Revelation21

1अन्तिम न्यायके दर्शनके बाद, फेरु तखन हम एकटा नव स्वर्ग आ नव पृथ्वीके देखलहुं। पहिनुका स्वर्ग आ पहिनुका पृथ्वी बिला गेल छल, आ महासागर सेहो आब अस्तित्वमे नहि छल। 2आ ओहि समय हम परमेश्वरक पवित्र शहरके देखलहुं, जे नव यरूशलेम छल। ई परमेश्वरके स्वर्गस' नीचा आबि रहल छल। परमेश्वर एहिके तैयार कएने आ सजौने छलथि, ठीक ओहिना जेना विवाह क लेल कोनो नव कनियां सजबैत अछि।3तखन हम परमेश्वरके सिंहासनस' एकटा जोरस' ई कहैत आवाज सुनलहुं, “एहिके सुनू। आ परमेश्वर लोकसबके संग रहितथि। ओ ओहि लोकसबके बीचमे निवास करतथि। ओसब हुनकर लोक होएतथि। परमेश्वर स्वयं ओहि लोकसबके संग रहितथि, आ ओ ओकरासबके परमेश्वर होएतथि। 4ओ आब ओकरासबके कहियो दुखित नहि होबए देथिन। ओ ओकरासबके फेरुस' कानए नहि देथिन। ओहि लोकसबमेस केओ फेरु कहियो नहि मरतैक, आ नहि शोक, आ नहि नोर आ नहि पीड़ा सहए पड़तैक किएकत' परमेश्वर ओहि वस्तुसबके सबके लेल हटा देने छथि आ ओहन वस्तुसब सदाके लेल मेटा देल गेल अछि।” 5तखन परमेश्वर जे सिंहासनपर विराजमान छलथि से बजलथि, “सुनू, आ हमसब किछु नव क' रहल छी!” ओ हमरा कहलथि, “एहि बातसबके लिख लिअ जे हम अहाँके कहने छी। किएकत' अहाँ एहिपर भरोसा क' सकैत छी जे हम सांच्चे ओहिके पूरा करएबला छी।” 6ओ हमरा इहो कहलथि, “हम ई सब काज पूरा क' देने छी! हम ओ छी जे सबकिछु शुरु कएने रही आ ओ छी जे सब किछुके अन्त क' देब। सब केओ जे चाहैत अछि, हम ओकरासबके मंगनिएमे सोताके जीवन जल देब, जे सबके लेल ओकरासबके लेल जिअएके कारण होएत।7ई हम ओकरासबके देब जे शैतानपर विजयी प्राप्त कएने अछि। हम ओकरासबके परमेश्वर, आ ओ हमर पुत्र होएत।8मुदा जे लोकसब डरपोक अछि, जे हमरापर विश्वास नहि करैत अछि, जे घृणित काजसब करैत अछि, जे हत्या करैत अछि, जे व्यभिचार करैत अछि, जे जादू-टोना करैत अछि, जे मूर्तिपूजक अछि, आ सब झूठ बाजएबला, आगि आ गन्धकस' धधकैत झीलमे पीड़ित होएत। ई धधकैत झील दोसर मृत्यु अछि।” 9तेकरबाद, सातो स्वर्गदूतसबमेस' एक दूत, जिनकालग सातटा कटोरा छलनि जे अन्तिम सात दुखसबके कारण देखबैत अछि, ओ आबिक हमरा कहलनि, “हमरासंगे आउ आ हम ओहि लोकसबके देखाएब जे स्थायी रुपस' बलि-भेंड़ाके दुल्हिन आ स्त्री होएतीह।”
10तखन परमेश्वरके आत्मा हमरा नियन्त्रण कएलथि, आ स्वर्गदूत हमरा एकटा उंचगर पहाड़के उपर ल' गेलथि। ओ हमरा परमेश्वरके पवित्र शहर नव यरूशलेमके देखएलनि, जे परमेश्वरके स्वर्गस' नीचा उतरि रहल छल।11ई ओहि उज्जर महिमामय प्रकाशस' चमकि रहल छल जे स्वयं परमेश्वरस' निकलि रहल छल। शहर एकटा बहुमूल्य मणिसन चमकि रहल छल, आ ई सीसा जकां साफ छल।12ओ शहरके चारुभर एकटा बड्ड उंच देवाल छल। देवालमे बारह फाटक छल। प्रत्येक फाटकपर एकटा स्वर्गदूत छल। इजराएलके बारहो कुलके नाम ओहि फाटक सब पर लिखल छल। प्रत्येक फाटकपर एक कुलके नाम लिखल छल।13पूर्व दिस तीन फाटक छल, तीन फाटक उत्तर, तीन फाटक दक्षिण, आ तीन फाटक पश्चिम दिस छल।14शहरके देवालमे बारह पत्थलके नेओ छल। प्रत्येक पत्थलपर बारहो प्रेरितके नाम छल जिनका सबके बलि-भेंड़ा नियुक्त कएने छलथि।15हमरासंगे जे स्वर्गदूत बतिआति रहए, ओ एकटा सोनाके लग्गा लेने रहथि, जाहि ल' क' ओ शहर, ओहिके फाटक आ ओकर देवाल नपलनि। 16शहर आकारमे चौखुट छल; ओकर लम्बाइ आ चौड़ाइ बरोबरि छल। स्वर्गदूत अपन ओहि लग्गास' शहरके नापी कएलाक बाद बतौलनि जे ई 2, 400 किलो मीटर लम्बाइ आ एकर चौड़ाइ आ उचाइ लम्बाइए जतेक छल।17ओ स्वर्गदूत ओहि शहरके देवालके नापि लेलनि आ बतौलनि जे ई साठि मीटर मोटाइ छल। स्वर्गदूत ओहि मापनस नाप कएने रहए, जे सामान्य रुपस' लोकसब उपयोग करैत अछि।18शहर देवाल किछु हरियर पत्थलसन पदार्थस' बनाओल गेल रहए जेकरा हमसब सीसा कहैत छी। शहर शुद्ध सोनास बनल छल जे सीसा जकां पारदर्शी देखाइत छल।19शहरके देवालके नओ नीक बहुमूल्य पत्थलस बनाओल गेल छल। सबस' पहिने नओके पत्थल सीसा छल, नओके दोसर पत्थल नीलमणि छल, तेसर पत्थल नओमे गोदन्तीक छल, चारिम पत्थल मरकतक छल ,20पांचम पत्थल नओमे गोमेदक छल, छठम नओके पत्थल माणिक्य छल, सातम पत्थल नओमे पीतमणि छल, आठम नओके पत्थल परोज छल, नवम नओके पत्थल पुषराज छल, दसम पत्थल नओमे लहसनियाके छल, एगारहम नओके पत्थलमे धुम्रकांत छल, आ बारहम नओके पत्थल नीलम छल।21शहरके बारहो फाटक नमहर मोती समान छल। प्रत्येक फाटक एकटा मोती जकां छल। शहरके सड़कसबके शुद्ध सोनाके रुपमे देखाओल गेल, साफ सीसासन देखाइ दैत छल।22शहरमे कोनो सभाघर नहि छल, किएकत' स्वयं प्रभु परमेश्वर, जे सब पर राज करैत छथि, आ बलि-भेंड़ा ओतए छथि; एहिलेल ओतए सभाघरके कोनो आवश्यकता नहि छल।23शहरके प्रकाश देबएलेल कोनो सूर्य वा चन्द्रमाके आवश्यकता नहि रहत, किएकत' परमेश्वरस' निकलएबला महिमामय प्रकाश शहरके प्रकाशित करत, आ बलि-भेंड़ा सेहो एहि शहरके प्रकाश होएतथि। 24पृथ्वीके सब जातिके लोकसब ओहि महिमामय प्रकाशमे जीवन व्यतीत करत। पृथ्वीके राजासब अपन धनके परमेश्वर आ बलि-भेंड़ाके सम्मानमे शहरमे ल' क' आओत।25शहरके फाटक दिन बितलापर सेहो बंद नहि कएल जाएत, किएकत' ओतए राति नहि होएत। 26संसारके सब लोकसब सेहो अपन अपन धन सम्पत्तिसब आ वैभव ल' क' आओत।27जे नैतिकरुपस' किछु अशुद्ध अछि, केओ एहन काज करैत होइक जाहिस' परमेश्वर घृणा करैत छथि, आ जे केओ झूठ बजैत अछि, ओ कहियो ओहि शहरमे प्रवेश नहि करत। मात्र ओहे लोकसब ओहि शहरमे प्रवेश करत जेकर नाम बलि-भेंड़ाके पुस्तकमे लिखल गेल अछि, जाहि पुस्तकमे ओहि लोकसबके नाम अछि जेकरा सबलग अनन्त जीवन अछि, ओहेसब ओत रहितथि। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67