Genesis37
1याकूब कनान देशमे रहैत छलनि जत' ओकर बाबु पहिने रहैत रहथि।2याकूबके परिवारक संग एना भेल।
जखनि ओकर बेटा यूसुफ सत्रह वर्षके रहए तखन ओ अपन भैयासबके संग भेंड़ आ बकरीसबके हेंड़ चरबाहि करैत छलनि। ओसब ओकर बाबुके रखैल बिल्हा आ जिल्पाके बेटा रहए। यूसुफ अपन बाबुके अपन भैयासबके खराब काजके विषयमे कहलनि जे ओकर भैयासब क' रहल छलनि।3याकूब यूसुफस' अपन आन सन्तान स' बेसी प्रेम करैत रहनि किएक त' यूसुफके जन्म याकूबके बूढ़ारीमे भेल रहनि। याकूब यूसुफके लेल एकटा सुहनगर वस्त्र बनौलनि जाहिमे नमहर लबेदा रहए।4जखन यूसुफके भैयासब बुझि गेलनि जे ओकर बाबु ओकरा ओकरासबस' बेसी यूसुफके प्रेम करैत छनि, तखन ओसब ओकरास' घृणा कएलनि। ओसब ओकरासंगे मोलायम स' कहियो बात नहि कएलकनि।5एक राति यूसुफ एकटा सपना देखलनि। ओ अपन भैयासबके ओहि सपनाके विषयमे कहलनि। तहियास' ओसब ओकरास' आओर बेसी घृणा करए लागल। जे भेल रहए तेकर विस्तार एना अछि:6ओ ओकरासबके कहलनि, “हम जे सपना देखलहुं से सुनू!7सपनामे हमसब खेतमे गहूमक बोझा बान्हि रहल छली। अचानक हमर बोझा सोझे ठाढ़ भ' गेल, आ अहाँके बोझा हमर बोजहाके चारुकात जमा भ' क' ओकरा झुकिक' प्रणाम कएलक!”8ओकर भैयासब ओकरा कहलनि, “की अहाँ सोंचैत छी जे कोनो दिन अहाँ हमरासबपर राज करब? अहाँ हमरासबके राजा बनए जा रहल छी?” अपन सपनाके विषयमे जे किछु कहलकनि ताहि कारणे ओसब ओकरास' पहिनेस' बेसी घृणा करए लागल।9बादमे ओ एकटा आओर सपना देखलनि आ फेरु ओ अपन भैयासबके एहि विषयमे कहलनि। ओ कहलनि, “ई बात सुनू! हम एकटा आओर सपना देखलहुं। एहि सपनामे सूर्य आ चन्द्रमा आ एगारहटा तरेगन हमरा झुकिक' प्रणाम करैत छल!”10ओ अपन बाबुके सेहो एहि विषयमे कहलनि। ओकर बाबु ओकरा डांटिक' कहलकनि, “अहाँ ओहि सपना स' की कहए चाही रहल छी? अहाँके विचार जे हम आ अहाँके माय आ अहाँके भैयासब कोनो दिन अहाँके सोझामे जमीन धरि निहुरिक' प्रणाम करब?”11यूसुफके भैयासब ओकरास' डाह कर लागल, मुदा ओकर बाबु एहि बातपर सोंचैत रहनि जे सपनाके की माने भ' सकए।12एकदिन यूसुफके भैयासब अपन बाबुके हेंड़के भेंड़ आ बकरीसबके चरबाही करएलेल शेकेमके ल' क' खेतमे गेलनि।13किछु समयक बाद, याकूब यूसुफके कहलनि, “अहाँक भैयासब शेकेम लगमे भेंड़ा आ बकरीसबके चरबाही क' रहल अछि। ओकरासबके देखबाक लेल, हम अहाँके ओतए पठाबए जा रहल छी।” यूसुफ उत्तर देलनि, “हम जाएब।”14याकूब कहलनि, “जाउ, देखू जे ओसब आ हेंड़के भेंड़ासब ठीक अछि की नहि। आ घुरिक' आबि हमरा समाचार दिअ।” तखन याकूब यूसुफके ओहि घाटीमे पठौलनि जत' ओसब रहैत छलनि, ओहि घाटीमे जत हेब्रोन अछि, जे ओ अपन भैयासबके खोजबाक लेल गेलनि।
जखन यूसुफ शेकेम नगर लग पहुंचलनि।15त' जखन ओ खेतमे अपन भैयासबके तकैत आ घुमैत छलनि, तखन एकटा आदमी ओकरा देखक' पुछलनि, “अहाँ केकरा ताकि रहल छी?”16यूसुफ उत्तर देलनि, “हम अपन भैयासबके ताकि रहल छी। की अहाँ कहि सकैत छी जे ओसब अपन भेंड़ बकरी कत' चराबि रहल छथि?”17ओ आदमी उत्तर देलक, “ओसब आब एत नहि अछि। हम हुनकासबमेस' एकगोटेके कहैत सुनलहुं, ‘हमसब भेंड़ बकरीसबके ल' क' दोतान शहर जाइ।’”
तखन यूसुफ ओतहिस' निकलिक उत्तर दिस गेलनि आ दोतान लग अपन भैयासबके भेटल।18मुदा ओसब ओकरा दूरे रहए त देखलेने रहैक आ ओसब ओकरा मारि देबएके नियार कएलक।19ओसब एक-दोसरस' ई बात कहलनि, “ओ सपना देखनिहार एत आबि रहल अछि!”20“आउ, ओकरा मारिक' ओकर लाशके कोनो खधियामे फेक दी! तखन लोकसबके अपनासब कहबनि जे एकटा जंगली जानबर ओकरा आक्रमण क' क' मारिक' खा गेलै। आ तखन देखबै जे ओकर सपनाके की अछि!”21रूबेन ओकरासबके बात सुनिक' ओकरासबके मनाबए चाहलक जे ओसब यूसुफके नहि मारथि। ओ कहलनि, “नहि, अपनासबके ओकरा नहि मारबाक चाही।22रूबेन कहलक जे ओकर जान नहि लियौ! बल्कि ओकरा मरुभूमिक एहि खधियामे फेक सकैत छी, मुदा ओकरा कोनो नोक्सान नहि पहुंचाएब।” ओ ई बात कहलक आ फेरु ओकरासबके छोड़ि देलक, बादमे यूसुफके बचाबए आ ओकरा घुरिक अपन बाबु लग ल' जएबाक योजना बनौने रहैक।23जखन यूसुफ अपन भैयासब लग पहुंचलनि त' ओसब ओकरा पकड़ि लेलक आ ओकर भरिबहुंआ वस्त्रके फाड़ि देलक।24तखन ओसब ओकरा ल' क' खधियामे फेक देलक। ओ खधिया सुखल रहए। ओहिमे पानि नहि छल।25ओसब भोजन करएलेल बैसल। ओसब आंखि उठाक' देखलक जे इश्माइलके वंशजके लावा लस्कर गिलाद दिसस' आबि रहल अछि। ओसब ऊंटपर मसल्ला आ मधुर सुगन्धित धूपसबके बोरियासब लादल छल। ओसब ओतए ओहि वस्तुसबके बेचबाक लेल मिस्र जाइत रहैक।26यहूदा अपन भैया आ भाइसबके कहलनि, “जं अपनासब अपन भाइके मारिक' ओकर लाश नुकाएब त अपनासबके की फायदा होएत?27तएं ओकरा हानि कर' स बढियां एहि लोकसबके हाथे बेचि दी जे इश्माइलक वंशज अछि। बिसरु नहि, ओ हमरसबके अपने छोट भाइ अछि!” तएं सब ओहि काजके लेल तैयार भ' गेल।28 मिद्यानी ओ व्यापारीसब जखन लगमे आबि गेलनि त' यूसुफके भैयासब ओकरा खधिया स' बाहर निकालि लेलनि। तखन ओसब ओकरा मिद्यानी लोकसब हाथे बीसटा चानीके टुकड़ीमे बेचि देलक। तखन इश्माएली व्यापारीसब यूसुफके मिस्र ल' गेल।29रूबेन जं खधियामे घुरिक' देखलनि जे ओकर छोट भाइ यूसुफ ओतए नहि छै। ओ एतेक दुखित भेल जे अपन कपड़ा फाड़ि लेलक।30ओ अपन भाइसब लग जाक' कहलनि, “लड़का खधियामे नहि अछि! आब हमसब की क' सकैत छी?”31ओसब अपन बाबुके अपन काजके कहबाक साहस नहि कएलनि। तएं ओसब नियारि लेलक जे जे भेल छल ताहिपर एकटा कथाक गढ़ल जाए। ओकरासबके यूसुफके भरि बहुंवा कपड़ाक चेथड़ा भेटि गेलनि। तखन एकटा खसी मारिक' कपड़ाके खसीक लेहूमे डुबा देलक।32ओसब ओहि कपड़ाक टुकड़ीके अपन बाबु लग ल गेलनि, “हमरासबके ई भेटल! देखू एकरा। अहींके बेटाके कपड़ा अछि?”33ओ एकरा चिन्हलनि आ कहलनि, “हं, ई हमरे बेटाके अछि! कोनो हिंसक जानबर ओकरा आक्रमण क' क' मारि देने होतइ! हमरा विश्वास अछि जे ओ जानबर यूसुफके टुकड़ा-टुकड़ा क' देने होतइ!”34याकूब एतेक दुखित भेलनि जे ओ अपन कपड़ा फाड़ि लेलनि। आ चट्टी बोरा पहिर लेलक। ओ सोग गेलनि।35ओकर धियापुतासब ओकरा सान्त्वना देब' लेल आएल छल, मुदा ओ ओकरासबके बातपर ध्यान नहि देलकनि। ओ कहलनि, “नहि, हम एखनो शोक करैत रहब आ जखन हम मरि जाएब आ बेटाके संगे रहए जाएब।” तएं यूसुफके बाबु अपन बेटाके संग जे भेल रहैक ताहि कारणे कनिते रहि गेलनि।36एमहर मिद्यानी लोकसब यूसुफके मिस्र देशमे ल' गेल आ पोतीफर हाथे बेचि देलक। ओ राजाके अधिकारीमेस' एकगोटे रहैक जे राजाके रक्षा करएबला सैनिकके कप्तान रहैक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.