Numbers25

1इजराएल शित्तिम मे ठहरि गेल, आ किछु इजराएली लोकसब मोआबी स्त्रीसबसंगे व्यभिचार कर' लागल,  2किएक त मोआबी स्त्रीसब ओहि लोकसबके अपन देवतासबके बलिदान यज्ञमे न्योता देने रहैक। तें इजराएली लोकसब खएलक आ मोआबी देवतासबके आगु दण्डवत कएलक। 3इजराएलके लोकसब पोरके बाल देवताके पूजामे लागि गेल, आ यहोवाके पित्त इजराएलके विरुद्ध उठि गेल।4यहोवा मूसाके कहलखिन, “इजराएलके सबटा अगुवाके ल' क' आउ जे एहि मूर्तिपूजाके लेल जिम्मेवार अछि आ सबटा अगुवासबके हमरा सामने मारि दिऔ। ई दिनेमे करु, जाहिस' हमर भयंकर क्रोध इजराएलस' दूर भ' जाए।”5तएं मूसा इजराएलक अगुवा सबस' कहलखिन, “अहाँमेस' प्रत्येकके अपन लोकसबके मृत्युदण्ड देबाक चाही जे पोरके बाल देवताके पूजा करबामे सहभागी भ' गेल अछि।”6बादमे जखन मूसा आ इजराएलक पूरा सभा जखन भेटक तम्बूके प्रवेशद्वारपर कनैत छलाह तखन इजराएलीसबमेस' एकटा अपन तम्बूमे एकटा मिद्यानी स्त्रीके ओकरासबके आंखिक सोझा अनलकनि। 7जखन पुजारी हारूनके पुत्र एलीआजरके पुत्र पीनहास ई देखलक तब ओ समुदायक बीचसं उठल आ हाथमे भाला लेलक।8ओ इजराएली आदमीक पाछु-पाछु तम्बू धरि पहुंच गेल आ भालाके ओकरा दुनूगोटेके शरीरमे भोइंक देलक, इजराएली पुरुष आ ओहि स्त्री दुनूमे। तएं एकटा महामारी जे यहोवा इजराएलीके लोकसबपर पठौने छलाह ओ बंद भ' गेल।9महामारीस' मरएबला लोकक संख्या चौबीस हजार छल। 10यहोवा मूसास' बात करैत कहलनि,11“पुजारी हारूनके पुत्र एलीआजरके पुत्र पीनहास हमर क्रोधके इजराएलक लोकसबस' दूरक' देलक किएक त ओ ओकरासबहक बीच हमर जोशस' प्रेरित भेल छल। तएं हम अपन तावमे इजराएलक लोकके भस्म नहि कएने छी।12तएं कहू, ‘यहोवा कहैत छथि, “देखू, हम पीनहासके अपन शान्तिके करार द' रहल छी।13हुनक आ हुनक बादक हुनक वंशजक पुजारीसबके लेल ई अनन्तके लेल करार होएत किएक त' ओ हमरा, अपन परमेश्वरक लेल उत्साही छल। ओ इजराएलके लोकक लेल प्रायश्चित कएने छथि।”’”14आब मिद्यानी महिलाके संगे मारल गेल इजराएली पुरुषक नाम सालूक पुत्र जिम्री छल, जे शिमोनीके सबहक कुल लोकक बीच पूर्वजक परिवारक अगुवा छलाह।15मारल गेल मिद्यानी महिलाके नाम सूरके कोजबी बेटी छल, जे मिद्यानीके एकटा कूल आ परिवारक मुखिया छलीह।16एहिलेल यहोवा मूसाके आओर आगु बजएलखिन आ कहलखिन,17“मिद्यानी लोकसबके दुश्मन जकां बुझू आ ओकरासबपर आक्रमण करु,18किएक त मिद्यानी लोकसब अहाँसबके अपन छलस' दुश्मन जकां व्यवहार कएने रहैक। ओसब अहाँसबके पोरके घटनामे बाल देवताके पूजा करएके दुष्टतामे लगएने रहैक आ ओकरासबहक बहिन कोजबी के घटनामे, जे मिद्यानी अगरियाके बेटी छलीह, पोरके मामिलामे महामारीके दिनमे मारल गेल छलीह।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67