Romans16

1एहि पत्रके माध्यमस' हम अहाँके हमर संगी-विश्वासी सेविका फीबेके परिचय द' रहल छी आ हुनकर सराहना सेहो क' रहल छी, ई पत्र अहाँ लग जे ल' क' जाएत। ओ किंख्रिया नगरके मण्डलीमे मसीहमे एकटा बहिन छनि।2हम अहाँस' हुनका स्वीकार करबाक लेल आग्रह एहिलेल क' रहल छी किएकत' अहूंसब प्रभुस' जुड़ल छी। अहाँके ई एहिलेल करबाक चाही किएकत' परमेश्वरके पवित्र लोकके अपन संगी विश्वासीसबके अपनएबाक चाही। हम इहो कहब जे किछु हुनका जरुरति छनि अहाँ ओकरा ओ द' क' हुनका सहयोग करियौ, किएकत' ओ हमरा संगे-संगे बहुते लोकके अहाँ सहायता कएने छिऐ।3प्रिस्किला आ ओकर पति अक्विलास' कहबनि जे हम हुनका नमस्कार करैत छिएन्हि। ओ हमरासंगे मसीह यीशुके लेल सहकर्मी अछि,4आ हमरालेल ओ मरहूके लेल सेहो तैयार छल। हम हुनको धन्यवाद करैत छिएन्हि, आ गैर-यहूदी मण्डलीसब सेहो हमर प्राण बंचबएलेल हुनका धन्यवाद दैत छिएन्हि।5हुनका घरमे मिलएबला मण्डलीस' सेहो कहब की हम हुनका अपन नमस्कार भेजैत छी। इएह बात हमर प्रिय मित्र इपैनितुस स' सेहो कहब। ओ मसीहपर विश्वास करएबला आसिया प्रान्तके पहिन लोक अछि।6मरियम, जे अहाँके सहायता करबाक लेल मसीहके लेल कठोर परिश्रम कएने अछि, हुनकास' कहबनि जे हम हुनका अपन नमस्कार भेजैत छी।7ई बात अन्द्रोनिकुस आ हुनक पत्नी यूनियासस' कहब, जे हमरासंग बंदीगृहमे छल। ओ प्रेरित सबहक बीच प्रसिद्ध अछि, आ ओ हमरास' पहिनहि मसीही विश्वासी बनल छल।8हम अम्पलियातुसके सेहो अपन नमस्कार भेजैत छी, जे हमर प्रिय मित्र अछि आ प्रभुस' जुड़ल अछि।9हम उरबानुसके सेहो, जे हमरासंग मसीहके लेल सहकर्मी अछि, आ हमर प्रिय मित्र इस्तखुसके सेहो अपन नमस्कार भेजैत छी।10हम अपिलेसके सेहो अपन नमस्कार भेजैत छी, जेकरा मसीह एहिलेल ग्रहणयोग्य कएलनि, किएकत' ओ परीक्षाके सफलतापूर्वक सहने अछि। अरिस्तुबुलुसके घरमे रहनिहार विश्वासीसबस' कहब की हम हुनका अपन नमस्कार भेजैत छी।11हेरोदियोन से सेहो कहब, जे हमर संगी यहूदी अछि, की हम हुनका अपन नमस्कार भेजैत छी। एहि बात नरकिस्सुसके घरमे रहनिहारस' सेहो कहब, जे प्रभुके लोक अछि।12एहि बात त्रुफेना आ हुनक बहिन त्रुफोसासे सेहो कहब, जे प्रभुके लेल कठोर परिश्रम करैत अछि। हम परसिसके सेहो अपन नमस्कार भेजैत छी। हमसब हुनकास' प्रेम करैत छी, आ ओ प्रभुके लेल बहुत कठोर परिश्रम कएने अछि।13रूफुसके नमस्कार कहूं। प्रभु यीशु हुनका चुनलनि। हुनकर मायके सेहो नमस्कार कहूं। ओहो हमरालेल माय जेहन रखने अछि।14असुंक्रितुस, फिलगोन, हिरमेस, पत्रुबास, हिर्मास आ हुनकास' मिलएबला संगी विश्वासीसब' कहब की हम हुनका अपन नमस्कार भेजैत छी।15फिलोलोगुसके, हुनकर पत्नी यूलियाके, नेरियुस आ हुनक बहिन, उलुम्पास, आ हुनकास' मिलएबलासब परमेश्वरके पवित्र लोकसबके हम अपन नमस्कार भेजैत छी।16जखन अहाँ एकसंग एकट्ठा होइत छी, त' एक-दोसरके पवित्र रीतिस' स्नेहपूर्वक नमस्कार कहब। मसीहस' जुड़ल सब मण्डलीके विश्वासीसब अहाँके नमस्कार कहैत अछि।17हे यौ हमर संगी-विश्वासीसब, हम अहाँस' आग्रह करैत छी जे अहाँके ओहि लोकक विषयमे सावधान रहबाक चाही जे अहाँसबहक बीच ठेंस लगबैत अछि आ जे लोकके परमेश्वरक आदर करएके मना करबैत अछि। एहन लोकस' दूर रहू!18ओ हमर प्रभु मसीहके सेवा नहि करत! एकर उनटा, ओ खाली अपन इच्छाके सन्तुष्ट करबाक चाहैत अछि। ओ लोकसबके मिठगर-मिठगर बात आ प्रशंसाके उपयोगक' क' ओकरासबके मनके धोखा दैत अछि जाहिस' लोकसबके पता नहि चलए की ई उपद्रवी झूठ बात सिखा रहल अछि।19सब ठामके विश्वासीसबके मालूम अछि जे अहाँ मसीहके द्वारा सुसमाचारमे कहल गेल बात सबके पालन कएने छी। हम अहाँके विषयमे आनन्दित छी। मुदा हम इहो चाहैत छी की अहाँ एतेक समझदार बनू की जे नीक अछि ओकरा अहाँ पता लगा' सकी आ जे गलती अछि ओहिस' दूर रहू।20यदि अहाँ एहि सबबातके पालन करैत छी, त' परमेश्वर, जे हमरा अपन शान्ति प्रदान करैत अछि, अहाँक' अधिकारके कारण शैतानक कामके तुरन्त नाश क' देत! हम प्रार्थना करैत छी की हमर प्रभु यीशु, जे मसीह अछि, अहाँक' प्रति कृपालु भ' क' काज करैत रही। 21तिमुथियुस जे हमरासंग मसीहके सहकर्मी अछि, आ लूकियुस, यासोन आ सोसिपात्रस जे हमर संगी यहूदी अछि, चाहैत अछि जे अहाँ ई जानिलिअ केओ अहाँके अपन नमस्कार भेजैत अछि।22हम तेरतियुस छी, आ हम ई पत्र जेना पौलुस हमरा लिखओलथि तहिना हम लिख रहल छी। हम प्रभु यीशुमे एक संगी-विश्वासीके रुपमे अहाँके नमस्कार कहए छी।23हम, पौलुस, गयुसके घरमे ठहरल छी, आ सबटा मण्डली एत हुनका घरमे मिलैत अछि। ओहो चाहैत अछि जे अहाँ ई जानिलिअ जे ओ अहाँके अपन नमस्कार भेजैत अछि। इरास्तुस जे नगरक धनके मुन्सी करैत अछि, ओहो हमर भाइ क्वारतुसके संग अहाँके अपन नमस्कार पठौने अछि।24हमर प्रभु यीशु मसीहके अनुग्रह अहाँसबपर होएत रहए। आमीन।25आब परमेश्वर, जे यीशु मसीहक सुसमाचारके हमर प्रचारके द्वारा अहाँके आत्मिकरुपस' दृढ़ करएमे सक्षम अछि, जेकरा परमेश्वर हमरा समयस' अनन्तकालमे प्रगट नहि कएने छल26मुदा, आब परमेश्वर ओहि रहस्यमय योजनाके प्रगट कएने अछि। ओ अपन प्रवक्ताके लिखलके माध्यमस' एकरा ज्ञात कएने अछि जे सब एकर विषयमे पवित्र शास्त्रमे लिखने अछि। ओसब ई ओहि परमेश्वरके अनुसार कएलनि जे अनन्तके लेल जीवित रहैत अछि जाहिस' सबटा जाति यीशु मसीहपर विश्वास क परमेश्वरक आज्ञा मानए।27यीशु मसीह हमरालेल जे किछु कएलनि, ताहिके कारण परमेश्वरक, जे एकमात्र बुद्धिमान अछि, सदा-सर्वदा प्रशंसा होए। आमीन!

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67