि, आ जे आदमीसब तर्क-वितर्क करएमे नीक अछि ओ वास्तवमे एहिमे नीक नहि अछि, किएकत', ओसब वर्तमान संसारके प्रणालीस' सम्बन्धित अछि। वास्तवमे परमेश्वर एहि बातके प्रगट कएने छथि जे एहि वर्तमान संसारमे जे बुद्धिस' भरल बात लगैत अछि ओ बुद्धिस' भरल बात एकदम्मे नहि अछि। 21एत' अछि जे परमेश्वर ई कोना कएलथि। जेना परमेश्वर बुद्धिमानीस' चुनाव कएलथि, अविश्वासीसब अपन संसारके बुद्धिपूर्ण सोंचस' परमेश्वरके नहि चिन्ह' सकलनि। तएं परमेश्वर ओहि आदमीसबके उद्धार करबाक निर्णय लेलनि, जेकरा विश्वासीसबके माध्यमस' मूर्खतापूर्ण सन्देशके प्रचारस' मसीहपर विश्वास अछि।22एक दिस, बहुते यहूदी लोकसब प्रमाणके लेल चमत्कार देखए चाहैत अछि। दोसर दिस, बहुते यूनानी आदमीसब बुद्धिमानी सोंचके खोज करैत अछि।23मुदा, हमसब ई घोषणा करैत छी जे मसीह क्रूसपर मरलथि। बहुते यहूदी लोकसब एहि सन्देशके अपमानजनक मानैत अछि, आ बहुते गैर-यहूदी लोक सोंचैत अछि जे ई सन्देश मूर्खइ अछि।24ओना, हमरासबके जेकरा परमेश्वर चुनि लेने छथि, हमसब चाहे यहूदी होइक वा यूनानी लोक, हमसब सिखने छी जे परमेश्वर मसीहद्वारा ई सन्देशके माध्यमस' शक्तिशालीरुपस' आ बुद्धिमानी ढंगस' काज करैत छथि।25किएकत', परमेश्वर कोनो मूर्खो लागएबला काज करैत छथि से मनुष्य जे किछु करैत अछि ओकर तुलनामे बहुत बुद्धिमानी अछि, आ परमेश्वर जे करैत छथि ओ कमजोर लगैत अछि, मुदा ओ आदमी जे किछु करैत अछि ओहिके तुलनामे बहुत शक्तिशाली अछि।26यौ विश्वासी भाइसब, प्रमाणके लेल एहि तथ्यके विषयमे विचार करियौ जे अहाँसबके परमेश्वर चुनने रहथि जेना अहाँसब छी। मनुष्यके दृष्टिस' देखल जाएत', अहाँसबमेस' बहुते गोटे बुद्धिमानीस' विचार नहि कएलिऐ, शक्तिशाली कर्म नहि कएलिऐ, वा महत्वपूर्ण परिवारसबस' सम्बन्धित नहि रही।27बल्कि, संसारके लोकसबके जे बात मूर्ख लगैत अछि परमेश्वर ओकरे चुनिक लेलनि जाहिस' ओ लोकसब विनम्र बनए जे बुद्धिमानीस' सोंचैत अछि। मनुष्यके जे बात निर्बल लगैत अछि परमेश्वर ओकरे उपयोगमे लएबाक निर्णय लेलनि जाहिस' ओहि लोकसबके आ ओहि वस्तुसब जे शक्तिशालीरुपस' काज करैत अछि ओसब विनम्र बनए।28आ परमेश्वर दुनियांके नीच आ तुच्छ बातके आ ओ वस्तु जे अस्तित्वेमे नहि अछि ओकरा चुनलनि, जे ओ जे वस्तु अछि ओकरा शून्यमे आनि सकथि।29परमेश्वर ई काज एहि लक्ष्यस' कएलनि जे कोनो मनुष्य अपने विषयमे परमेश्वरके दृष्टमे बड़ी-बड़ीटा बातसब नहि बाजए।30ई परमेश्वरे छथि जे अहाँसबके मसीह यीशुसंगे एक कएलनि। मसीहद्वारा काज क' क', परमेश्वर हमरासबके बुद्धिमान बनओने छथि। ओ हमरासबके निर्दोष घोषित कएने छथि, आ हमरासबके हुनके लोक होएबाक लेल चुनने छथि, आ हमरासबके दुष्टके शक्तिसबस' छुटकारा देने छथि। 31एहिलेल, किएकत, ओ परमेश्वरे छथि जे एहिसबटा काजसबके करैत छथि, हमरोसबके ओ करबाक चाही जे यर्मियाह प्रवक्ता लिखने छथि, “यदि लोक केकरो विषयमे बड़ी-बड़ीटा बातसब बोलए चाहए, त' ओसब प्रभुके विषयमे ओहि महान बातसब कहबाक चाही।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.