Jonah1

1एकदिन एहन भेलैक जे यहोवा अमित्तैक बेटा योना प्रवक्तास' बतिअएलथि। यहोवा हिनका कहलकन्हि,2“हम देखलहुं जे नीनवेके लोकसब बड़ अधलाह काजसब क' रहल अछि। ताहिके लेल अहाँ एकरा सुधार' लेल तैयार होउ। अश्शूरक ओहि महान राजधानी नीनवे शहरमे लगले अहाँ जाउ आ लोकसबके न्यायके सन्देशके प्रचार करु। नहि त' हम ओकरासबहक पापके सजाय देबाक योजना बना रहल छी।”3योना चलि गेल, मुदा उन्टे, बड़ दूर तर्शीश शहर दिस, ई सोंचि जे ओ ओतहि यहोवास' दूर रहत। ओ याफा नगरक बंदरगाह पर पहुंचल आ तर्शीश जएबाक लेल एकटा जहाज तैयार भेटल। जहाजक कप्तान ओकरास भाड़ा देबएलेल कहलकैक आ ओ ओकरा भाड़ा द' देलनि, तखन ओ जहाजमे प्रवेश क क' कप्तान सबहक संग तर्शीश जा सकए, जाहिस' ओ यहोवास' दूर भागि जाए।4मुदा यहोवा समुद्रक उपर एकटा बिहाड़ि चलौलनि, आ एतेक भयंकर अन्हड़ बिहाड़ि ने उठल जे पकर हिलकोर नावके तोड़ए बला छल।5खेबैयासब डरा गेल आ सबगोटे जोर-जोरस' अपन अपन देवतासबस' प्रार्थना कएलक जे ओ हिनकासबके अन्हड़ बिहाड़ि स' बचालैथ। एतधरि जे जहाजके हलुक बनएबाक लेल किछु मालसमानके सेहो पानिमे फेक देलक। एना कएलास' ओकरासबहक आशा रहए जे जहाज सहज स' उनटि क डुबए नहि। जखन ई सब चलि रहल छल, योना जहाजक निचका भागमे पड़ल छल आ नीक जकां सुतल छल!6तखन नाविकदल के अगुवा ओहि ठाम गेल जत योना सुतल रहए। ओ योनाके जगबैत कहलक, “रे तोरामे कोनो एहन गड़बड़ी अवश्य छौ जाहिस तों एहनो तूफानमे सुतल छे! उठू! आ जाहि देवताके तों पुजैत छे, हुनकास' प्रार्थना कर! जे ओ देवता हमरो सबहक विषयमे नीक सोचिक' हमरासबके बचा लेताह!”7तखने एकटा कप्तान, दोसर कप्तानसबके कहलनि, “हमरासबके ई जानएलेल चिट्ठा रखबाक आवश्यकता अछि जे हमरासबहक संग ई भयावह दुर्घटना केकरा कारणे भेल अछि!” तएं ओसब चिट्ठा रखलक आ चिट्ठा योना दिस इसारा कएलक।8तखने एकटा नाविक हुनका कहलनि, “अहाँ हमरासबके ई कहू जे हमरासबके संगे ई भयावह घटनाके कएलक? अहाँ कोन काज करैत छी? अहाँ कत' स' आएल छी? अहाँ कोन देशके छी? अहाँ कोन समूहके लोक छी?”9योना ओकरासबके उत्तर देलथिन, “हम इब्रानी छी; हमर यहोवा, एगो सच्चा परमेश्वर, जे स्वर्गमे रहैत छथि, हुनके आराधना करैत छी जे समुद्र आ धरती दुनूके सृजनहार छथि।10नाविक सबके बुझल छलनि जे योना यहोवास' दूर भागि जएबाक प्रयास क' रहल अछि आ यहोवा हुनका जे सब कर' कहने रहथि, से नहि कएलनि।” आब जखन हुनको सबके बुझए' मे अएलनि जे समुद्रो पर नियन्त्रण यहोवेके छनि, तखन ओसब डेरा गेल। तखने एकटा नाविक योनाके कहलनि, “अहाँ भयंकर अपराध कएलहुं! आब हमसब अहाँके चलते मरएबला छी!”11अन्हड़-बिहाड़ि आओर बेसी बढ़ैत गेल अछि आ समुद्रके लहरि बढ़ैत गेल अछि। तएं एकटा नाविक योनास' पुछलक, “हमसब अहाँके की करु जाहिस समुद्र शान्त भ' जाए?”12योना, हुनकासबके उत्तर देलथिन, “हमरा उठाक' समुद्रमे फेक दिअ'।” जं अहाँ एना करब त' समुद्र शान्त भ' जाएत आ अपनासबके डेराएब छोड़ि देत। ई काज करु, किएक त' हमरा पूर्ण विश्वास एहि जे ई भयावह तूफान अहाँ लग आबि गेल, कारण हमरा जत जाए प्रभु कहने छलाह, ततए हम नहि गेलहुं।13मुदा ओ कप्तान ई काज नहि कर' चाहैत छलथि। बल्कि जहाजेके घुमाक' समुद्र कातमे लाबएके बहुत कोशिस कएलनि। मुदा ओसब से नहि क' सकलनि। किएक त' ढेहू ओकरासबके बलबुता स' फाजिलके बात भ' रहल छल। लहरि ओकरासबके बलबुता स' फाजिलके भ रहल छल।14हारि थाकिक' सब नाविक यहोवास' प्रार्थना कएलनि, “हे! यहोवा, अपने हमरासबहक संग भेल एहिसब बातपर नियन्त्रण रखलहुं, जाहिमे तूफान आ हमसब जे चिट्ठा फेकने छलहुं। ताहिके लेल हम, अहाँस' आग्रह करैत छी। हे! यहोवा, ओहि आदमीके कारण हमरोसबके नहि मरए दिअ। आ अहाँ हमरासबके नहि मारब किएक त' हमसब एहन व्यक्तिके मारि रहल छी जे हमरासबहक संग कोनो तेहन अधलाहो नहि कएलक।”15तखन ओसब योनाके उठाक' समुद्रमे फेक देलक। तुरत, समुद्र शान्त भ' गेल।16जखन ई घटना भेल त' ओ कप्तानसब ई देख डेराक' आश्चर्यचकित भ' गेल जे प्रभु कतेक शक्तिशाली छथि। ओसब परमेश्वरके बलि चढ़ओलनि, आ तात्पर्यतास' प्रण कएलनि जे आब ओहोसब हुनके मात्र आराधना करत।17जखन योनाके समुद्रमे फेक देलक त', ओकरा गिंरबाकलेल यहोवा एकटा बढ़का माछ पठौलनि, आ तीन दिन आ तीन राति धरि योना ओहि माछे के पेटेमे रहल। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67