Genesis11

1 ओहि समयमे, समूचे दुनियांमे सबलोक एकेटा भाषा बजैत छल।2 जेना लोकसब पूर्व दिस यात्रा करैत गेल त' ओसब शिनार देशके एकटा मैदानमे पहुंच गेल आ ओतहि रहए लागल।3तखन ओसब एक दोसरास' कहलनि, “आउ, इंटा बनाक' ओकरा मजगुतीके लेल पकाबी!” तएं ओसब पत्थलक बदला ईंटाक प्रयोग कएलक, आ ओकरा जोड़बाकलेल गिलेवाके बदला अलकतराके प्रयोग कएलक।4ओसब कहलनि, “आउ, अपनालेल एकटा शहर बनाबी! हमरासबके एकटा बड़ उंच धरहरा सेहो बनएबाक चाही जे आकाश धरि पहुंचए! एहि तरहे लोकसबके जनतब होइक जे हम के छी! जं ई काज नहि करब त' हमसब सौंसे धरतीपर छिड़िया जाएब!”5   एकदिन यहोवा ओहि नगर आ ओहि धरहराके देखबाक लेल उतरलाह जे लोकसब बना रहल रहए।6 यहोवा कहलनि, “ईसब एकसमूह अछि आ ईसब एकहि भाषा बजैत अछि। यदि ओसब ई काज शुरु क' देने अछि त' ओकरासबके करबाक लेल असम्भव कोनो एहन काज नहि अछि जं ओसब करबाक लेल निर्णय ल' लेलक त'!7तएं हमसब ओतए' उतरिक' लोकसबके अलग-अलग भाषा बजबैत छी, जाहिस' ओसब एक-दोसरके बात नहि बुझि सकैक।”8एहि तरहे यहोवा ओकरासबके समूचे पृथ्वीपर छिड़िया देलनि आ लोकसब नगरके निर्माण छोड़ि देलक।9ओहि नगरके नाम बाबेल कहल गेल, किएक त' यहोवा समूचे पृथ्वीक लोकसबके एकेटा भाषा नहि बाजौलनि। यहोवा ओकरासबके ओहि ठामस' सौंसे पृथ्वीपर छिड़िया देलनि।10ईसब शेमके वंशज रहए। जल-प्रलयके दू वर्षके बाद जं शेम एक सय वर्षक भेल त' ओ अर्पक्षदके बाप भेल।11अर्पक्षदके जन्मक बाद शेम पांच सय वर्ष आओर जीवित रहल आ ओकरा आओर धियापुता भेल।12अर्पक्षद जं' पैंतीस वर्षके भेल त' ओ शेलहके बाप बनल।13शेलह जन्मक बाद अर्पक्षद 403 वर्ष आओर जीवित रहल आ आओर धियापुता जन्मौलक।14जं' शेलह तीस वर्षक रहए त' ओ एबेरक बाप बनल।15एबेरके जनमलाके बाद शेलह चारि सय तीन वर्ष आओर जीवित रहल आ आओर धियापुता जन्मौलक।16जं' एबेर चौंतीस वर्षक भेल त' पेलेगके पिता भेल।17पेलेगक जन्मके बाद एबेर चारि सय तीस वर्ष आओर जीवित रहल आ आओर धियापुता जन्मौलक।18पेलेग जं तीस वर्षक भेल त' ओ रूके पिता भेल।19रूके जन्मके बाद पेलेग दू सय नऔ वर्ष आओर जीवित रहल आ आओर धियापुता जन्मौलक।20रऊ जं' बत्तीस वर्षक भेल त' ओ सरुगक पिता भेल।21सरुगके जन्मक बाद, रऊ दू सय सात वर्ष आओर जीवित रहल आ आओर धियापुता जन्मौलक।22जखन सरुग तीस वर्षके भेल त' ओ नाहोरक पिता भेल।23नाहोरक जन्मक बाद सरुग दू सय वर्ष आओर जीवित रहल आ आओर धियापुता जन्मौलक।24जखन नाहोर उनैस वर्षक भेल त' ओ तेरहक पिता भेलै।25तेरहक जन्मक बाद नाहोर एक सय उनैस वर्ष आओर जीवित रहल आ आओर धियापुता जन्मौलक।26तेरह सत्तरि वर्षक बाद अब्राम, नाहोर आ हारानक पिता भेलै।27तेरहके वंशजके विषयमे एहन विवरण अछि: तेरहके बेटा अब्राम, नाहोर आओर हारान छल। हारानक बेटाके नाम लूत छल।28 जखन हारान कल्दीक देशके ऊर नगरमे अपन पिता तेरहके उस्थितिमे मरि गेलाह तखन हारानके पिता हुनकासंग छलाह। ई ओ भूमि अछि जत' हुनकर जन्म भेल छलनि।29अब्राम आ नाहोर दुनूके विवाह भेल। अब्रामके पत्नीके नाम सारै रहए, आ नाहोरके पत्नीके नाम मिल्का। मिल्का आ ओकर बहिन इस्का हारानके बेटी छलीह।30सारै कोनो सन्तान नहि पाबि सकलीह।31   तेरह कसदीके ऊर छोड़ि कनान देशमे रहबाक निर्णय लेलनि। तएं ओ अपन बेटा अब्राम आ हारानक बेटा लूत आ अब्रामक पत्नी सारैके अपना संग ल' गेलाह। मुदा कनान जएबाक बदला हारान नगरमे रुकिक' ओतहि रहि गेलाह।32 तेरह दू सय पांच वर्षक भेलापर हारान मरि गेलाह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67