1 Peter2
1किएकत' ई सबबात सत्य अछि तएं, दोसरसंगे दुष्ट व्यवहार नहि करु आ ने ओकरासबके धोखा दिऔ। पाखण्डी नहि बनू, आ दोसरस' डाह नहि करु। केकरो विषयमे कपटपूर्ण बात नहि करु।2जेना नवजात शिशु अपन मायके शुद्ध दूधके तृष्णा करैत अछि, तहिना अहाँसबके सेहो परमेश्वरके सत्य बातसब सिखएलेल चाह करबाक चाही, जे ओहिके सिखएलास' अहाँसब आत्मिकरुपस' परिपक्व भ' जाएब। अहाँसबके ताधरि एना अवश्य करबाक चाही जं परमेश्वर एहि पापी संसारस' अहाँसबके पूर्णरुपस' उद्धार नहि क' देथि।3अहाँसबके एना एहिलेल करबाक चाही किएकत' अहाँसब एहिके अनुभव सेहो कएने छी जे प्रभु अहाँसब प्रति बहुत दयालु भ' क' व्यवहार करैत छथि। 4अहाँसब प्रभु यीशु लग आबि गेल छी। ओ एहन पत्थल जकां छथि जे कोनो भवनके भाग त' छथि मुदा ओ जीवित छथि। लोकसब हुनका अस्वीकारक' देलकनि तइयो परमेश्वर हुनका चुनलथि आ हुनका बड्ड महत्व देलथिन।5आ अहाँसब सेहो एहन पत्थल जकां छी जे जीवित अछि। जहिना मनुष्य पत्थलस' घर बनबैत अछि, तहिना परमेश्वर अहाँसबके एकटा भवनके रुपमे एकसंग राखि रहल छथि जाहिमे हुनकर आत्मा विराजैत छथि। संगहि ओ अहाँसबके ओहि पुजारीसबके पवित्र समाज जकां बना रहल छथि, जिनका ओ यीशु मसीहद्वारा ओहि आत्मिक बलिदानसब करबाक लेल अलग कएने छथि जे परमेश्वरके प्रसन्न करैत होनि।6परमेश्वर जे कहलथि आ यशायाह शास्त्रमे जे लिखलनि से अपनासबके ई प्रगट करैत अछि जे ई सत्य अछि: “ध्यान राखू! हम यरूशलेममे एहन व्यक्तिके राखि रहल छी जे भवनके सबस' महत्वपूर्ण पत्थल जकां अछि। हम हुनका चुनने छी। ओ बहुत मूल्यवान छथि। आ जे केओ हुनकापर भरोसा करत, ओ निश्चय कहियो अपमानित नहि होएत।” 7एहिलेल, अहाँसब जे यीशु मसीह परमेश्वरपर विश्वास करैत छी, परमेश्वर अहाँसबके आदर करतथि। मुदा, जे सब हुनकापर अविश्वास करैत अछि ओ ओहि राज मिस्त्रीसब जकां अछि जेकरा विषयमे भजनमे केओ लिखने अछि: “जाहि पत्थलके राज मिस्त्रीसब खारिज कएलकनि, ओएह भवनके प्रमुख पत्थल बनि गेल अछि।” 8यशायाह शास्त्रमे इहो लिखने अछि जे मसीह एहन होएताह अर्थात् “एकटा एहन पत्थल जकां जाहिस' लोकके ठेंस लगैत अछि, आ एकटा चट्टान जकां जे लोकके चोट पहुंचबैत अछि।” जेना चट्टानपर चढ़लास' लोकके चोट लगैत छै, ओहने लोक एहिलेल घायल भ' जाइत अछि किएकत' ओसब परमेश्वरके सन्देशके अवज्ञा करैत अछि; ई ओएह अछि जे परमेश्वर निर्धारीत कएने छथि जे ओकरासबके संग सेहो एहने होएत। 9ओकरासबके विपरीत, अहाँ विश्वासीसब ओ लोक छी जेकरा परमेश्वर अपनेलेल चुनने छथि। अहाँसब ओहि पुजारीसबके समूह जकां छी जे परमेश्वरके आराधना करैत अछि आ हुनकासंगे राज करैत अछि। अहाँसब एकटा एहन लोकके समूह छी जेकरा परमेश्वर अपनेलेल अलग कएने छथि। अहाँसब परमेश्वरके एकटा एहन लोक छी जे परमेश्वरके छी जाहिस' अहाँसब हुनकाद्वारा कएल गेल प्रशंसनीय काजसब घोषणा करएलेल अन्हारस' निकालल गेल छी। जहिया अहाँसब पापी रही आ परमेश्वरके विषयमे अज्ञानीए रही, त' ओ अहाँसबके अपन पुरना जीवनस' बाहर निकालि देलथिन, आ ओ अहाँसबके अपना विषयमे अद्भुत सत्यसब कहलथि। 10होशे जे अहाँसबके विषयमे लिखने अछि से सत्य अछि जे पहिने “प्रजा नहि” रही, मुदा आब “परमेश्वरके लोक” छी। एक समयमे “परमेश्वर अहाँसबके संग दयालु व्यवहार नहि कएलनि,” मुदा आब “ओ अहाँसबके संग दयालु व्यवहार कएने अछि।” 11यौ प्रिय विश्वासी भाइसब जेकरास' हम प्रेम करैत छी, अहाँसब परदेशी जकां छी जेकर असली घर स्वर्गमे अछि। एहिलेल हम अहाँसबस' ओहि काजसबके नहि करबाक लेल आग्रह करैत छी जेकरा अहाँसबके पापी स्वभाव करए चाहैत अछि। ओ सांसारिक अभिलाषासब अहाँसबके प्राणके नाश क' देत। 12जे आन जाति, परमेश्वरके नहि जनैत अछि ओकरासबके बीचमे नीक व्यवहार एहिलेल करु जाहिस', जे काजसब अहाँसबके' रहल छी, आ जेकरा ओसब झूठ बाजिक' दुष्ट कहैत अछि, तब ओसब देखत जे अहाँसब वास्तवमे नीक काज क' रहल छी, आ जहिया परमेश्वर ओकरासबके न्याय कर' अओताह त' ओसब हुनकर आदर करत। 13प्रभु यीशुके आदर करएलेल, ओकरासबके आज्ञापालन करु जेकरालग लोकसबपर शासन करएके अधिकार अछि। एहिमे राजा सेहो सहभागी छनि, कारण ओकरोमे सर्वश्रेष्ठ मानवीय अधिकार छनि।14एहिमे शासकसब सेहो सहभागी छनि, कारण राजा ओकरासबके अधलाह काज करएबलाके न्याय करए लेल आ नीक काज करएबलाके प्रशंसा करबाक लेल पठबैत छनि।15जे लोकपर शासन करैत अछि तेकरासबके आज्ञा मानू, किएकत' परमेश्वर इएह चाहैत छथि: ओ चाहैत छथि जे अहाँसब नीक काज करु जाहिस' मूर्खसबके जे परमेश्वरके नहि जनैत छनि अज्ञानतापूर्वक ई कहएस' रोकि दिऔ जे अहाँसब दुष्टकाजसब कएने छी।16लोकपर शासन करएबलाके आज्ञा मानू जे स्वेच्छास एना करबाक लेल स्वतन्त्र अछि, मुदा अपना पदके स्वतन्त्र लोकके रुपमे कुकर्म नुकाबएलेल उपयोग नहि करु। बल्कि एहन लोकके रुपमे आज्ञाके मानू जेना परमेश्वरके सेवकसबके करबाक चाही।17सबके प्रति आदर राखू। अपन सब संगी विश्वासीस' प्रेम करु। परमेश्वरके भय मानू। राजाके प्रति आदर राखू।18यौ घरके दाससब, जे विश्वासी छी, सम्पूर्ण भक्तिस' अपन मालिकके अधीनमे रहू। एना ओहि मालिकके संग मात्र नहि करु जे अहाँसबसंगे नीक आ आदरपूर्ण कोमल व्यवहार करैत अछि, मुदा ओकरोसबसंगे जे अहाँसबसंगे अन्याय व्यवहार करैत अछि।19अपन मालिकसबके अधीनमे रहू, किएकत' ई एहन बात अछि जे परमेश्वरके प्रसन्न करैत अछि — यदि कोनो व्यक्ति कष्टसब सहैत अछि आ अन्यायपूर्ण ढंगस' एहिलेल पीड़ित होइत अछि किएकत' ओ व्यक्ति जनैत अछि, त एहि परमेश्वरक कृपा प्राप्त होइत अछि।20अपन मालिकसबके अधीनमे रहू, कारण ओहि समय जं अहाँसब सहि लैत छी जखन केओ अहाँसबके एहिलेल पीताइत अछि किएकत' अहाँसब पाप कएने छी त' निश्चितरुपस' अहाँसबके लेल कोनो आदर नहि अछि। मुदा, ई परमेश्वरक अनुग्रह अछि जे जं अहाँसब नीक काज कएलाक बादो दुख सहैत छी।21परमेश्वर एहिपर एहिलेल अनुग्रह करैत छथि कारण ओ अहाँसबके नीक काज करैत कष्ट भोगएलेल बजौने छथि। ओ अहाँसबके एहिलेल बजौने छथि किएकत' मसीह सेहो अहाँसबके लेल कष्ट उठएलनि जाहिस' अहाँसबके लेल एकटा उदाहरण बनि सकथि जाहिस' अहाँसब हुनकर काजके अनुकरणक' सकब।22“मसीह कहियो पाप नहि कएलथि। आ ओ कहियो लोकके धोखा देबएलेल किछु नहि बजलथि।”23जखन लोक यीशु मसीहके अपमान कएलक त' ओहिके बदला ओ ओकरोसबके अपमान नहि कएलथि। जखन ओ कष्ट भोगलथि, त' ओ ओकरा धमकी नहि देलथिन जे हुनका दुख पहुंचएलकनि। बल्कि ओ परमेश्वरपर भरोसा कएलथि, जे सदिखन निष्पक्ष न्याय करैत छथि, ई साबित करएलेल जे ओ निर्दोष छथि। 24मसीह स्वयं अपनासबके पापके दण्ड अपने शरीरमे सहलथि, जखन ओ क्रूसपर एहि उदेश्यस' मरलथि जे अपनासब धार्मिकतास' जीवन व्यतीत करी किएकत' अपनासब आब पापद्वारा नियन्त्रण नहि छी। परमेश्वर अहाँसबके एहिलेल चंगा कएलथि किएकत' लोकसब मसीहके घाहिलक' देलक। 25परमेश्वर अहाँसबके एहिलेल चंगा कएलथि किएकत' अहाँसब हेराएल भेंड़ जकां परमेश्वरस' विमुख भेल रही, मुदा आब परमेश्वर अहाँसबके यीशु लग घुराक' अनने छथि, जे अहाँसबके एहन देखभाल करैत छथि आ अहाँसबके आत्माके रक्षा करैत छथि जेना चरबाह अपन भेंड़ाके वास्ता करैत अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.