Numbers3

1ई किछु एहन बात अछि जे हारून आ मूसाक संग भेल छल जखन यहोवा सीनै पहाड़पर मूसास' बात कएलनि। 2हारूनके चारिटा बेटा छल। ओसब छल नादाब जे सबसं जेठ छल, अबीहू, एलीआजर आ ईतामार।3ई हारूनके पुत्र सबहक नाम अछि जे अभिषिक्त पुजारी छलाह आ पुजारीक रुपमे अलग कएल गेल छलाह आ हुनका पुजारीक रुपमे नियुक्त कएलनि।4मुदा जखन यहोवा देखैत छलाह तखन नादाब आ अबीहू सीनैक मरुभूमिमे मरि गेलाह, किएक त' ओसब धूप जरबैत छलाह जे यहोवाक आज्ञाक आज्ञा नहि मानैत छल। हुनकासबहक कोनो बेटा नहि छलनि, तएं एलीआजर आ ईतामार हारूनके एकमात्र पुत्र छलाह जे हुनकासबहक पिता हारूनके संग पुजारीक रुपमे रहि गेल छलाह।5तखन यहोवा मूसाके कहलथिन।6“लेवी कुलक लोकसबके आनिक' हारूनके समक्ष प्रस्तुत करु जाहिस' ओसब हारूनके सहायता करथि।7ओ लेवीसब हारून आ आन सब इजराएली समुदायके लोकके सेवा करत, जखन की ओसब पवित्र तम्बूक भीतर आ ओकर बाहर अपन काज करत।8ओसब इजराएली लोकक सेवा करथि आ पवित्र तम्बूक भीतरका सब वस्तुक ध्यान राखि।9लेवीके हारून आ ओकर दुनू बेटाके सहायता करबाक लेल ओकरासबके नियुक्त करु। हमसब इजराएली लोकमे स हुनकासबके चुनने छी जे एहन काज करथि।10हारून आ हुनकर दुनू पुत्रके ओहि काजमे नियुक्त करु जे पुजारीसब करैत छथि। मुदा जे केओ आओर ओहि काजके करए लेल पवित्र तम्बूके लग आबि जाएत ओकरा मारि देब पड़त।”11यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथिन।12“देखू, हम सारा इजराएलीसबमेस' लेवी कुलके लोकसबके चुनने छी जे इजराएलीसबके सब पहिन जमनलसबके स्थानपर रहथि। लेवीके पुरुष वंशज हमर अछि।13कारण, जाहि दिन हम मिस्रदेशके लोकसबके सब जेठ पुत्रसबके मारि देलहुं। हम इजराएलीसबके जेठ पुत्रसबके आ ओकरासबके अपनेलेल अलग क' देलिऐ। हम अहाँक तम्बू जानबरक जेठ नर सेहो अलग क' देलिऐ। ओसब हम, यहोवाके अछि।”14यहोवा सीनैक मरुभूमिमे फेरु मूसास' बात कएलनि। ओ कहलनि,15“लेवी कुलक पुरुष सदस्यक गनती करु। हुनकर नाम आ कुल आ कुल समूहक नाम लिखू। ओहि सब पुरुषक गनती करु जे कमस' कम एक मासक अछि।”16तखन मूसा हुनकासबहक गणना कएलनि, ठीक ओहिना जेना यहोवा आज्ञा देने रहथि।17लेवीके तीन बेटा छलनि, जेकर नाम गेर्शोन, कहात आ मरारी।18गेर्शोनके दूटा पुत्र छलनि, लिब्नी आ शिमी। जे कुल हुनकालोकनिक वंशज छलनि ओकर नाम ओहि दुनू बेटाके समान छल।19कहातक चारिटा पुत्र छलनि, अम्राम, यिसहार, हेब्रोन आ उज्जीएल। जे कुल हुनकालोकनिक वंशज छल, ओकर नाम ओहि चारु पुत्रक समान छल।20मरारीके दूटा बेटा छलनि, महली आ मूशी। जे कुल हुनकालोकनिक वंशज छलनि ओकर नाम ओहि दुनू बेटाके समान छल। ओ सबके कुल जे लेवीके वंशज छल।21गेर्शोन स' निकलल दूगोटेके कुल ओकर पुत्र लिब्नी आ शिमीस' निकलल अछि।22ओहि दुनू कुलमे 7,500 पुरुष छल जे कम स' कम एक मासक छल।23गेर्शोनसबके कुलके कहल गेलनि जे पवित्र तम्बूक पश्चिम दिस अपन तम्बू लगा दिऔ।24ओहि गेर्शोन दुनू कुलक मुखिया लाएलके पुत्र एल्यासाप छलाह।25गेर्शोन लोकनिक काज छलनि पवित्र तम्बूक देखभाल करब, जाहिमे ओकर पर्दा आ आवरण आ ओकर प्रवेशद्वारपर पर्दा सेहो सहभागी छल,26तम्बूके चारुकात आ वेदीके चारुकात जे पर्दा छल, ओहि आंगनके चारुकात देवाल बनबैत छल, आंगनके प्रवेशद्वारपर जे पर्दा छल, आ डेराके बान्हएबला रस्सा। पवित्र डेराक बाहरक वस्तुक देखभाल क सबटा काज सेहो ओसब करैत छलाह।27कहात स जे कुलक वंशज छल, से ओकर पुत्र अम्रामी, यिसहारी, हेब्रोनी आ उज्जीएली छल।28ओहि चारि कुलमे 8, 600 पुरुष छल जे कमस' कम एक मासक छल। कुलके आदमीके काम छल की पवित्र तम्बूके भीतर जे चीज छल, ओकर देखभाल करब।29कहातिसबके कुल पवित्र तम्बूक दक्षिण दिस अपन तम्बू सब लगा देलनि।30ओहि चारु कुलक मुखिया कहातीके कुलके उज्जीएलक पुत्र एलीसापान छलाह।31ओहि कुलक पुरुषक काज छल पवित्र सन्दूक, जाहि टेबुलपर पुजारी पवित्र रोटी रखैत छलाह, दीपक स्तम्भ, वेदी, सबटा वस्तु जे पुजारी पवित्र तम्बूमे प्रयोग करैत छलाह, आ पर्दा जे डेराक भीतर अछि। हुनकालोकनिक काज सेहो छलनि जे डेराक भीतरका वस्तुसबके देखभाल करब।32पुजारी हारूनके बेटा एलीआजर लेवीके सब पुरुष वंशजके मुखिया छल। पवित्र तम्बूपर जे काज होइत रहए ओकर रेखदेख ओ करैत छलाह।33जे कुल मरारी वंशस' छल से हुनकर पुत्र महली आ मूशी छल।34ओहि दुनू कुलमे 6, 200 पुरुष छल जे कमस' कम एक मासक छल।35मरारीसबके कहल गेलनि जे पवित्र तम्बूक उत्तर दिस अपन तम्बू लगाबथि। ओहि दुनू कुलक मुखिया अबीहेल के पुत्र सूरीएल छलाह।36मरारीके ओहि दुनू कुलके आदमीके काज छल जे तम्बूके उपर उठाबएबला ढांचा, घेरबा, खंभा आ आधारके देखभाल करब। ओहि वस्तु सबसं जे काज जुड़ल छल से ओसब सेहो कएलनि।37हुनकालोकनिक काज सेहो छलनि जे आंगनके देवाल बनएबला पर्दाके उपर उठबैत खंभा सबहक ध्यान राखब, आ ओहि पर्दाके बान्हए बलासब आधार, तम्बूक खूंटी आ रस्सा।38हारून आ मूसा आ हारूनके पुत्रसबके कहल गेलनि जे पवित्र तम्बूक सामनेक इलाकामे, पूर्व दिस अपन डेरा लगाबथि। हुनकालोकनिक काज छलनि जे पवित्र तम्बूमे आ ओकर आसपास जे काज कएल जाएत, ओकर रेखदेख करब, जाहिस इजराएली लोकक हित होएत। से करबाक अनुमति मात्र पुजारी लोकनिके छलनि। यहोवा घोषणा कएलनि जे केओ आओर जे काज पुजारीसब करैत छथि, तेकरा करबाक लेल तम्बू लग गेल छलाह, हुनका मारि देब पड़तनि।39हारून आ मूसा जखन लेवीके कुलक वंशजमे स कम स कम एक मासक उम्रक सब पुरुषक गनती यहोवाके आदेश अनुसार कएलनि त' कुल बाइस हजार भेल।40यहोवा मूसाके आगु आओर कहलथिन, “आब इजराएलीके आन सब जेठ पुत्रसबके गनती करु जे कमस' कम एक मासक अछि आ ओकरासबहक नाम लिखू।41आन इजराएली सबहक जेठ पुत्रक बदला लेवीके वंशजके हमरालेल अलग करु। आ हमरालेल लेवीके वंशजक मालजालके अलग क' दिऔ जे आन इजराएली लोकक जेठ मालजालक बदलामे राखल जा सकए।”42तखन मूसा एहन काज कएलनि। ओसब इजराएली लोकक जेठ पुत्रसबके गनती कएलनि, जेना यहोवाक आज्ञा छलनि।43कमस' कम एक मासक लोकक कुल संख्या 22, 273 छल।44तखन यहोवा मूसाके कहलथिन।45“लेवीके वंशजके दोसर इजराएली लोकक जेठ पुरुषक बदलामे राखू। लेवीके वंशज हमरा यहोवाक अछि।46लेवीके वंशजक अपेक्षा अन्य इजराएली लोकमे जेठ पुत्र 273 बेसी अछि।47एहि 273 पुरुषक लेल पाइ देबाक लेल हुनकासबमे स एक-एक गोटेकेलेल पांच-पांच टुकड़ा चानी जमा करु। ओहि चानीके प्रत्येक टुकड़ाक वजन ओहिना होएबाक चाही जतेक चानीके प्रत्येक टुकड़ा जे पवित्र तम्बूमे संग्रहित अछि।48ई चानी हारून आ ओकर बेटासबके द' दिऔ।” 49अत जे इजराएली पहिलौठ लेवीसबके द्वारा छोड़ाएल सबमेस बेसी रहैक ओकरासबके हाथस' मूसा छोड़ौतीके रकम लेलनि। ओहि 273 पुरुषस' चानी जमा कएलथि।50मूसा इजराएलीसबके जेठस' धन एकत्रित कएलनि। जम्मा 1,365 चानीके टुकड़ी छल। चानीके एक-एकटा टुकड़ीक वजन ओहिना छल जेना पवित्र तम्बूमे जमा चानीके एक-एकटा टुकड़ा। 51यहोवाक आज्ञाक अनुसार मूसा हारून आ हुनकर पुत्रसबके ई चानीके टुकड़ी द' देलथिन।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67