Genesis43

1कनानमे अकाल आओर बढ़ि गेल।2अन्तमे, जखन याकूब आ ओकर परिवार मिस्रस' आनल सबटा अनाज खा लेलक तखन याकूब ओकरासबके कहलनि, “फेरु मिस्र जाउ आ हमरासबके लेल किछु आओर अनाज किन लाउ!”3मुदा यहूदा कहलनि, “हमरासबके अनाज बेचनिहार आदमी हमरासबके कड़ा चेतावनी देने रहैक जे, ‘जं अहाँसब आएब त' अहाँसबके छोट भाय अहाँसबहक संग नहि रहत त' हम अहाँसबके फेरुस' हमरा नजरि नहि आबि।’4तएं जं अहाँ हमरासबके संग छोट भायके पठाएब त' हमसब मिस्र जा क' अहाँसबके लेल किछु अनाज किन लेब।5मुदा जं अहाँ ओकरा नहि पठाएब त' हमसब ओतए नहि जाएब, किएक त' ओ आदमी हमरासबके कहने रहैक जे, ‘जं अहाँसबके छोट भाय अहाँसबके संग नहि रहत त' हम फेरुस' अहाँसबके भेट नहि देब।’”6याकूब पुछलथि, “अहाँ ओहि आदमीके ई बात कहिक' हमरा कष्ट किएक देलहुं जे अहाँसबके छोट भाइ सेहो अछि?”7ओकरासबमेस' एकगोटे उत्तर देलनि, “ओ आदमी हमरा आ हमर परिवारके विषयमे पुछलनि। ओ बजलाह, ‘अहाँक बाबु एखनो जीवित छथि? अहाँक दोसरो भाइ अछि की?’ हमरासबके हुनकर प्रश्नके उत्तर देब पड़ल। हमरासबके ई नहि बुझल छल जे ओ कहतनि, ‘अगिला बेर जखन एत आएब तखन अपन भाइके संग लाएब!’”8तखन यहूदा अपन बाबु याकूबके कहलनि, “हमरासंगे ओहि लड़काके पठा दिऔ, हमसब तुरन्त चलि जाएब, जाहिस' हमसब आ अहाँ आ हमरासबके धियापुतासबके अनाज भेटए आ भूखस' नहि मरि सकब।9हम स्वयं आश्वासन देब जे ओ घुरिक आबि जाएत। अहाँ हमरास' मांगक' सकैत छी जे हम जे प्रतिवध्दता क' रहल छी। जं हम ओकरा सकुशल अहाँक लग नहि आनब त' अहाँ सदाके लेल कहि सकैत छी जे दोषी हमहीं छी।10जं हमसब एतेक समय नाश नहि कएने रहितहुं त' एखन धरि हमसब ओतए जा क' दू बेर आबाजाही कएने रहितहुं!”11तखन ओकरासबके बाबु याकूब ओकरासबके कहलनि, “जं कोनो आओर उपाय नहि अछि त' ई काज करु: एहि देशमे उपजल किछु नीक चीजसब अपन बोरामे राखू आ ओहिके ओहि आदमीलेल उपहारके रुपमे पहुंचा दिऔ। किछु सुगन्धित मलहम आ मधु आ मसल्‍ला आ धूप, किछु पिस्ता, आ बदाम ल' लिअ।12पहिनेस' दोबर रुपैया ल' लिअ, किएक त' अहाँसबके ओहि चानीके घुरा देबएके चाही जे केओ अहाँसबके बोरामे राखि देने रहैक। शायद गलती भेल होतैक जे अहाँसबके बोरामे राखि देलक।13अपन छोट भायके ल' क' ओहि आदमी लग चलि जाउ।14हम प्रार्थना करब जे सर्वशक्तिमान परमेश्वर ओहि लोकके अहाँसबके प्रति दया करथि, जाहिस' ओ अहाँक दोसर भायके संगे-संगे बिन्यामीनके सेहो अहाँसबहक संग एत घुरए देथि। मुदा जं' हमर बेटासब हमरास' छिना जाएत त' हमरा बेटे नहि रहि जाएत!”15तखन ओसब ओहि उपहारसबके ल' लेलक जे याकूब कहने रहैक जे ओकरासबके लेबाक चाही आ ओहिमेस' दोबर रुपैया सेहो ल' लेलक। ओसब बिन्यामीनके सेहो ल' गेल। ओसब हबड़-हबड़ मिस्र पहुंच गेलनि आ यूसुफके सामने ठाढ़ भ' गेल।16यूसुफ जखन बिन्यामीनके ओकरासबके संग देखलनि त' ओ अपन घरक काज सम्हार' बला आदमीके कहलनि, “एहि लोकसबके हमरा घरे ल' क' जाउ। एकटा जानबरके काटिक' माउस तैयार करु, कारण हम चाहैत छी जे ओसब हमरासंग दुपहरके भोजन करए।” ओ अपन नोकरके कहलखिन जे केकरा बादके बैसल।17ओ आदमी यूसुफके कहब अनुसार काज कएलक। ओ ओकरासबके यूसुफके घरमे ल' गेल।18मुदा ओसब डेरा गेल रहैक, किएक त' ओ ओकरासबके यूसुफ घरे ल' जाइत रहए। ओसब सोंचि रहल रहए, “ओ हमरासबके एत ल' जा रहल छथि, हमसब जं पहिन बेर आएल रही त' हमरासबके बोरामे राखल गेल चानीके कारण बुझाइए। हमसब खाइत काल ओ अपन नोकरसबके कहत हमरासबपर आक्रमण करए आ हमरासबके पकड़िक' अपन गुलाम बनाबए आ हमरासबके गदहासबके सेहो ल' लेत।”19ओसब यूसुफके घरके काज सम्हारएबला आदमीसंगे गेलनि। घरके प्रवेशद्वारपर पहुंचल त,20एकगोटे ओकरा कहलक, “मालिक, हमर बात सुनू। हमसब पहिने एत आबिक' किछु अनाज किनने रही।21घर घुरैतकाल जत' रातिमे ठहरल रही, ओत' हमसब अपन बोरा खोलली। हमसब ई देखि आश्चर्यित भ' गेलहुं जे हमरासबके प्रत्येक बोराके उपर ठीक ओतबे चानी रहैक जतेक हमसब अनाजकेलेल पाइ देने छलहुं! तएं हमसब एकरा अपनासंगे घुराक' अनने छी।22हमसब आओर अनाज किनलेल हमसब आओर चानी सेहो अनने छी। हमरासबके नहि बुझल अछि जे ओहि चानीके हमरासबके बोरामे के राखि देलक।”23ओ आदमी उत्तर देलक, “आराम करु! एहिके विषयमे चिन्ता नहि करु! अहाँसब जे चानी अनने रही से हमरा भेटले रहए। जाहि परमेश्वरके अहाँके बाबु आराधना करैत छथि, ओहे अहाँसबके बोरामे राखि देने होएताह।” तखन ओ शिमोनके जहलस' निकालिक' ओकरासबलग अनलनि।24तखन ओ ओकरासबके यूसुफके घरमे ल' गेलाह। पयर धोबएलेल पानि देलनि आ गदहासबके खाएलेल सेहो देलनि।25ओ ओकरासबके कहलनि जे ओसब दुपहरमे यूसुफसंगे भोजन करए जा रहल अछि। तएं ओसब अपन अपन उपहार तैयार क' लेलक जे यूसुफके पहुंचलाह पर अपन उपहार दी।26यूसुफके घर अएलापर ओसब घरमे जे उपहार अनने रहए से हुनका द' क' भेट कएलनि। तखन ओसब हुनका आगुमे धरतीपर लोटिक' प्रणाम कएलनि।27ओ ओकरासबस' पुछलनि जे अहाँसब ठीक छी, तखन ओ पुछलनि, “अहाँसबके बूढ़ बाबुके स्वस्थ केहन अछि, जे हुनका विषयमे अहाँ हमरा पहिने कहने रही? की एखनो जिबैत छथि?”28ओकरासबमेस' एकगोटे उत्तर देलनि, “हं, अहाँक सेवक हमरासबके पिता एखन धरि जीविते छथि आ ठीक छथि।” तखन फेरु हुनका आगु झुकिक' प्रणाम कएलनि।29तखन ओ सहोदर भाय बिन्यामीनके देखलनि, जे हुनक अपने मायके दोसर बेटा छलनि। ओ ओकरासबस' पुछलनि, “की अहाँक छोट भाइ इएह अछि, जेकरा विषयमे अहाँसब हमरा कहने रही?” ओसब “हं, इएह अछि।” कहलाक बाद, यूसुफ बिन्यामीनके कहलनि, “बौआ, हम प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर अहाँपर दया करथि।”30यूसुफ अपन भाय प्रति भावुकता स' भरल रहलाके कारण, ओकरा बुझएलनि जे ओ कानएबला अछि तएं ओ हड़बड़ाक' कोठलीस' बाहर निकलि गेलनि आ ओ अपन निजी कोठलीमे जाक' कान' लागलनि।31तेकरबाद, ओ अपन नोर पोछिक' बाहर अएलनि आ अपने-आपके सम्हारैत नोकरसबके कहलनि, “भोजन परसू!”32मिस्रके लोकसब हिब्रूसबके संग भोजन करब अपमान बुझति रहए, तएं यूसुफके लेल अलगे, हुनक भैयासबके लेल अलगे आ हुनकासंगे सेवा कएनिहार मिस्रके आन सेवकसबके लेल अलगे भोजन परसल गेल।33हुनकर भैयासब ई देखि आश्चर्यचकित भेलनि जे छोटस' जेठ धरि ओकरासबके लेल ओकर उमेर अनुसार बैसि' लेल व्यवस्था कएल गेल रहैक!34जखन यूसुफके टेबुलपरस' हुनक भैयासबके लेल भोजन परसल जाइत रहैक, तखन बिन्यामीनके भाग आन गोटेस' पांच गुना बेसी परसल गेल! तएं ओसब बहुत हर्षित नहि होए धरि ओसब यूसुफके संग खान-पिन कएलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67