Revelation22

1तेकरबाद स्वर्गदूत हमरा ओ शहर आ नदी देखएलनि जे ओहि लोकसबके लेल पीबाक लेल पानि दैत अछि जे ओसब सबके लेल जीवित रहैक। ओ पानि चमकैत आ सीसासन स्वच्छ छल। ओ नदी सिंहासनस' बहैत छल जत परमेश्वर आ बलि-भेंड़ा विराजमान छलथि।2ई नदी शहरके मुख्य सड़कके बीचोबीच बहैत छल। नदीके दुनू कात फलके गाछ छल, जेकरा लोकसब खाइत छल जे ओसब सबदिनके लेल जीवित रहैक। गाछमे बारह प्रकारके फल फड़ैत अछि; ओसब प्रत्येक महिना एक प्रकारके फल दैत अछि। सब जातिके लोकसब ओहि गाछक पताके दवाइ जकां उपयोग करैत अछि जे ओकरासबके घाव ठीक भ जाइक। 3ओतए केओ आ किछु नहि होएत जे परमेश्वरद्वारा सरापल होइक। परमेश्वर आ बलि-भेंड़ाके सिंहासन ओहि शहरमे स्थापित होएत। परमेश्वरके दास हुनक आराधना करतनि। 4परमेश्वरके सेवकसब हुनका आगुमे जा' क' देखतनि आ हुनक नाम ओकरासबके कपार पर लिखल होएत।5फेरु ओतए कहियो राति नहि होएत, परमेश्वरके सेवकसबके डिबिया आ सूर्यके प्रकाशके आवश्यकता नहि होएत, किएकत' प्रभु परमेश्वर ओकरासबपर अपन प्रकाश चमकौतथि। ओ सदा सर्वदाके लेल शासन करतथि। 6तेकरबाद, स्वर्गदूत हमरा कहलनि, “ई बातसब जे परमेश्वर अहाँके देखएलथि से सत्य अछि आ एहिपर भरोसाक' सकैत छी, आ परमेश्वर सांच्चे एना करथिन। प्रभु परमेश्वर जे प्रवक्तासबके सबके आत्मासबके प्रेरित करैत छथि, ओ अपन स्वर्गदूतके ओ घटना जे जल्दी होबएबला छल से ओहि लोकसबके देखबाक लेल पठौलनि, जे हुनक सेवक छनि।”7यीशु अपन सब लोकके कहलथि, “सुनू, हम जल्दिए आबएबला छी; परमेश्वर एहि चर्मपत्रबला पुस्तकमे लिखल गेल सबटा बात पालन करएबला लोकसबके अधिकांश' आशीष देथिन।”8हम यूहन्ना छी, जे ई सुनलहुं आ दर्शनमे देखला आ सुनलाकबाद ई बातसब लिखने छी। जं हम हुनका देखलहुं आ सुनलहुं, हम तुरन्त ओहि स्वर्गदूतके आराधना करबाक लेल निहुरलहुं, जे हमरा ई सबटा बात देखओने रहथि।9मुदा ओ हमरा कहलनि, “हमरा दण्डवत नहि करु, हम त' अहींसन परमेश्वरके सेवक छी; हमहूं अहाँके भाइ-बहिन सन संगी सेवक छी, जे प्रवक्ता अछि, आ जे एहि चर्मपत्रबला पुस्तकके सन्देशके आज्ञापालन करैत अछि। तें अहाँ हमरा नहि परमेश्वरे के आराधना करु!”10ओ स्वर्गदूत हमरा इहो कहलनि, “एहि चर्मपत्रबला पुस्तकमे परमेश्वर जे भविष्यवाणी कएने छथि, ओहिके विषयमे जे सन्देश अछि ओहिके मोहर लगाक' गुप्त नहि राखू। किएकत' एहि सन्देशसबके पूरा करबाक समय लगचिआ गेल अछि।11किएकत' ओ समय निकट अछि, यदि लोक दुष्टकाज करैत अछि आ करिते रहए चाहैत अछि, त' ओकरासबके एहिना करए दिऔ। परमेश्वर जल्दिए ओकर बदला देतथि। यदि नीच लोक नीच बनले रहए चाहैत अछि, त' ओकरा ओहने रहए दिऔ। परमेश्वर जल्दिए ओकरोसबके बदला देथिन। जे लोकसब धार्मिकतास' काज करैत अछि, ओकरासबके धार्मिकतास' काज करैत रहबाक चाही। जे पवित्र अछि ओसब पवित्र रहैक।”12यीशु सबलोकके कहैत छथि, “सुनू! हम जल्दिए आबएबला छी! आ हम सबगोटेके ओकर कएल गेल काजसबके अनुसार दण्ड आ प्रतिफल देब। 13हम ओहे छी जे सबकिछु शुरु कएलहुं आ हमहीं छी से सबटा बातके अन्त करब। हम सबस' पहिने छी आ हमहीं सबके अन्तमे छी। 14परमेश्वर ओहि लोकसबसंग बड्ड प्रसन्न छथि जे अपन नमहर वस्त्र धोइत अछि आ ओहिके साफ क' लैत अछि किएकत' ओकरासबके ओहि गाछक फल खएबाक अधिकार होएतै, जे लोकसबके अनन्त जीवन दैत अछि। किएकत' ओसब पवित्र शहरमे फाटकस' प्रवेश करएमे योग्य होएतथि।15शहरके बाहर एहन लोकसब अछि जे अपवित्र अछि। ओ एहन लोक अछि जे जादू-टोना करएबला, कुकुर , अनैतिक शरीरक सम्बन्ध राखएबलासब, जेसब आन लोकके हत्या करैत अछि, मूर्तिपूजकसब, ओसब जेकरा झूठ बाजब नीक लगैत अछि आ सदैव झूठ बजैत अछि। एहन लोकसब कहियो ओहि शहरमे प्रवेश नहि क' सकैत अछि।”16“हम, यीशु अपन स्वर्गदूतके एहिलेल पठएलहुं जे ओ अहाँसब जे विश्वासीसबके समूह छी, अहाँसबके ई गवाही देब जे ई सब सांच बात अछि। हम राजा दाऊदके वंशके छी जाहिके विषयमे प्रवक्तासब कहने रहथि जे ओ अओताह, जे भोरके चमकैत तरेगनसन छथि।” 17पवित्र आत्मा आ हुनक लोक, जे मसीहके दुल्हिन समान अछि, ओकरासबके कहए चाहैत छी जे विश्वास करए चाहैत अछि, “आउ!” जे केओ एहि बातके सुनैत अछि आ ओहिके विश्वास करएके इच्छा करैत अछि ओकरासबके आज्ञा दिऔ, “आउ!” जे केओ आबए चाहैत अछि ओकरासबके आबए चाही! ओ सब केओ जे जीवनके जलके इच्छा करैत होइक जे लोक सदाके लेल जिअएके योग्य बनबैत अछि, ओहि जलके बिना मोलके प्राप्त क' लेब चाही। 18हम, यूहन्ना, अहाँसबके गवाही स्वरुप गम्भीर चेतावनी दैत छी जे ओहि सन्देशके सुनैत छी, जे हम एहि भविष्यवाणी कएने छी, यदि केओ एहि सन्देशमे किछु जोड़ैत अछि, त' परमेश्वर ओकरासबके ओहे दण्ड दितथि जाहिके चर्चा एहि चर्मपत्रबला पुस्तकमे कएल गेल अछि। 19यदि केओ ओहिमेस' किछु निकालि दैत अछि जे हम एहि पुस्तकमे भविष्यवाणी कएने छी त' परमेश्वर ओकरास' ओहि गाछक फल खाएके अधिकार छिन लेतनि जे लोकसबके सदा जीवित रहएमे योग्य बनबैत अछि। परमेश्वरके शहरमे प्रवेश करएके अधिकार सेहो ओहि व्यक्तिस' छिन लेतनि। एहि दुनू बातक वर्णन एहि पुस्तकमे कएल गेल अछि। 20यीशु, जे एहि सबबातके गवाही दैत कहैत छथि जे ई सब बात सांच अछि, ओ कहैत छथि, “निश्चय हम जल्दिए आबएबला छी!” हम, यूहन्ना, उत्तर देलिऐ, “आमीन! यौ प्रभु यीशु, आउ!” 
21हम प्रार्थना करैत छी जे अपनासबके प्रभु यीशु अहाँसबपर जेसब परमेश्वरके लोकसब छी कृपा करैत रहथि। आमीन!

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67